Search

गीताः पाँचम अध्याय (अंग्रेजी, हिन्दी आ मैथिली अनुवाद)

5 भ्यूज

श्री परमात्मने नमः !!

॥अथ पञ्चमोऽध्यायः॥

अर्जुन उवाच ।

संन्यासं कर्मणां कृष्ण पुनर्योगं च शंससि ॥
यच्छ्रेय एतयोरेकं तन्मे ब्रूहि सुनिश्चितम् ॥५-१॥

Arjuna said:
Renunciation of action, O Krishna, thou commendest, and again, its performance. Which is the better one of these? Do thou tell me decisively.

In IV. 18, 19, 21, 22, 24, 32, 33, 37 and 41, the Lord has spoken of the renunciation of actions; and in IV 42, He has exhorted Arjuna to engage in Yoga, in performance of action. Owing to the mutual opposition between the two, which makes it impossible for one man to resort to both of them at the same time, doubt arises in the mind of Arjuna, and hence the question as above.

Its Performance: – “Yoga” in the text: Yoga here and in the following verses means Karma-Yoga.

अर्जुन ने कहा:

हे कृष्ण, आप कर्म के त्याग की सलाह देते हैं, और फिर उसके करने की भी । इनमें से कौन सा बेहतर है ? आप मुझे पक्के तौर पर बताएं ।

चैप्टर ४. १८, १९, २१, २२, २४, ३२, ३३, ३७ और ४१ में, भगवान ने कर्मों के त्याग के बारे में बात की है; और ४. ४२ में, उन्होंने अर्जुन को योग में, कर्म करने के लिए कहा है । दोनों के बीच आपसी विरोध के कारण, जिससे एक आदमी के लिए एक ही समय में दोनों का सहारा लेना नामुमकिन हो जाता है, अर्जुन के मन में शक पैदा होता है, और इसलिए ऊपर जैसा सवाल उठता है ।

इसका करना: – पाठ में “योग”: यहां और आगे के श्लोकों में योग का मतलब कर्म-योग है ।

अर्जुन कहलनि:

हे कृष्ण, अपने कर्म केँ त्याग करबाक सलाह दैत छी, आर फेर ओकरा करबाक सेहो । एहि मे सँ कोन बेसी नीक अछि ? अपने हमरा सुनिश्चित रूप सँ कहल जाउ ।

चैप्टर ४. १८, १९, २१, २२, २४, ३२, ३३, ३७ आ ४१ मे, भगवान कर्म सभक त्याग केर बारे मे बात कयलनि अछि; आर ४. ४२ मे, ओ अर्जुन केँ योग मे, कर्म करबाक लेल कहलनि अछि । दुनूक बीच परस्पर विरोधक कारण, जाहि सँ एक आदमी लेल एक्के समय दुनू बातक सहारा लेनाय असम्भव भ’ जाइत छैक, अर्जुन केर मन मे सन्देह उत्पन्न भ’ जाइत छन्हि, आर तेँ उपर पुछल गेल जेकाँ सवाल उठैत छैक ।

एकरा कयनाय: – पाठ में “योग”: एतय आ आगाँक श्लोक सब मे योग केर मतलव कर्म-योग अछि ।

श्री भगवानुवाच ।

संन्यासः कर्मयोगश्च निःश्रेयसकरावुभौ ॥
तयोस्तु कर्मसंन्यासत्कर्मयोगो विशिष्यते ॥५-२॥

The Blessed Lord said:
Both renunciation and performance of action lead to freedom; of these, performance of action is superior to the renunciation of action.

Performance of action – is superior to mere renunciation that is unaccompanied with knowledge in the case of the novice in the path of spirituality. See the sixth sloka of this chapter.

