विशेष स्मृति
– अजित आजाद
मैथिली नाटककार ओ ‘पाथेय’ नाटक केर लेखन सँ विशेष चर्चित – अनुवाद लेल साहित्य अकादमीक पुरस्कार सँ सम्मानित गुणनाथ झा केर ७२ वर्षक आयू मे निधन भेला पर शोक-श्रद्धाञ्जलिक संग किछु विशेष क्षण केर स्मृति कय रहल छी।
पाथेय नाटकक पहिल मंचन सँ जुड़ल दस्तावेज एहि फोटो मे निहित अछिः
मैथिली लेखक संघ – पटना मे २ वर्ष पूर्व हिनक आगमन भेल छलः
हिनक प्रसिद्ध रचना ‘पाथेय’ केर आवरण पृष्ठः
पत्नीक संग मे स्रष्टा गुणनाथ झा केर ई अविस्मरणीय तस्वीरः
पाथेय नाटक केर हिरो पात्र – दया नाथ झा केर तस्वीरः
गुणनाथ झा द्वारा जाहि नाटकक अनुवाद बंग्ला भाषा सँ मैथिली मे कैल गेल छल तेकर आवरण पृष्ठ, यैह अनुवाद लेल हिनका साहित्य अकादमी पुरस्कार देल गेल छलन्हिः
कनियां-पुतरा, पाथेय, सातम चरित्र आर मधुयामिनी नाटक प्रकाशित कैल गेल, जखन कि आजुक लोक आर जय मिथिला नाटक हाल धरि अप्रकाशित रचना अछि हिनक।
पाथेय नाटक केर पात्र रूप मे विभूति आनन्दक ई तस्वीरः
पाथेय नाटक केर एक दृश्य मे विभूति आनन्द केर संग प्रेमलता मिश्राक ई अविस्मरणीय तस्वीरः
गुणनाथ झा केँ अन्तिम विदाईः चिता पर आरूढ अग्नि केँ समर्पित नश्वर शरीरः
व्यक्तिक शरीर तऽ नश्वर अछि, ओकरा जन्म लेलाक बाद मरब सुनिश्चित रहैछ। लेकिन जीवनकाल मे कैल गेल सुकीर्ति सदा अमर रहैत अछि। गुणनाथ बाबु अपन कीर्तित्व सँ मैथिली साहित्य जगत मे सदा अमर रहता।