Search

मैथिली नाटककार गुणनाथ झा नहि रहलाह

279 भ्यूज

मधुबनी, दिसम्बर ३१, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

gunnath jhaसाल २०१५ जाएत-जाएत मैथिली कलाक्षेत्र मे एकटा शोक संदेश दैत जा रहल अछि। काल्हि ३० दिसम्बर संध्या पौने सात बजे मैथिली भाषाक प्रसिद्ध नाटककार गुणनाथ झा एहि इहलोक केँ छोड़ि परलोक लेल महायात्रा पर प्रस्थान कय गेलाह।

मधुबनी सँ मैथिली साहित्यक पुरोधा अजित आजाद अपन फेसबुक स्टेटस द्वारा ई जानकारी करबैत कहलैन अछि जे आइ २ बजे हुनक अन्तिम यात्रा निज गाम रैयाम मे होयत।

श्री आजाद मैथिली जिन्दाबाद केँ जानकारी करबैत कहलनि जे गुणनाथ बाबु ७२ वर्षक आयू मे हाल धरि २ दर्जन सँ बेसी नाटक लिखि चुकल छथि। हिनकहि लिखल ‘पाथेय’ नाटक केर चर्चा देश भरि मे भेल। साहित्य अकादमी दिल्ली द्वारा सेहो हिनका ‘अनुवाद’ लेल पुरस्कार सँ सम्मानित कैल गेल छलन्हि।

गुणनाथ बाबु केर कोनो संतान नहि छलन्हि आर हिनक धर्मपत्नी करीब एक वर्ष पूर्वहि स्वर्ग सिधारि गेल छलीह। आजन्म कोलकाता मे साहित्यक्षेत्र मे योगदान दैत अपन जीविका चलौनिहार गुणनाथ बाबु पैछला दुइ वर्ष सँ गामहि मे रहि रहल छलाह। हिनक स्वर्गारोहण सँ मैथिली साहित्यक एकटा ताराक अस्त भेल – कहैत अजित आजाद जी श्रद्धांजलि सुमन अर्पित करैत छथि। मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ महान् स्रष्टाक दिवंगत भेला पर हुनक आत्माक चीर शान्ति लेल प्रार्थनाक संग मैथिली साहित्य जगत् केँ हिनकहि समान आरो स्रष्टा भेटय ई कामना करैत अछि।

Related Articles