भगवान ने कहा:
त्याग और कर्म करना दोनों ही मुक्ति की ओर ले जाते हैं; इनमें से कर्म करना, कर्म के त्याग से बेहतर है ।

अध्यात्म के मार्ग में नए व्यक्ति के लिए, कर्म करना, ज्ञान के बिना किए गए त्याग से बेहतर है । इस अध्याय का छठा श्लोक देखें ।

भगवान कहलनि:

त्याग आर कर्म करब दुनू मुक्ति दिश लय जाइत अछि; एहि मे सँ कर्म करब, कर्म केर त्याग सँ बेसी नीक अछि । 

अध्यात्म केर मार्ग मे नव व्यक्तिक वास्ते, कर्म करब, ज्ञान केर बिना कयल गेल (कर्मक) त्याग सँ बेसी नीक अछि । एहि अध्याय केर छठम श्लोक देखब ।

ज्ञेयः स नित्यसंन्यासी यो न द्वेष्टि न कांक्षति ॥
निर्द्वन्द्वो हि महाबाहो सुखं बन्धात्मप्रमुच्यते ॥५-३॥

He should be known a constant Sannyasi, who neither likes nor dislikes; for, free from the pairs of opposites, O mighty-armed, he is easily set free from bondage.

Constant Sannyasi: he need not have taken Sannyasa formally, but if he has the above frame of mind, he is a Sannyasi for ever and aye.

Neither likes nor dislikes: Neither hates pain and the objects causing pain, nor desires pleasure and the objects causing pleasure, though engage in action.

उसे पक्का संन्यासी समझना चाहिए, जो न तो पसंद करता है और न ही नापसंद; क्योंकि, विपरीत जोड़ों से मुक्त, हे महाबाहु, वह आसानी से बंधन से मुक्त हो जाता है ।

पक्का संन्यासी: उसे औपचारिक रूप से संन्यास लेने की ज़रूरत नहीं है, लेकिन अगर उसकी सोच उपरोक्त कथन जैसी है, तो वह हमेशा के लिए संन्यासी है ।

न पसंद करता है और न नापसंद: न तो दर्द और दर्द देने वाली चीज़ों से नफ़रत करता है, न ही खुशी और खुशी देने वाली चीज़ों की इच्छा करता है, भले ही वह काम में लगा हो ।

ओकरा निश्चित संन्यासी बुझबाक चाही, जे नहि तँ पसिन करैत अछि आ न नापसिन; कियैक तँ, विपरीत जोड़ा सब सँ मुक्त, हे महाबाहु, ओ सहजता सँ बन्धन सँ मुक्त भ’ जाइत अछि । 

निश्चित संन्यासी: ओकरा औपचारिक रूप सँ संन्यास लेबाक कोनो जरुरत नहि छैक, मुदा अगर ओकर सोच उपरोक्त कथन (विपरीत जोड़ा सँ मुक्त जेहेन) छैक, त ओ हमेशा लेल संन्यासी छी ।

नहि तँ पसिन करैत अचि आ न नापसिन: नहि तँ दर्द या दर्द दयवाली चीज सँ घृणा करैत अछि, नहि तँ खुशी आ खुशी दयवाली चीज सभक इच्छा (लालसा) करैत अछि, भले ओ काज मे लागल अछि ।

सांख्ययोगौ पृथग्बालाः प्रवदन्ति न पण्डिताः ॥
एकमप्यास्थितः सम्यगुभयोर्विन्दते फलम् ॥५-४॥

Children, not the wise, speak of knowledge and performance of action, as distinct. He who truly lives in one, gains the fruits of both.

Children: the ignorant people devoid of insight into the purpose of the Sastra.

ज्ञान और कर्म को अलग-अलग मानने की बात बच्चे करते हैं, समझदार नहीं । जो सच में एक में रहता है, उसे दोनों का फल मिलता है ।

बच्चे: वे अज्ञानी लोग जिन्हें शास्त्र का मकसद नहीं पता ।

ज्ञान आ कर्म केँ अलग-अलग मनबाक बात बच्चा (अबोध) सब करैत अछि, बुझनुक (बोधसम्पन्न) लोक नहि । जे सच मे एकटा मे रहैत अछि, ओकरा दुनूक फल भेटैत छैक । 

बच्चा (अबोध): ओ अज्ञानी लोक जेकरा शास्त्र केर उद्देश्य नहि पता छैक ।

यत्सांख्यैः प्राप्यते स्थानं तद्योगैरपि गम्यते ॥
एकं सांख्यं च योगं च यः पश्यति स पश्यति ॥५-५॥

The plane which is reached by the Jnanis is also reached by the Karma-Yogis. He who sees knowledge and performance of actions as one alone sees.

