साहित्याङ्गनक मासिक गोष्ठी मेंहथ मे संपन्न – याद कएल गेलाह दुइ गोट महान दिग्गज

साहित्याङ्गन झंझारपुर द्वारा मेंहथ मे कीर्तिकुम्भ संपन्न

डा. रामसेवक झा, जून २७, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

निरंतर दोसर वर्ष हरेक मास मे आयोजित होएत आबि रहल साहित्याङ्गन कीर्तिकुम्भ नामक साहित्यिक गोष्ठी एहि मास बीतल रवि दिन २५ जून केँ मधुबनी जिलाक प्रसिद्ध गाम मेंहथ मे सम्पन्न भेल अछि। मैथिली जिन्दाबाद केँ प्राप्त ‘हिन्दी विज्ञप्ति’ केर अनुवाद निम्न अछि।

साहित्याड़्गन केर कीर्तिकुम्भ मेंहथ गाम मे, दिग्गज सर्जकपर चर्चाक संग कविता पाठ
 
नरेन्द्र नाथ बिद्यालंकार एक स्वतंत्रता सेनानी केर संग-संग मैथिली आन्दोलनी सेहो छलाह। ओ पहिले-पहिल १९२९ ई. मे पटनाक राम मनोहर राय सेमिनरी मे फेर जेल प्रवासक दौरान १९३२ ई. मे जेलहि मे विद्यापति पर केन्द्रित श्रद्धांजलि सभाक आयोजन केलनि। हुनकहि द्वारा विद्यापति पद्य केर अनेक भाषाक पद्य सँ तुलनात्मक अध्ययन पुस्तक लिखलनि।जखन कि जनार्दन झा जनसीदन एक नामी उपन्यासकार, कवि, निबन्धकार तथा पत्रकार छलाह। ओ सामाजिक विकृति पर लोकक ध्यान आकृष्ट करबैत विभिन्न अंधविश्वास केर खण्डन कार्य करैत जनजागरणक महत्वपूर्ण अभियान चलौलनि। ई सभ बात क्रमशः कवि अमल झा तथा प्रो. केदार नाथ झा द्वारा साहित्याड़्गन केर साहित्यिक आयोजन ‘कीर्तिकुम्भ’ मे सभा केँ सम्बोधित करबाक क्रम मे बतायल गेल।
 
मैथिली कीर्तिकार लोकनिपर केन्द्रित साहित्याड़्गन केर मासिक समारोह रवि दिन मेंहथ गाम मे संपन्न भेल। ई आयोजन मैथिलीक दुइ दिग्गज नरेन्द्र नाथ दास बिद्यालंकार तथा जनार्दन झा जनसीदन पर केन्द्रित छल। आजुक आयोजन मे मैथिलीक सरसकवि ईश नाथ झा, बैद्यनाथ मिश्र यात्री, कुलानन्द नन्दन और कुलानन्द मिश्र केर प्रति सेहो उपस्थित विशिष्ट व समस्त अतिथि लोकनि श्रद्धांजलि देलनि। एहि सभाक अध्यक्षता प्रो. केदार नाथ झा द्वारा कएल गेल, कवि सह पत्रकार प्रीतम निषाद व कमलेश झा बतौर मुख्य अतिथि उपस्थित छलाह। संचालन संस्थापक अध्यक्ष मलय नाथ मण्डन अपने कएलनि।
 
समारोहक शुरूआत खुश्बू कुमारी, कुमारी साक्षी, प्राची किरण आ संध्या झा द्वारा गोसउनी गीत शिक्षक श्याम सुन्दर झा केर प्रस्तुति संग भेल ।समारोह मे गजलकार रमेश्वर निशांत केर अध्यक्षता मे काव्य संसार केर सत्र सेहो आयोजित छल। कवि अमरनाथ झा, मलय नाथ मण्डन, डाॅ. रामसेवक झा, नारायण झा, रामप्रीत पासवान, संजीव शमा, सुशान्त झा अवलोकित, बिद्याचन्द्र झा बमबम, आनन्द मोहन झा, अनिल ठाकुर एवं विजय शंकर झा, पंजीकार विभूति नाथ झा द्वारा कविता पाठ कएल गेल छल। एहि काव्य पाठ सत्रक संचालन डाॅ. राम सेवक झा केलनि। जखन कि श्यामानन्द शाण्डिल्य, उदय नाथ उदयन, अनुराग मिश्र, कुवलय नाथ सनातन, कुमकुम झा, डाॅ. कन्हैया झा, शशिशेखर नाथ झा, अजय दास, सहित आरो कतेको साहित्यानुरागी लोकनिक उपस्थिति छल। धन्यबाद ज्ञापन ईन्द्रकान्त झा केलनि। आगत अतिथि लोकनि केँ सम्मान पाग डोपटा सँ कएल गेल छलल।