नई दिल्ली/वाशिंगटन – जून २६, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी रवि दिन करीब ५०० भारतीय-अमेरिकी केँ एक सामुदायिक स्वागत सभा जे टायसन्स कोर्नर वर्जीनियाक रिज कार्लटन मे आयोजित छल ताहि मे आतंकवाद केर मुद्दा पर शुरुआती बात करैत संबोधन कएलनि, ओ कहलखिन जे आतंकवादक मुद्दापर भारतक कथन केर विश्व समुदाय मे पुष्टि भेल अछि। चीन पर चुटकी लैत ओ विदेशी मामिलाक मंत्री सुषमा स्वराज द्वारा कुटनीति केँ यथोचित परिष्करण लेल प्रशंसा सेहो कएलनि।
पीएम मोदी अमेरिकाक यात्रा पर छथि आर देशभैर मे ईद धूमधाम सँ मनायल जा रहल अछि। प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी रवि दिन वाशिंगटन मे भारतीय समुदायक लोक सबकेँ संबोधित करैत कहलखिन जे तीन साल केर कार्यकाल मे हुनकर सरकार पर एकोटा भ्रष्टाचारक दाग नहि लागल अछि। पिछला कतेको साल केर तूलना मे वर्तमान समय भारत ज्यादा तेज गति सँ आगू बढ़ि रहल अछि। हम सब भारत पर आतंकवाद केर खतरनाक प्रभावक बारे मे दुनिया केँ बतेबा मे सफल भेलहुँ अछि। ‘सजर्किल स्ट्राइक’ केर चर्चा करैत ओ कहलैन जे साधारणतया संयम बरतयवला भारत अपन संप्रभुता बचा सकैत अछि। हम सब अपन ताकत केर अहसास करेलहुँ। प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी रवि दिन अमेरिकाक शीर्ष कंपनीक प्रमुख सबसँ भारत मे निवेश करबाक आह्वान करैत कहलखिन जे भारत एक कारोबार हितैषी देश केर रूप मे उभैर रहल अछि।
अपन देश लेल अहाँ सब जे सपना देखने छी से अहींक जीवनकाल मे पूरा होएत जरुर देखब – प्रधानमंत्री मोदी अमेरिका मे रहि रहल भारतीय समुदायक लोक सब सँ आपेकता भरल बहुत बात मध्य एकटा प्रमुख बात ईहो कहलखिन। ओ कहलखिन जे अमेरिका हम अहाँ सब केँ विश्वास दियबैत कहि रहल छी कि जे सपना अहाँ सब भारतक विकास लेल देखने छी से अहाँ सभक रहिते पूरा हेतैक। आर एकर सीधा साधा कारण छैक जे अहाँ सब सेहो हिंदुस्तान मे रही, अहीं एखन अमेरिका मे छी, सही वातावरण भेटला सँ अहाँ एतेक फलल-फूलल छी जाहि सँ अपना संग-संग अमेरिकाक भलाई मे सेहो सहायक बनि सकलहुँ। अहीं जेकाँ सामर्थ्य और प्रतिभा रखनिहार सवा सौ करोड़ हिंदुस्तानी हिंदुस्तान मे बैसल अछि। ओहो सब अहीं सब जेकाँ अछि। जेना अहाँ सबकेँ एतय अनुकूल माहौल भेटल तऽ अहाँ कतय सँ कतय पहुँचि गेलहुँ, तहिना ओतय ओकरो सबकेँ आब अनुकूल माहौल भेट रहल छैक, स्वाभाविक छैक, अहुँ सब बुझि सकैत छी ओ सवा सौ करोड़ लोक हिंदुस्तान केँ कतय सँ कतय लय जा सकैत छैक। पीएम मोदी बजलाह जे ‘सर्जिकल स्ट्राइक’ सँ अपन ताकत केर अहसास करायल गेल, कियो एहि पर सवाल नहि उठेलक, कारण भारतक स्थिति सभक नजरि मे स्पष्ट छैक।
पीएम मोदीक भाषण मे उद्धृत आरो महत्वपूर्ण बात सब सिलसिलेवार एना छलः