ज्ञानी जिस स्तर पर पहुँचते हैं, वहीं कर्म-योगी भी पहुँचते हैं । जो ज्ञान और कर्मों को एक जैसा देखता है अकेला वही (सचमुच) देखता है ।

ज्ञानी लोक जाहि स्थान धरि पहुँचैत छथि, ओतहि कर्म-योगी लोक सेहो पहुँचैत छथि । जे ज्ञान आ कर्म केँ एक जेकाँ देखैत अछि असगर वैह (सचमुच) देखैत अछि (बाकी सत्य केँ नहि देखैत अछि) ।

संन्यासस्तु महाबाहो दुःखमाप्तुयोगतः ॥
योगयुक्तो मुनिर्ब्रह्म न चिरेणाधिगच्छति ॥५-६॥

Renunciation of action, O mighty-armed, is hard to attain to without performance of action; the man of meditation, purified by devotion to action, quickly goes to Brahman.

It is not that renunciation of action based on knowledge is not superior to performance of action, but that the latter method is easier for a beginner, and qualifies him for the higher path, by purifying his mind. Hence it is the proper, and therefore the superior course, in his case.

हे महाबाहु, कर्म किए बिना कर्म को त्याग पाना मुश्किल है; ध्यान करने वाला इंसान, कर्म में लगन से पवित्र होकर, शीघ्र ही ब्रह्म को प्राप्त करता है ।

ऐसा नहीं है कि ज्ञान के आधार पर कर्म का त्याग करना कर्म करने से बेहतर नहीं है, बल्कि कर्म करने वाला तरीका नए व्यक्ति के लिए आसान है, और उसके मन को शुद्ध करके उसे ऊंचे रास्ते के काबिल बनाता है । इसलिए उसके मामले में यह सही है और इसलिए बेहतर तरीका है ।

हे महाबाहु, कर्म कएने बिना कर्म केर त्यागो कय पेनाय कठिन अछि; ध्यान करयवला लोक, कर्म मे रुचि राखिकय पवित्र भेलापर, शीघ्रहि ब्रह्म केँ प्राप्त करैत अछि । 

एहेन नहि छैक जे ज्ञानक आधार पर कर्म केर त्याग कयनाय कर्म करय सँ बेसी नीक नहि छैक, बल्कि कर्म करयवला तरीका नव लोकक वास्ते सहज छैक, आर ओकर मन केँ शुद्ध कयकेँ ओकरा ऊँच मार्ग (रास्ता) वास्ते योग्य (काबिल) बनबैत छैक । तेँ ओकर मामिला मे यैह सही छैक आर तेँ बेसी नीक तरीको छैक ।

योगयुक्तो विशुद्धात्मा विजितात्मा जितेन्द्रियः ॥
सर्वभूतात्मभूतात्मा कुर्वन्नपि न लिप्यते ॥५-७॥

With the mind purified by devotion to performance of action, and the body conquered, and senses subdued, one who realises one’s self, as the self in all beings though acting, is not tainted.

कर्मों के प्रति समर्पित रहकर जिसका मन शुद्ध हो जाए, शरीर पर जीत हासिल हो जाए, इंद्रियाँ काबू में आ जाए, स्वयं की आत्मा को हर कर्मशील प्राणियों में स्वयं जैसा महसूस करे, ऐसा मनुष्य कर्म करते हुए भी कर्मों में लिप्त नहीं होता है । 

कर्मक प्रति समर्पित रहि जेकर मन शुद्ध भ’ गेल हो, शरीर पर जीत हासिल भ’ गेल हो, इंद्रिय सब काबू मे आबि गेल हो, स्वयं (अपना आप) केँ प्रत्येक कर्म करैत प्राणी सब मे अनुभव करय, तेहेन मनुष्य कर्म करितो कर्म सब मे लिप्त नहि होइत अछि । 

नैव किञ्चित्करोमीति युक्तो मन्येत तत्त्ववित् ॥
पश्यञ्छृण्वन्स्पृशञ्जिघ्रन्नश्नन्गछन्स्वपञ्छ्वसन् ॥५-८॥
प्रलपन्विसृजन्गृह्णन्नुन्मिषन्निमिषन्नपि ॥
इन्द्रियाणीन्द्रियार्थेषु वर्तन्त इति धारयन् ॥५-९॥

The knower of Truth, (being) centred (in the self) should think, “I do nothing at all” – though seeing, hearing, touching, smelling, eating, going, sleeping, breathing, speaking, letting go, holding, opening, and closing the eyes – convinced that it is the senses that move among sense objects.

