Search

प्रवीण नारायण चौधरी

घूरन राम केर सम्मानः मैथिल चमारक प्रतिभाक उच्च मूल्यांकन

सरिसव पाही, मधुबनी। जनबरी १, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! मधुबनी जिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसव पाही मे श्री घूरन राम केँ परसू ३० दिसम्बर, २०१५ केँ सम्मानित कैल गेलनि अछि। ई सम्मान श्री राम द्वारा मिथिलाक कलाक्षेत्र मे कैल गेल महत्वपूर्ण योगदान केँ कदर करैत कैल जेबाक समाचार भेटल अछि। मिथिलाक समाज मे जातीय वर्गीकरणक आधार कलासंपन्नता घूरन राम केर सम्मानः मैथिल चमारक प्रतिभाक उच्च मूल्यांकन

प्रबोध साहित्य सम्मान २०१६ केदारनाथ चौधरी केँ भेटतनि

स्वस्ति फाउन्डेशन द्वारा मैथिली भाषा ओ साहित्य केर क्षेत्र मे आजीवन योगदान लेल प्रबोध साहित्य सम्मान देल जाएछ शान्ति निकेतन, प. बंगाल। जनबरी १, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!! स्वस्ति फाउन्डेशनक प्रवक्ता ओ प्रबोध साहित्य सम्मान केर संयोजनकर्ता उदय नारायण सिंह नचिकेता जानकारी करबैत कहलनि अछि जे एहि सम्मान (पुरस्कार) लेल गठित जुरीक सदस्य लोकनि बहुमत सँ प्रबोध साहित्य सम्मान २०१६ केदारनाथ चौधरी केँ भेटतनि

मैथिली नाटककार गुणनाथ झा केर विशेष स्मृति आलेख

विशेष स्मृति – अजित आजाद मैथिली नाटककार ओ ‘पाथेय’ नाटक केर लेखन सँ विशेष चर्चित – अनुवाद लेल साहित्य अकादमीक पुरस्कार सँ सम्मानित गुणनाथ झा केर ७२ वर्षक आयू मे निधन भेला पर शोक-श्रद्धाञ्जलिक संग किछु विशेष क्षण केर स्मृति कय रहल छी। पाथेय नाटकक पहिल मंचन सँ जुड़ल दस्तावेज एहि फोटो मे निहित अछिः मैथिली नाटककार गुणनाथ झा केर विशेष स्मृति आलेख

सोचैत छलहुँ जे आब मैथिली मे लिखय के कोशिश करब

विचार – सविता झा खान मैथिली सेवी सभक लेल एकटा काल्पनिक पत्र, हम्मर कांच-कोंचिल भाषा में, पढ़ु आ गुनु, जं नव-वर्षक जाप सं पलखति भ’ जाए। नहिं छी किछ एहन नवीन एहि समय में हर्षोल्लास लेल, नहींए ई नववर्ष थिक हम्मर सभक। मान्यवर, आइ भोरेभोर बुझल नहिं छल जे एहन मनोरंजन बिना कोनो पुन्ने भ सोचैत छलहुँ जे आब मैथिली मे लिखय के कोशिश करब

नव वर्ष २०१६ केर शुभकामना

नया वर्ष २०१६ लेल हार्दिक मंगलमय शुभकामना – समस्त पाठकवर्ग लेल ई नव वर्ष नव-नव खुशखबड़ी आनय। २०१५ मे मैथिली जिन्दाबाद ८ मास २० दिन पूरा कएलक। एहि वर्ष कुल ७३,९८३ बेर ई वेबपेज पढल गेल। सबसँ बेसी जुलाई २०१५ मे १७,६७८ बेर ई वेबपेज पर मैथिलीक पाठक विजिट केलनि। ओना प्रतिदिन एहि पेज केँ नव वर्ष २०१६ केर शुभकामना

