न्युज साभारः एनडीटीवी आनलाइन
जून २५, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
अमेरिकाक संग भारतक संबंध केँ आरो गहिंर बनेबाक उम्मीद संग आर ओकरा नव दिशा देबाक इरादा लेने प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी दुइ दिनक यात्रा पर अमेरिका पहुंचि गेल छथि। ओहि पाँच घंटा मे बहुत किछु होयबाक आशा कएल जा रहल अछि, जे भेंटघाँट, बैठक तथा व्हाइट हाइस मे आयोजित भोज केर दौरान प्रधानमंत्री आर अमेरिकी राष्ट्रपति डोनाल्ड ट्रंप एक संग गुज़ारता। प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदीक आगमन सँ किछुए घंटा पहिले अमेरिकी राष्ट्रपति हुनका ‘सच्चा मित्र’ बतेलनि, जिनका संग हुनका सोम दिन केँ ‘महत्वपूर्ण रणनीतिक मुद्दा पर विचार-विमर्श’ करबाक छन्हि।
पीएम नरेंद्र मोदी केर अमेरिका यात्रा सँ जुड़ल १० खास बात…
- भारत तथा अमेरिकाक बीच रक्षा व ऊर्जा साझीदारी केँ मजबूत करब बातचीत केर बेहद जरुरी हिस्सा होयत। अपन यात्रा सँ पहिने प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी द्वारा ट्रंप प्रशासन केर संग बहु-स्तरीय और विस्तृत साझीदारी बनेबाक लेल दूरंदेशी दृष्टिकोण स्थापित करबाक मंशा ज़ाहिर कएने छलाह। फोन पर एक-दोसर सँ तीन बेर बात कय चुकल राष्ट्रपति डोनाल्ड ट्रंप तथा प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी केर बीच मे सोम दिन केँ पहिले बेर सोझाँ-सोझी भेंटघाँट होयत। बातचीत केर दौरान तीन मुद्दा पर खास ध्यान देल जेबाक उम्मीद कयल जा रहल अछि – रक्षा, आतंकवाद और ऊर्जा।
- सब बात केँ देखैत दुनू नेता एक-दोसराक संग लगभग पांच घंटा बितेता। सबसँ पहिने दुनू नेताक बीच भेंटघाँट होयत, आर फेर शिष्टमंडल स्तर केर बैठक मे, कॉकटेल पार्टी केर दौरान और व्हाइट हाउस मे आयोजित रात्रिभोज मे सेहो दुनू नेता एक दोसराक संग समय बितेता। डोनाल्ड ट्रंप केर राष्ट्रपति पद पर आसीन भेलाक बाद कोनो विदेशी नेता लेल व्हाइट हाउस मे आयोजित होमय जा रहल ई पहिल रात्रिभोज होयत।
- अमेरिका द्वारा भारतीय नौसेना केँ २२ गार्जियन गैर-हथियारबंद ड्रोन विमान केर बिक्री केँ मंज़ूरी देल गेनाय एहि यात्राक खास पहलू होयत, कियैक तँ ई सौदा कईएको साल सँ अटकल छल। २-३ अरब अमेरिकी डॉलर केर ई सौदा एहि बातक सबूत होयत जे अमेरिकाक लेल भारत ‘पैघ रक्षा साझीदार’ थिक, जखन कि अमेरिका पहिने सँ भारतक सबसँ पैघ हथियार आपूर्तिकर्ता थिक।
- प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी सँ भेंटघाँट केर दौरान अमेरिकी राष्ट्रपति द्वारा ऊर्जा साझीदारी पर ज़ोर देल जेबाक उम्मीद अछि, आर संयोग कहू जे ई यात्रा ताहि समय मे भऽ रहल अछि, जखन अमेरिका मे ऊर्जा सप्ताह मनायल जा रहल अछि। व्हाइट हाउस अधिकारिगण केर कहब अछि जे भारतीय ऊर्जा कंपनी द्वारा अरबों अमेरिकी डॉलर केर तरलीकृत पेट्रोलियम गैस (एलपीजी)क सौदा पर दस्तखत कयल गेल अछि।
- दुनू नेता अपन वार्ता केर खास पहलुक बारे मे जानकारी दैत बयान जारी करता। लेकिन जलवायु परिवर्तन, पेरिस समझौता तथा आव्रजन नियंत्रण केर मुद्दा पर यदाकदा अलग-अलग विचार राखयवाला दुनू नेता द्वारा पत्रकार लोकनिक सवाल-जवाब सत्र सँ परहेज़ कएलनि अछि।