सत्य को जानने वाले को, खुद में केंद्रित होकर सोचना चाहिए, “मैं कुछ भी नहीं करता” – देखने, सुनने, छूने, सूंघने, खाने, जाने, सोने, सांस लेने, बोलने, छोड़ने, पकड़ने, खोलने और आँखें बंद करने के बावजूद – यह मानते हुए कि इंद्रियां ही इंद्रियों के बीच घूमती हैं ।

सत्य केँ जानयवला केँ, स्वयं मे केन्द्रित रहिकय एना सोचबाक चाही, “हम किछुओ नहि करैत छी” – देखनाय, सुननाय, छुनाय, सुंघनाय, खेनाय, गेनाय, सुतनाय, सांस लेनाय, बजनाय, छोड़नाय, पकड़नाय, खोलनाय आ आँखि बन्द कयनाय केर बादो – ई मानैत जे इंद्रिय सब इंद्रिय सभक बीच घुमैत अछि । 

ब्रह्मण्याधाय कर्माणि सङ्गं त्यक्त्वा करोति यः ॥
लिप्यते न स पापेन परापत्रमिवाम्भसा ॥५-१०॥

He who does actions forsaking attachment, resigning them to Brahman, is not soiled by evil, like unto a lotus-leaf by water.

Evil: the results, good and bad, producing bondage.

वह जो आसक्ति छोड़कर, ब्रह्म को समर्पित करते हुए कर्म करता है, वह किसी भी तरह के बुराई से गंदा (स्पर्शित, अपवित्र) नहीं होता, जैसे कमल का पत्ता पानी से नहीं होता ।

बुराई: अच्छे और बुरे नतीजे, जो बंधन पैदा करते हैं ।

ओ (लोक) जे आसक्ति छोड़िकय, सबटा ब्रह्म केँ अर्पित कयकेँ कर्म करैत अछि, ओ कोनो तरहक खराबी सँ गन्दा (छुआइत, अपवित्र) नहि होइछ, जेना कमलक पात पानि सँ नहि होइछ ।

खराबी: नीक आ बेजा कर्मफल (परिणाम), जे बंधन उत्पन्न करैत अछि ।

कायेन मनसा बुद्ध्या केवलैरिन्द्रियैन्द्रियैरपि ॥
योगिनः कर्म कुर्वन्ति सङ्गं त्यक्त्वात्मशुद्धये ॥५-११॥

Devotees in the path of work perform action, only with body, mind, senses and intellect, forsaking attachment, for the purification of the heart.

Only with etc. – without egotism of selfishness; it applies to body, mind, senses and intellect.

कर्म मार्ग में भक्त, आसक्ति को छोड़कर, सिर्फ़ शरीर, मन, इंद्रियों और बुद्धि से, दिल की शुद्धि के लिए कर्म करते हैं ।

सिर्फ़ आदि से – बिना स्वार्थ के अहंकार के; यह शरीर, मन, इंद्रियों और बुद्धि पर लागू होता है ।

कर्म मार्ग में भक्त, आसक्ति केँ छोड़िकय, मात्र शरीर, मन, इंद्रिय आर बुद्धि सँ, हृदय केर शुद्धिक लेल कर्म करैत छथि । 

सिर्फ आदि सँ – बिना स्वार्थक अहंकार केर; ई शरीर, मन, इंद्रिय आर बुद्धि पर लागू होइत अछि ।

युक्तः कर्मफलं त्यक्त्वा शान्तिमाप्नोति नैष्ठिकीम् ॥
अयुक्तः कामकारेण फले सक्तो निबध्यते ॥५-१२॥

The well-poised, forsaking the fruit of action, attains peace, born of steadfastness; the unbalanced one, led by desire, is bound by being attached to the fruit (of action).

