Search

प्रवीण नारायण चौधरी

साहित्याङ्गनक मासिक गोष्ठी मेंहथ मे संपन्न – याद कएल गेलाह दुइ गोट महान दिग्गज

डा. रामसेवक झा, जून २७, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!! निरंतर दोसर वर्ष हरेक मास मे आयोजित होएत आबि रहल साहित्याङ्गन कीर्तिकुम्भ नामक साहित्यिक गोष्ठी एहि मास बीतल रवि दिन २५ जून केँ मधुबनी जिलाक प्रसिद्ध गाम मेंहथ मे सम्पन्न भेल अछि। मैथिली जिन्दाबाद केँ प्राप्त ‘हिन्दी विज्ञप्ति’ केर अनुवाद निम्न अछि। साहित्याड़्गन केर कीर्तिकुम्भ मेंहथ गाम साहित्याङ्गनक मासिक गोष्ठी मेंहथ मे संपन्न – याद कएल गेलाह दुइ गोट महान दिग्गज

मैथिली कोनो विशेष जातिक नहि अपितु समस्त मिथिलावासीक आम मातृभाषा थिक

विचार – प्रवीण नारायण चौधरी   भाषा लेखनी वा बाजब अथवा कोनो तरहक प्रस्तुति मे उत्कृष्टताक कारण एकरा ओहि जाति-वर्गक आरक्षित भाषा कहब ‘फूट डालो-शासन करो’ वला नीति अपनेनिहार नेता केँ भले सोहा जाएक, मुदा विद्वान्, कलाकार, गायक, विचारक, अभियानी, यथार्थ बौद्धिक प्राणी, बुद्धिजीवी आ विवेकशील केँ एहि तरहक धारणा राखब गलत आ पीड़ादायी अछि। मैथिली कोनो विशेष जातिक नहि अपितु समस्त मिथिलावासीक आम मातृभाषा थिक

श्रीरामचन्द्रजी समान दयानिधान स्वामी कतहु नहि भेटतः रामचरितमानस सँ सीख – १६

स्वाध्यायः रामचरितमानस सँ सीख – १६ आइ महाकवि तुलसीदासजी रामचरितमानस मे सेवक आर स्वामीक सम्बन्ध मे भक्तिक महत्व पर प्रकाश देलनि अछि। ई लोक हो अथवा परलोक हो, सेवक भाव सँ स्वामी प्रति समर्पण केर महत्व बहुत पैघ छैक। सेवक केर प्रेम आ समर्पण केर महत्व बहुत बेसी होएत छैक। बाकी ओकर कमजोरी, ओकर दुर्गुण, श्रीरामचन्द्रजी समान दयानिधान स्वामी कतहु नहि भेटतः रामचरितमानस सँ सीख – १६

हाय रे मिथिलाक आतूर बुधियार सब, अपन टेटर सूझत नहि आ दोसर पर तंज कसनाय नहि छूटत!

सन्दर्भः रजनी पल्लवी द्वारा लगनी – मिथिलाक पारंपरिक गीत तैयारी करबाक एक जाँत पीसैत फोटो पर व्यंग्यात्मक टिप्पणी हम सब गर्व करैत छी मिथिलाक एहि युवती – स्वर आ सुर केर धनी – मिथिलाक पौराणिक आ पारंपरिक गीत सभक संरक्षण मे अपन महत्वपूर्ण योगदान देनिहाइर रजनी पल्लवी पर! एहि सुन्दर सन फोटो मे गामक आय-माय-दाय हाय रे मिथिलाक आतूर बुधियार सब, अपन टेटर सूझत नहि आ दोसर पर तंज कसनाय नहि छूटत!

जखन अनाथ शबाना ईद मनेबाक लेल DM सँ मांगलक मदैद तऽ घर पर आबि गेल पूरा प्रशासनिक अमला

समाचार साभारः एनडीटीवी आनलाइन   वाराणसी केर मंडुवाडीह इलाकाक रहयवाली शबानाक घर ईद केर कोनो तैयारी नहि रहैक। केकरो पास नव कपड़ा नहि रहैक कियैक तऽ शबानाक घरक आर्थिक अवस्था एहेन नहि छलैक जे ईद केर तैयारी कय सकैत।   उदास शबानाक दिमाग मे एकटा विचार एलैक आर ओ जिलाक जिलाधिकारीक नंबर पता केलक आर जखन अनाथ शबाना ईद मनेबाक लेल DM सँ मांगलक मदैद तऽ घर पर आबि गेल पूरा प्रशासनिक अमला

