Search

जखन अनाथ शबाना ईद मनेबाक लेल DM सँ मांगलक मदैद तऽ घर पर आबि गेल पूरा प्रशासनिक अमला

समाचार साभारः एनडीटीवी आनलाइन
 
वाराणसी केर मंडुवाडीह इलाकाक रहयवाली शबानाक घर ईद केर कोनो तैयारी नहि रहैक। केकरो पास नव कपड़ा नहि रहैक कियैक तऽ शबानाक घरक आर्थिक अवस्था एहेन नहि छलैक जे ईद केर तैयारी कय सकैत।
 
उदास शबानाक दिमाग मे एकटा विचार एलैक आर ओ जिलाक जिलाधिकारीक नंबर पता केलक आर फेर फौरन एकटा मैसेज पठा देलक जाहि मे लिखने रहय, “डीएम सर, नमस्ते, मेरा नाम शबाना है और मुझे आपकी थोड़ी सी हेल्प की जरूरत है। सर सबसे बड़ा त्यौहार ईद है। सब लोग नए कपड़े पहनेंगे लेकिन हमारे परिवार में नए कपड़े नहीं आए। मेरे माता-पिता नहीं हैं। २००४ में इंतकाल हो चुका है। मेरे घर में मैं और मेरी नानी और छोटा भाई है सर।”
 
काशी विद्यापीठ विकासखंड केर मंडुआडीह थाना अंतर्गत शिवदासपुर निवासी बिना माय-बापक शबानाक ई मैसेज जिलाधिकारी योगेश्वर राम मिश्र केर मोबाइल पर ईद सँ १ दिन पहिने रवि दिन केँ दुपहर मे भेटलैन। दिल-दिमाग केँ हिलाकय राखि देबयवला ई मैसेज पढिते जिलाधिकारी योगेश्वर राम मिश्र द्वारा शबाना केँ ईद केर ईदी देबाक मोन बना लेलनि। ओ उप-जिलाधिकारी सदर सुशील कुमार गौड़ केँ तत्काल तलब कएलनि आर निर्देश देलनि जे सोम दिन केँ ईद सँ पहिने हुनका दिशि सँ शबाना और ओकर नानी आ छोट भाइ केँ नव कपड़ा, मिठाई, और ईद केर सेवई लेल पैसा तत्काल पहुँचा दैथ।
 
उप जिलाधिकारी सदर सुशील कुमार गौड़ सेहो आनन-फानन मे शबाना केर वास्ते सलवार-सूट, ओकर नानी लेल साड़ी एवं ओकर छोट भाइ केर वास्ते जींसक पैंट और टीशर्ट उपहार केर रूप मे पैक कराबैत, मिठाई लय केँ शबानाक घर पहुंचि गेलाह। एतेक रास अफसर सबकेँ घर पर आयल देखि शबाना डरा गेल मुदा जखन पता चललैक जे ओकर मैसेज केँ देखिकय जिलाधिकारी द्वारा ओकरा वास्ते ईदी पठायल गेल अछि तखन ओकरा खुशीक ठेगान नहि रहि गेलेक। ओकरा विश्वासे नहि भऽ रहल छलैक जे जिलाधिकारी केँ मोबाइल मैसेज सँ अपन व्यथा सुनेलाक बाद एतेक जल्दी फरियाद पर गौर कय लेल जेतैक।
 
शबानाक आंखि सँ नोर बहय लगलैक। ओ उपजिलाधिकारी सुशील कुमार गौड़ सँ जिलाधिकारीक पठायल ईद केर ईदी प्राप्त कय खूब मोन सँ धन्यवाद देलक। अधिकारी सब केँ शबानाक घर अचानक पहुंचिते देरी आसपासक लोक मे सेहो एकाएक हलचल मैच गेल छल। जेनाही लोक सब ई बात बुझलक जे जिलाधिकारी योगेश्वर राम मिश्र द्वारा शबानाक मोबाइल मैसेज पर ओकरा ईद केर ईदी अधिकारीक हाथे पठायल गेलैक अछि, लोक सब सेहो जिलाधिकारी केर एहि मानवीय पक्ष पर जिलाधिकारी केँ भरपूर बधाई देलक।

Related Articles