Born of steadfastness: Shankara explains Naishthikim as gradual perfection in the path of knowledge, having the following stages of development: (1) purity of heart, (2) gaining of knowledge, (3) renunciation of action, (4) steadiness in knowledge.

जो इंसान कर्म के फल को छोड़कर संतुलित (अच्छी स्थिति में) रहता है, उसे शांति मिलती है, जो कि दृढ़ता (नैष्ठिकता) से पैदा होती है; जो इंसान (विभिन्न तरह की) इच्छा के कारण असंतुलित रहता है, वह (कर्म के) फल से जुड़ा रहकर बंधा रहता है ।

दृढ़ता से पैदा हुआ: शंकराचार्य नैष्ठिकम को ज्ञान के मार्ग में धीरे-धीरे पूर्णता के रूप में समझाते हैं, जिसमें विकास के ये चरण होते हैं: (१) हृदय की पवित्रता, (२) ज्ञान प्राप्त करना, (३) कर्म का त्याग, (४) ज्ञान में स्थिरता ।

जे लोक कर्म केर फल केँ छोड़िकय संतुलित (नीक स्थिति मे) रहैत अछि, ओकरा शान्ति भेटैत छैक, जे कि दृढ़ता (नैष्ठिकता) सँ उत्पन्न होइत छैक; जे लोक (विभिन्न तरहक) इच्छाक कारण असंतुलित रहैत अछि, ओ (कर्म केर) फल सँ जुड़ल रहिकय बन्हायल रहैत अछि ।

दृढ़ता सँ उत्पन्न भेल: शंकराचार्य नैष्ठिकम केर ज्ञानक मार्ग मे धीरे-धीरे पूर्णता अयबाक रूप मे बुझबैत छथि, जाहि मे विकास केर ई चरण सब होइत छैक: (१) हृदय केर पवित्रता, (२) ज्ञान प्राप्त कयनाय, (३) कर्म केर त्याग, (४) ज्ञान मे स्थिरता ।

सर्वकर्माणि मनसा संन्यस्यास्ते सुखं वशी ॥
नवद्वारे पुरे देही नैव कुर्वन्न कारयन् ॥५-१३॥

The subduer (of the senses), having renounced all actions by discrimination rests happily in the city of the nine gates, neither acting, nor causing (others) to act.

All actions – 1. Nitya or obligatory – the performance of which does not produce any merit while the non-performance produces demerit. 2. Naimittika – those arising on the occurrence of some special events, as the birth of a son; these also are customary. 3. Kamya – those intended for securing some special ends; these are only optional. 4. Nisiddha – forbidden. He rests happily in the body (of nine organic openings), seeing inaction in action; just exhausting his Prarabdha – not relating or identifying himself with anything of the dual universe.

(इंद्रियों को) वश में करने वाला, विवेक से सभी कर्मों को त्यागकर नौ द्वार (दरबाजों) वाले पुरी (शरीररूपी नगर) में खुशी से रहता है, न तो खुद कुछ करता है, न ही दूसरों से करवाता है ।

सभी कर्म – १. नित्य या ज़रूरी – जिन्हें करने से कोई पुण्य नहीं मिलता, जबकि न करने से पाप लगता है । २. नैमित्तिक – जो किसी खास घटना के होने पर होते हैं, जैसे बेटे का जन्म; ये भी पारम्परिक कर्म हैं । ३. काम्य – जो किसी खास मकसद को पूरा करने के लिए होते हैं; ये सिर्फ़ ऐच्छिक हैं । ४. निषिद्ध – मना किया हुआ । वह (नौ खुले आंगिक भाग – ९ खुला दरबाजावाला) शरीर में खुशी से रहता है, कर्म में अकर्म को देखता है; बस अपना प्रारब्ध पूरा करता है – दोहरी दुनिया की किसी भी चीज़ से खुद को जोड़ता या पहचानता नहीं है ।