भारत सेहो अमेरिका जेकाँ विकसित होयतः मोदी द्वारा अमेरिकी भारतीय केँ संबोधन

नई दिल्ली/वाशिंगटन – जून २६, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!   प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी रवि दिन करीब ५०० भारतीय-अमेरिकी केँ एक सामुदायिक स्वागत सभा जे टायसन्स कोर्नर वर्जीनियाक रिज कार्लटन मे आयोजित छल ताहि मे आतंकवाद केर मुद्दा पर शुरुआती बात करैत संबोधन कएलनि, ओ कहलखिन जे आतंकवादक मुद्दापर भारतक कथन केर विश्व समुदाय मे पुष्टि भेल भारत सेहो अमेरिका जेकाँ विकसित होयतः मोदी द्वारा अमेरिकी भारतीय केँ संबोधन

मोदी जी केर २-दिवसीय अमेरिका यात्रा आइ सँ आरम्भ – अमेरिकी राष्ट्रपति कहलैन सच्चा मित्र

न्युज साभारः एनडीटीवी आनलाइन जून २५, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!! अमेरिकाक संग भारतक संबंध केँ आरो गहिंर बनेबाक उम्मीद संग आर ओकरा नव दिशा देबाक इरादा लेने प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी दुइ दिनक यात्रा पर अमेरिका पहुंचि गेल छथि। ओहि पाँच घंटा मे बहुत किछु होयबाक आशा कएल जा रहल अछि, जे भेंटघाँट, बैठक तथा व्हाइट हाइस मे आयोजित भोज मोदी जी केर २-दिवसीय अमेरिका यात्रा आइ सँ आरम्भ – अमेरिकी राष्ट्रपति कहलैन सच्चा मित्र

पाकिस्तान मे १२० सँ बेसी लोक मारल गेल अछिः हाईवे पर तेल टैंकर विस्फोट सँ भेल घटना

नई दिल्ली, २५ जून, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!! साभार न्युज १८ अंग्रेजी वर्सन १०० सँ अधिक लोक केर जैरकय मृत्यु आ दर्जनों लोक गंभीर रूप सँ घायल होयबाक अत्यन्त दुखद समाचार पाकिस्तान केर मीडिया द्वारा देल गेल अछि। ई घटना एकटा तेल टैंकर केर बहावलपुर सिटी नजदीक एक हाईवे पर पहिने पलटब आर फेर ओहि मे पाकिस्तान मे १२० सँ बेसी लोक मारल गेल अछिः हाईवे पर तेल टैंकर विस्फोट सँ भेल घटना

कलियुग मे राम नाम कल्पवृक्ष थिक – नामक महत्वः रामचरितमानस सँ सीख – १५

स्वाध्यायः रामचरितमानस सँ सीख – १५ आइ पंद्रहम भागक रामचरितमानस सँ सीख मे महाकवि तुलसीदास अति रमणीय उपमा सहित भगवान राम केर नामक प्रभाव कहलैन अछि। भक्त व आस्थावान् लेल भगवन्नाम मात्र कल्याणक मार्ग थिक। नाम जप सँ किनका-किनका कोना-कोना लाभ भेटल, एहि तथ्य केँ उजागर करैत हमरो सब लेल कल्याणक मार्ग प्रशस्त करैत अछि कलियुग मे राम नाम कल्पवृक्ष थिक – नामक महत्वः रामचरितमानस सँ सीख – १५

साहित्य अकादमीक प्रशंसनीय डेग, मैथिली भाषाक प्रवर्धन हेतु जैड़ मे जलसिंचन ‘ग्रामालोक’

डा. सतीरमण झा, धर्मपुर (लोहना)। २५ जून, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!! २४ जून, २०१७ केँ साहित्य अकादमी नई दिल्ली एवं किरण मैथिली साहित्य शोध संस्थान उजान केर संयुक्त तत्वावधान मे “ग्रामालोक” कार्यक्रमक अन्तर्गत मैथिली कविता पाठ केर आयोजन कैलाश सभागार, धर्मपुर, उजान में लखनजी चौधरी स्थितप्रज्ञक अध्यक्षतामे सम्पन्न भेल । सुश्री श्रिता कुमारी ओ सुश्री अंजली कुमारी साहित्य अकादमीक प्रशंसनीय डेग, मैथिली भाषाक प्रवर्धन हेतु जैड़ मे जलसिंचन ‘ग्रामालोक’