१. भारत जखन २० वर्ष पहिने आतंकवाद पर बाजय त कहल जाएत रहैक जे ई ला एण्ड आर्डर केर बात थिकैक आर भारतक बात केँ मोजर नहि करय। आब आतंकवादी स्वयं आतंकवादक परिभाषा विश्व समुदायक सोझाँ राखि देलक अछि, हमरा सबकेँ बुझाबय नहि पड़ैत अछि। भारत स्वस्फूर्त आतंकवाद केँ जैड़ सँ खत्म करबाक अपन नियति दुनियाक सोझाँ स्पष्ट कय चुकल अछि।
२. भारत आतंकवादक पीड़ा भोगैत आबि रहल अछि। संसार केँ ई बुझय मे नहि आबि रहल छलैक। हम सब आतंकवादक खतरनाक प्रभाव केँ दुनियाक सोझाँ राखय मे सफल भेलहुँ अछि।
३. भारत जखन सर्जिकल स्ट्राइक केलक त दुनिया केँ हमरा सभक सामर्थ्य केर अनुभव भेलैक आर ईहो बुझय मे एलैक जे भारत संयम बरतैत अछि मुदा अपन शक्ति बेर पर मे प्रदर्शन कय सकैत अछि।
४. भारत वैश्विक स्थिति अनुरूप सभक संग चलय मे विश्वास रखैत अछि। ग्लोबल रूल सँ बिपरीत जा कय कोनो लक्ष्य हासिल करय मे भारत विश्वास नहि करैत अछि। यैह भारतक परंपरा आ संस्कृति रहलैक अछि। चीन द्वारा दक्षिणी चाइना सागर मे शान्तिक बात पर प्रधानमंत्री अपन भावना प्रकट कएलनि।
५. अहाँ सभक मोन मे सदैव अपन देश कहिया अमेरिका जेकाँ बनि जायत से सोचैत रहैत अछि, हम वादा करैत छी जे ई अहाँ सभक जीवनकाल मे संभव होयत।
६. भारतीय मूल केर लोकक सफलता आ क्रियाशीलता विश्व हित मे सब दिन होएत रहल अछि। अहाँ सब सेहो वैह समुदाय थिकहुँ, आर अहाँक सफलताक खास वजह अछि, ओ थिक सहयोगी वातावरण जे अमेरिका मे अहाँ सबकेँ भेट रहल अछि।
७. १२५ करोड़ एतबा टैलेन्टेड भारतीय ओतय भारत मे अछि, ओकरो सबकेँ आब सहयोगी माहौल भेटय लागल छैक, आर जल्दिये हम सब भारतक विकास करब। आइ, काश्मीर सँ कन्याकुमारी धरिक १२५ करोड़ भारतीय जनमानस अपना देश वास्ते किछु करबाक लेल ठानि लेने अछि, देश एहेन गति सँ विकास कय रहल अछि जे पहिने कहियो नहि देखल गेल छल।
८. पूर्वक सरकार जे बदैल देल गेल से मात्र भ्रष्टाचार केर कारण… आम जनता केँ भ्रष्टाचार सँ घृणा छैक। पैछला ३ सालक हमरा लोकनिक सरकार मे कोनो टा छोटो कलंकक धब्बा नहि लागल अछि। राज्य-संचालन पद्धति मे काफी सुुधारोन्मुखी परिवर्तन आनल जा रहल अछि जाहि सँ ईमानदारिता आन्तरिक संयंत्र बनिकय रहत, टेक्नोलौजी काफी मदैद कय रहल अछि एहि मे।
९. विदेश मामिलाक मंत्रालय द्वारा सोशल मीडियाक उपयोग कोना कएल जा सकैछ से देखायल गेल अछि। पहिल बेर एहेन भेल अछि जे अत्यन्त गरीब भारतीय तक केँ रक्षा लेल मंत्रालय ठाढ भेल अछि। यदि अहाँ सब केँ कनिको टा समस्या होयत त भारतीय राजदूतावास एकर तुरन्त समाधान निकालत।
१०. अहाँ सब अपन परिवारक लोक छी जे अमेरिका मे सेटल्ड छी… अपन परिवारक लोक संग भेंट करबा जेकाँ एखन हमरा खुशी हमरा भेट रहल अछि। जँ अहाँ सब भारत केँ किछु देबय चाहैत छी त एहि पुनीत कार्य लेल वर्तमान समय बड़ा नीक अछि। भारत संग जुड़ल रहू। अहाँक ऐगला पीढी भारत संग मजबूत जुड़ाव केँ निरंतरता दैत रहय।