(इंद्रिय केँ) वश मे करयवला, विवेक सँ सब कर्म केँ त्यागिकय नौ द्वार (दरबज्जा) वला पुरी (शरीररूपी नगर) मे खुशी सँ रहैत अछि, नहि तँ अपने किछु करैत अछि, नहिये दोसर सँ किछु करबावैत अछि । 

सब कर्म – १. नित्य या जरूरी – जेकरा कयला सँ कोनो पुण्य नहि भेटैछ, लेकिन नहि कयला सँ पाप लगैत अछि । २. नैमित्तिक – जे कोनो खास प्रयोजनक अवसर पर होइत अछि, जेना बेटाक जन्म; ई सेहो पारम्परिक कर्म थिक । ३. काम्य – जे कोनो खास उद्देश्य केर पूर्ति करबाक लेल होइत अछि; ई सिर्फ ऐच्छिक थिक । (ऐच्छिक माने – मन भेल करू, नहि भेल नहि करू । अनिवार्य कर्म नहि थिक ई ।) ४. निषिद्ध – मना कयल गेल कर्म । ओ (नौ खुला आंगिक भाग – ९ खुला दरबाजावला) शरीर मे खुशी सँ रहैत अछि, कर्म मे अकर्म केँ देखैत अछि; बस अपन प्रारब्ध पूरा करैत अछि – दोहरा दुनियाक कोनो चीज सँ अपना केँ जोड़ैत वा पहिचानैत नहि अछि ।

न कर्तृत्वं न कर्माणि लोकस्य सृजति प्रभुः ॥
न कर्मफलसंयोगं स्वभावस्तु प्रवर्तते ॥५-१४॥

Neither agency, nor actions does the Lord create for the world, nor (does He bring about) the union with the fruit of action. It is universal ignorance that does (it all).

भगवान दुनिया के लिए न तो कोई कर्ताभाव (कर्तापन) बनाते हैं, न ही कोई कर्म, और न ही वे कर्म के फल से मिलन कराते हैं । यह तो सार्वभौमिक अज्ञानता (सर्वव्यापी अनभिज्ञता) है जो (यह सब) करती है ।

भगवान एहि दुनियाक लेल नहि तँ कोनो कर्तृत्व (यानि कर्तापन, कोनो कार्य करबाक भावना) बनबैत छथि, नहिये कोनो काज (कर्म), आ न ओ काजक फल सँ मिलन करबैत छथि । ई तऽ सार्वभौमिक अज्ञानता (सर्वव्यापी अनभिज्ञता) थिक जे (ई सब काज) करैत अछि ।

नादत्ते कस्यचित् पापं न चैव सुकृतं विभुः ॥
अज्ञानेनावृतं ज्ञानं तेन मुह्यन्ति जन्तवः ॥५-१५॥

The Omnipresent takes note of the merit or demerit of none. Knowledge is enveloped in ignorance, hence do beings get deluded.

In unmistakable words, Krishna describes the position of Isvara, or the Lord, in relation to the Universe, in these two verses. (14 and 15 of Chapter 5)

He is all blissful, all-perfect; even the shadow of a motive or relation in Him, would be contradictory to His nature. His mere proximity to Prakriti or Nature endues the latter with power and potency of causing all that is. Jiva is bound so long as it relates itself to, and identifies itself with, this Nature. When it ceases to do so, it attains freedom. The whole teaching of the Gita, and therefore of the whole Hindu scripture, on this subject, is condensed in the above.

सर्वव्यापी किसी के गुण या दोष पर ध्यान नहीं देते । ज्ञान अज्ञान से ढका हुआ है, इसलिए प्राणी मोह में पड़ जाते हैं ।

स्पष्ट शब्दों में, कृष्ण इन दो छन्दों में ब्रह्मांड के संबंध में ईश्वर या भगवान की स्थिति का वर्णन करते हैं । (अध्याय ५ के १४ और १५)

