प्रबोध साहित्य सम्मान २०१६ केदारनाथ चौधरी केँ भेटतनि

स्वस्ति फाउन्डेशन द्वारा मैथिली भाषा ओ साहित्य केर क्षेत्र मे आजीवन योगदान लेल प्रबोध साहित्य सम्मान देल जाएछ

शान्ति निकेतन, प. बंगाल। जनबरी १, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

kedarnath choudharyस्वस्ति फाउन्डेशनक प्रवक्ता ओ प्रबोध साहित्य सम्मान केर संयोजनकर्ता उदय नारायण सिंह नचिकेता जानकारी करबैत कहलनि अछि जे एहि सम्मान (पुरस्कार) लेल गठित जुरीक सदस्य लोकनि बहुमत सँ निर्णय करैत मैथिली भाषा ओ साहित्यक क्षेत्र मे अनमोल योगदान कएनिहार स्रष्टा केदारनाथ चौधरी केँ सम्मानित करबाक निर्णय दय देलनि अछि।

विदित अछि जे ई पुरस्कार नगदी १ लाख रुपयाक संग प्रशस्ति पत्र केर रूप मे मैथिली भाषा ओ साहित्य केर संवर्धन-प्रवर्धन लेल आजीवन योगदान कएनिहार केँ देल जाएत अछि। एकर निर्णय पहिने विभिन्न स्रष्टाक नामांकन सूची मे सम्मिलित नाम पर जनमानसक ईमेल वोटिंग सँ अन्तिम दस जन केर चुनाव आर तेकर बाद ओहि दस मे सँ अन्तिम तीन व दुइ करैत-करैत निर्णीत विजेताक नाम चुनैत गठित निर्णायक लोकनिक समिति द्वारा कैल जाएछ।

एहि वर्षक विजेता मैथिली भाषा आर साहित्यक क्षेत्र मे बड महत्वपूर्ण योगदान कएनिहार केदारनाथ चौधरी केँ घोषणा कैल गेल अछि। केदारनाथ चौधरी मैथिली साहित्य केर मूलधारा टा केर निरंतर लेखन मात्र नहि कय एहि भाषा केँ उत्कर्ष पर पहुँचेबाक लेल आर जनप्रिय बनेबाक लेल शुरुहे सँ मैथिली सिनेमा लेल सेहो लेखन केलनि।

लेखनक संग स्वयं निर्माता बनिकय मैथिली सिनेमा मार्फत भाषाक सम्मान केँ बढेबाक अत्यन्त महत्वपूर्ण योगदान सेहो हिनका द्वारा कैल गेल अछि। हिनक पहिल मैथिली सिनेमा ममता गाबय गीत केर निर्माता रहबाक संग आवारा नहितन, चमेली रानी (उपन्यास) केर सेहो लेखक केदारनाथ चौधरी केँ प्रबोध नारायण साहित्य सम्मान २०१६ देल जेबाक घोषणा कैल गेल अछि।

एहि सँ मैथिली साहित्य जगत् मे नव सालक प्रवेशक संगहि एकटा खुशीक लहैर दौड़ि जेबाक बात कहैत छथि अभियानी अमित आनन्द। मैथिली साहित्यक प्रख्यात स्रष्टा अजित आजाद अपन बधाई ज्ञापन संदेशक संग मैथिली जिन्दाबाद केँ जानकारी करबैत कहैत छथि जे हिनकर लिखल चारू उपन्यास एखन धरि कतेको एडिशन मे प्रकाशित कैल जा चुकल अछि। मैथिलीक ई महान् स्रष्टा वर्तमान समय लहेरियासराय मे ‘हिडेन काटेज’ नामक कुटीर मे रहैत छथि, जखन कि हिनक मूल ग्राम नेहरा (दरभंगा) थीक। मैथिली मे लगातार लेखन करैत छथि। हिनकर लिखल उपन्यास, धारावाहिक आदि मिथिला दर्शन मे निरंतर प्रकाशित होइत अछि। भीड़भाड़ व सम्मेलनादि सँ परहेज कएनिहार स्रष्टा केदारनाथ चौधरी अपन समर्पित योगदान सँ मातृभाषा ओ मातृभूमिक सेवा लेल जानल जाएत छथि।

केदारनाथ चौधरीः संछिप्त परिचय

जन्म ३ जनवरी १९३६ ई. नेहरा, जिला दरभंगामे। १९५८ ई. मे अर्थशास्त्रमे स्नातकोत्तर, १९५९ ई. मे लॉ। १९६९ ई. मे कैलिफोर्निया वि.वि. सँ अर्थस्थास्त्र मे स्नातकोत्तर, १९७१ ई. मे सान फ्रांसिस्को वि.वि. सँ एम.बी.ए., १९७८ मे भारत आगमन। १९८१-८६क बीच तेहरान आ प्रैंकफुर्तमे। फेर बम्बई पुने होइत २००० ई. सँ लहेरियासराय मे निवास। मैथिली फिल्म ममता गाबय गीतक मदनमोहन दास आ उदयभानु सिंहक संग सह निर्माता। तीन टा उपन्यास २००४ मे चमेली रानी, २००६ मे करार, २००८ मे माहुर।