सुलभ इन्टरनेशनल समाज सेवा पुरस्कार चन्द्र मोहन कर्ण केँ

मोहन मुरारी झा, हैदराबाद। दिसम्बर ३१, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!! मैथिली भाषा-साहित्य संग मिथिलाक सांस्कृति पहिचान केँ संरक्षण-संवर्धन मे सदा समर्पित हैदराबाद प्रवासी मैथिल स्रष्टा श्री चन्द्र मोहन कर्ण केँ हुनकर मैथिली भाषा एवं साहित्य मे देल गेल उत्कृष्ट योगदान केँ कद्र करैत सुलभ इन्टरनेशनल समाज सेवा पुरस्कार – २०१५ सँ सम्मानित करबाक निर्णय चेतना समिति सुलभ इन्टरनेशनल समाज सेवा पुरस्कार चन्द्र मोहन कर्ण केँ

सत्संग एक संत के संगः परविन्दर कुमार लांबा ऊर्फ ‘सरजी’

विशिष्ट व्यक्तित्व परिचयः परविन्दर कुमार लांबा ऊर्फ सरजी – प्रवीण नारायण चौधरी सत्संग केर महत्व सत्संग केर महिमा सब कियो जनैत छी। एहेन कियो नहि जे नीकक संग पेबाक लेल उत्सुक नहि हो। रामचरितमानस मे महाकवि तुलसीदास कहैत छथिः तात स्वर्ग आपवर्ग सुख धरिअ तुला एक अंग। तुल न ताहि सकल मिलि जो सुख लव सत्संग एक संत के संगः परविन्दर कुमार लांबा ऊर्फ ‘सरजी’

मैथिली नाटककार गुणनाथ झा नहि रहलाह

मधुबनी, दिसम्बर ३१, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!! साल २०१५ जाएत-जाएत मैथिली कलाक्षेत्र मे एकटा शोक संदेश दैत जा रहल अछि। काल्हि ३० दिसम्बर संध्या पौने सात बजे मैथिली भाषाक प्रसिद्ध नाटककार गुणनाथ झा एहि इहलोक केँ छोड़ि परलोक लेल महायात्रा पर प्रस्थान कय गेलाह। मधुबनी सँ मैथिली साहित्यक पुरोधा अजित आजाद अपन फेसबुक स्टेटस द्वारा ई मैथिली नाटककार गुणनाथ झा नहि रहलाह

गीताः अप्रतिष्ठा सँ मृत्यु नीक – कृष्ण

गीताक तेसर बेरुक स्वाध्याय (निरंतरता मे…. अध्याय २ केर श्लोक ३१ धरि…. भगवान् कृष्ण अर्जुन सँ कहला जे क्षत्रिय केर रूप मे स्वधर्म होइछ धर्मयुक्त युद्ध लड़ब, से अहाँ लड़ू… ताहि सँ पूर्व अर्जुनक शोक केँ अनावश्यक आ ब्यर्थ – तर्कहीन आदि बतबैत आत्मा केँ अविनाशी कहि कियो केकरो मारि नहि सकैछ कहैत केवल उपयुक्त गीताः अप्रतिष्ठा सँ मृत्यु नीक – कृष्ण

मैथिली भोजपुरी अकादमी – दिल्लीक किरदानीक पर्दाफाश

भाषा-साहित्य केर संरक्षण-संवर्धन पर ३२,८०३ टाकाक खर्च, लेकिन केजरीवाल सरकार द्वारा भाषिक संगठनक नाम पर राजनीति करबाक एकमात्र कार्यक्रम पर ७,६२,३५६ टाकाक खर्चः सूचनाक अधिकार प्रयोग सँ अमर नाथ झा कयलनि अछि पर्दाफाश!! दिल्ली, दिसम्बर ३०, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!! ई साल २०१५ अपन अन्तिम दिनक संध्या पर अछि, लेकिन आइये एकटा बड पैघ पर्दाफाश भेल मैथिली भोजपुरी अकादमी – दिल्लीक किरदानीक पर्दाफाश