वह सर्वथा आनंदमय, सर्वपरिपूर्ण हैं; यहां तक ​​कि उनमें किसी उद्देश्य या संबंध की छाया भी, उनके स्वभाव के विपरीत होगी । प्रकृति या प्रकृति के साथ उनकी निकटता प्रकृति को वह सब कुछ उत्पन्न करने की शक्ति और क्षमता प्रदान करती है । जीव तब तक बंधा हुआ है जब तक वह स्वयं को इस प्रकृति से जोड़ता है, और उसके साथ अपनी पहचान बनाता है । जब वह ऐसा करना बंद कर देता है, तो उसे स्वतंत्रता प्राप्त हो जाती है । इस विषय पर गीता की पूरी शिक्षा, और इसलिए पूरे हिंदू धर्मग्रंथ की, उपरोक्त में संक्षेपित है ।

सर्वव्यापी (भगवान) केकरहु गुण या दोष पर ध्यान नहि दैत छथिन । ज्ञान अज्ञान सँ झाँपल अछि, तेँ जीव (प्राणी) मोह मे पड़ि जाइत अछि । 

स्पष्ट शब्द मे, कृष्ण एहि दुइ छन्द मे ब्रह्मांड केर सम्बन्ध मे ईश्वर या भगवानक स्थिति केर वर्णन करैत छथि । (अध्याय ५ केर १४ आ १५ श्लोक मे)

ओ सर्वथा आनन्दमय, सर्वपरिपूर्ण छथि; एतय धरि जे हुनका मे कोनो उद्देश्य या सम्बन्ध केर छाँहो तक, हुनकर स्वभावक विपरीत होयत । प्रकृति संग हुनक निकटता प्रकृति केँ ओ सब किछु उत्पन्न करबाक शक्ति आ क्षमता प्रदान करैत अछि । जीव ताबत धरि बान्हल अछि जाबत धरि स्वयं केँ एहि प्रकृति सँ जोड़ैत अछि, आर ओकरा संग अपन पहिचान स्थापित करैत अछि । जखन ओ एना कयनाय बन्द कय दैत अछि, त ओ स्वतंत्रता प्राप्त कय लैत अछि । एहि विषय पर गीताक पूरा शिक्षा, आर तेँ पूरे हिन्दू धर्मग्रंथ केर, उपरोक्त मे संक्षेपित अछि ।

ज्ञानेन तु तदज्ञानं येषां नाशितमात्मनः ॥
तेषामादित्यवज्ज्ञानं प्रकाशयति तत्परम् ॥५-१६॥

But whose ignorance is destroyed by the knowledge of Self – that knowledge of theirs, like the sun, reveals the Supreme (Brahman).

तद्बुद्धयस्तदात्मानस्तन्निष्टास्तत्परायणाः ॥
गच्छन्त्यपुनरावृत्तिं ज्ञाननिर्धूतकल्मषाः ॥५-१७॥

Those who have their intellect absorbed in That, whose self is That, whose steadfastness is in That, whose consummation is That, their impurities cleansed by knowledge, they attain to non-return (Moksha).

विद्याविनयसंपन्ने ब्राह्मणे गवि हस्तिनि ॥
शुनि चैव श्वपाके च पण्डिताः समदर्शिनः ॥५-१८॥

The knowers of the Self look with an equal eye on a Brahmana endowed with learning and humility, a cow, an elephant, a dog, and a pariah.

Because they can see nothing but the Self. It makes no difference to the sun whether it be reflected in the Ganga, in wine, in a small pool, or in any unclean liquid; the same is the case with the Self. No Upadhi (or limiting adjunct) can attach to it.

इहैव तैर्जितः सर्गो येषां साम्ये स्थितं मनः ॥
निर्दोषं हि समं ब्रह्म तस्माद्ब्रह्मणि ते स्थिताः ॥५-१९॥

(Relative) existence has been conquered by them, even in this world, whose mind rests in evenness, since Brahman is even and is without imperfection; therefore they indeed rest in Brahman.

Relative existence: All bondage as of birth, death, etc. All possibility of bondage is destroyed when the mind attains perfect evenness, which in other words means – becoming Brahman.

न प्रहृष्येत् प्रियं प्राप्य नोद्विजेत्प्राप्य चाप्रियम् ॥
स्थिरबुद्धिरसंमूढो ब्रह्मविद्ब्रह्मणि स्थितः ॥५-२०॥

Resting in Brahman, with intellect steady, and without delusion, the knower of Brahman neither rejoiceth on receiving what is pleasant, nor grieveth on receiving what is unpleasant.

