Search

साहित्य अकादमीक प्रशंसनीय डेग, मैथिली भाषाक प्रवर्धन हेतु जैड़ मे जलसिंचन ‘ग्रामालोक’

डा. सतीरमण झा, धर्मपुर (लोहना)। २५ जून, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

२४ जून, २०१७ केँ साहित्य अकादमी नई दिल्ली एवं किरण मैथिली साहित्य शोध संस्थान उजान केर संयुक्त तत्वावधान मे “ग्रामालोक” कार्यक्रमक अन्तर्गत मैथिली कविता पाठ केर आयोजन कैलाश सभागार, धर्मपुर, उजान में लखनजी चौधरी स्थितप्रज्ञक अध्यक्षतामे सम्पन्न भेल ।

सुश्री श्रिता कुमारी ओ सुश्री अंजली कुमारी द्वारा जय जय भैरवि गोसाउनिक गीतसँ शुभारम्भ कार्यक्रम केर उद्घाटन दीप प्रज्वलित कय साहित्य अकादमी सम्मानित वरिष्ठ साहित्यकार डा. रामजी ठाकुर ओ वयोवृद्धा साहित्यकर्त्री तथा प्राचीन सांस्कृतिक गीत गायिका जयन्ती देवी (साहित्य अकादमी क पहिल मैथिली प्रतिनिधि आचार्य रमानाथ झाक पहिल पुत्रवधू ) संयुक्त रूपें कएलन्हि ।

कतर देशमे सैलून चलाकय अपन जीविकोपार्जन चलेनिहार मैथिलीसेवी धनेश्वर ठाकुर विरचित काव्य  “सगर देह अछि कारा” केर लोकार्पण डा• रामजी ठाकुर ओ साहित्यकार सतीश साजन मञ्चस्थ साहित्यकार लोकनिक संग कएलनि । 

ग्रामालोक कार्यक्रमक अन्तर्गत स्थितप्रज्ञक अध्यक्षतामे कवि नवीन कुमार आशा द्वारा ‘स्त्री’ ओ ‘बेटी हमर अभिमान’ दुइ कविता पाठ कएलनि । कवि अमल कुमार झा तीन कविताक पाठ कएलनि ‘हे करुणानिधान’ , ‘मोनक अन्हार’ ओ ‘नूर मोहम्मद’ । कवि रामप्रीत पासवान चारि कविता ‘कविक कविता कतय सुनय अछि’, ‘किं कर्तव्यविमूढ़’, ‘कि छल विधिना लिखल’, ओ ‘हुनका ने ईश्वर करथु माफ’ पाठ कएलनि । कवि जीवेन्द्र मिश्र जीवन चारि कविता पाठ कएलनि – ‘हमर भाषा मैथिली महान’, ‘रिमझिम बरसे बदरिया’, ‘हम तोरा एकटा टुटल खाट छी’, ओ ‘मिथिलाके बोल अनमोल छै’। लखनजी चौधरी स्थितप्रज्ञ कविक ‘सत्य’ ओ ‘जीवेम् शरदः शतम्’ दू कविता पाठ कएलनि । कार्यक्रमक संचालन डा• सतीरमणझा कएलनि । 

युवा साहित्यकार अजित आजाद साहित्य अकादमी नई दिल्लीक स्थापना सँ लए वर्तमान उद्देश्य धरिक विस्तार सँ प्रकाश दैत मैथिली साहित्यकारकेँ समर्पण भावसँ सेवाक लेल प्रेरित कएलनि । स्वागत अभिभाषण प्रो• केदारनाथ झा ओ धन्यवाद डा• सतीरमण झा ज्ञापन कएलनि । 

लगभग सवा सौ साहित्यकार ओ साहित्यानुरागी, पत्रकार, समाजसेवी मध्य करिब तीस-पैंतीस महिलाक उत्साहपूर्ण उपस्थिति भविष्य लेल कार्यक्रमक विशेष सफलता कहल जा सकैत अछि । प्रत्यक्ष वा परोक्षरूपें समस्त सहयोगी, साहित्य अकादमी, साहित्य अकादमीक मैथिली प्रतिनिधि डा• वीणा ठाकुर, अजित आजाद, साहित्यकार, पत्रकार बन्धु ओ उपस्थित कविगण केँ विशेष धन्यवाद आर आभार जे मैथिली भाषा-साहित्यक संवर्धन-प्रवर्धन लेल जैड़ मे जलसिंचन हेतु एहि तरहक कार्यक्रमक आयोजन शुरु कएलनि अछि । ई निरन्तर आरो-आरो गाम होएत बढैत जेबाक जनतब भेटल जाहि मे आइ २५ जून मधुबनी जिलाक मेहथ गाम मे ‘ग्रामालोक’ केर आयोजन कएल जेबाक अछि। 

Related Articles