- तीन देशक विदेश यात्रा केर दौरान अमेरिका पहुंचल प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी यात्रा मे सबसँ पहिले दुनियाक पैघ कंपनि सबहक मुख्य कार्यकारी अधिकारी लोकनिक संग ब्रेनस्टॉर्मिंग सत्र में भाग लेता। २०० साल पुरान विल्लार्ड होटल मे आयोजित होमय जा रहल एहि सत्र मे अमेज़न केर प्रमुख जेफ बेज़ोस, एप्पल केर टिम कुक, माइक्रोसॉफ्ट केर सत्या नडेला और गूगल केर सुंदर पिचाई केर सेहो शामिल होयबाक संभावना अछि। मानल जा रहल अछि जे प्रधानमंत्री एहि सीईओ सब केँ ओहि कदमक बारे मे जानकारी देता, जे हुनकर सरकार द्वारा निवेश केँ प्रोत्साहित करबाक तथा प्रक्रिया केँ सरल बनेबाक लेल भारत मे उठायल गेल अछि, जाहि मे एकल कर प्रणाली जीएसटी सेहो शामिल अछि, जे १जुलाई सँ लागू होमय जा रहल अछि।
- एकरा बाद ओ बेहद नज़दीक वर्जीनियाक निकट एकटा इलाका मे आयोजित स्वागत भोज मे भारतीय समुदायक लोक सब सँ भेंटघाँट करता। गौर करयवला बात अछि जे अमेरिका मे लगभग ४० लाख भारतीय अमेरिकी बसैत अछि, और लगभग १,६६,००० भारतीय विद्यार्थी ओतय पढ़ाई सेहो कय रहल अछि। प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी केर अमेरिका पहुंचलापर भारतीय समुदायक लोक केर एक समूह द्वारा हुनकर शानदार स्वागत कएल जायत. भारतीय प्रधानमंत्रीक एक झलक पेबाक लेल भारतीय समुदाय केर लोक सभक एक समूह विलार्ड इंटर कॉन्टिनेन्टल होटल केर बाहर हुनकर इंतज़ार कय रहल छल, आर जेनाही पीएम केर गाड़ीक काफिला होटल पहुंचल, ओ अपना गाड़ी सँ बाहर निकलला आ हाथ हिलबिते समूहक लोक सब दिशि बढि गेला। जहिना लोक सब द्वारा पीएम केँ अपना दिशि अबैत देखल गेल, ओ सब खुशी सँ ‘मोदी-मोदी’ केर नारा लगाबय लगलाह। एहि बीच, अमेरिकी सीनेटर कमला हैरिस द्वारा ट्वीट कएल गेल अछि जे भारतीय प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी केर अमेरिका में स्वागत करैत छी आर दुनू देशक बीच अटूट जुड़ाव केर पुष्टि करैत छी। ओम्हर, ट्रंप प्रशासन सेहो कहलक अछि जे ओ पीएम मोदीक भव्य स्वागत करैत अछि, आर प्रशासन एहि बात पर सेहो ज़ोर देलक अछि जे ई कहब गलत होयत जे अमेरिका भारतक उपेक्षा कय रहल अछि या भारत पर ध्यान नहि दय रहल अछि।
- एक वरिष्ठ अधिकारी कहलनि, “राष्ट्रपति डोनाल्ड ट्रंप केँ बुझल छन्हि जे भारत अच्छाई लेल एकटा ताकत थिक और ई बात सोम दिन केर दौराक माध्यम सँ परिलक्षित होयत…” अधिकारीक मुताबिक, दुनिया केर दुइ सबसँ पैघ लोकतंत्र केर नेतागण बीच द्विपक्षीय बातचीत केर दौरान रक्षा सहयोग, आर्थिक संबंध केँ आगू बढ़ेनाय, असैन्य परमाणु समझौता, आतंकवाद सँ निपटबा लेल सहयोग, भारत-प्रशांत क्षेत्र मे सुरक्षा सहयोग पर चर्चा तथा एच-1बी कार्य वीज़ा केँ लय केँ भारत केर चिंता आदि पर चर्चा होयत.
- एहि सँ पहिने, एक वरिष्ठ प्रशासनिक अधिकारी बतौलनि जे पीएम नरेंद्र मोदी केर ई दौरा अमेरिका-भारत रणनीतिक भागीदारी केँ मजबूत करबाक लेल एक अवसर थिक, जाहि बारे मे डोनाल्ड ट्रंप केर नज़रिया अछि जे ई एशिया-प्रशांत क्षेत्र एवं विश्व मे स्थिरता और सुरक्षा केँ आगाँ बढ़ेबाक लेल एक महत्वपूर्ण भागीदारी होयत. अधिकारी द्वारा संवाददाता केँ कहल गेल, हमरा लगैत अछि जे हुनका लोकनिक चर्चा बहुत व्यापक होयत, जाहिमे कतेको क्षेत्रीय और वैश्विक मुद्दा सब शामिल होयत, जाहि मे हमरा लोकनिक साझा प्राथमिकता – आतंकवाद सँ मुकाबला, आर्थिक विकास तथा समृद्धि केँ गति देनाय आदि – केँ आगू बढ़ायब जरुरी होयत।