बाह्यस्पर्शेष्वसक्तात्मा विन्दत्यात्मनि यत्सुखम् ॥
स ब्रह्मयोगयुक्तात्मा सुखमक्षयमश्नुते ॥५-२१॥

Wit the heart unattached to external objects, he realises the joy that is in the Self. With the heart devoted to the meditation of Brahman, he attains undecaying happiness.

Heart: Antah-Karana.

ये हि संस्पर्शजा भोगा दुःखयोनय एव ते ॥
आद्यन्तवन्तः कौन्तेय न तेषु रमते बुधः ॥५-२२॥

Since enjoyments that are contact-born are parents of misery alone, and with beginning and end, O son of Kunti, a wise man does not seek pleasure in them.

शक्नोतीहैव यः सोढुं प्राक्शरीरविमोक्षणात् ॥
कामक्रोधोद्भवं वेगं स युक्तः स सुखी नरः ॥५-२३॥

He who can withstand in this world, before the liberation from the body, the impulse arising from lust and anger, he is steadfast (in Yoga), he is a happy man.

योऽन्तःसुखोऽन्तरारामस्तथाऽन्तर्ज्योतिरेव च ॥
स योगी ब्रह्मनिर्वाणं ब्रह्मभूतोऽधिगच्छति ॥५-२४॥

Whose happiness is within, whose relaxation is within, whose light is within, that Yogi alone, becoming Brahman, gains absolute freedom.

Within: in the Self.

Absolute freedom: Brahma-Nirvana. He attains Moksa while still living in the body.

लभन्ते ब्रह्मनिर्वाणमृषयः क्षीणकल्मषाः ॥
छिन्नद्वैधा यतात्मानः सर्वभूतहिते रताः ॥५-२५॥

With imperfections exhausted, doubts dispelled, senses controlled, engaged in the good of all beings, the Rsis obtain absolute freedom.

Rsis: Men of right vision and renunciation.

कामक्रोधवियुक्तानां यतीनां यतचेतसाम् ॥
अभितो ब्रह्मनिर्वाणं वर्तते विदितात्मनाम् ॥५-२६॥

Released from lust and anger, the heart controlled, the Self realised, absolute freedom is for such Sannyasins, both here and hereafter.

@all

Take very special notes on these verses from chapter v, it may be little tougher to understand these absolutely, but present translations give total idea to us.

स्पर्शान् कृत्वा बहिर्बाह्यांश्चक्षुश्चैवान्तरे भ्रुवोः ॥
प्राणापानौ समौ कृत्वा नासाभ्यन्तरचारिणी ॥५-२७॥
यतेन्द्रियमनोबुद्धिर्मुनिर्मोक्षपरायणः ॥
विगतेच्छाभयक्रोधो यः सदा मुक्त एव सः ॥५-२८॥

Shutting out external objects; steadying the eyes between the eyebrows; restricting the even currents of Prana and Apana inside the nostrils; the senses, mind, and intellect controlled; with Moksa as the supreme goal; freed from desire, fear, and anger: such a man of meditation is verily free for ever.

External objects: Sound and other sense-objects. External objects are shut out from the mind by not thinking of them. When the eyes are half-closed in meditation, the eye-balls remain fixed, and their gaze converges, as it were, between the eyebrows. Prana is the outgoing breath, Apana the incoming; the restriction described is effected by Pranayama.

These two verses are the aphorisms of which the following chapter is the commentary.

भोक्तारं यज्ञतपसां सर्वलोकमहेश्वरम् ॥
सुहृदं सर्वभूतानां ज्ञात्वा मां शान्तिमृच्छति ॥५-२९॥

Knowing Me as the dispenser of Yajnas and asceticisms, as the Great Lord of all worlds, as the friend of all beings, he attains Peace.

Dispenser: Both as author and goal, the Lord is the dispenser of the fruit of all actions.

Friend: Doer of good without expecting any return.

इति संन्यासयोगो नाम पंचमोऽध्यायः ॥

The end of the fifth chapter, designated, The Way of Renunciation.

Related Articles