Search

प्रवीण नारायण चौधरी

सलहेशः द पिपुल्स हिरो फिल्म लेल कलाकारक चुनाव सिर्फ अडिसन मार्फत

काठमांडू, नेपाल। ८ फरबरी, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!! लोकनायक राजा सलहेश केर जीवन पर आधारित फिल्म ‘सलहेशः द पिपुल्स हिरो’ केर निर्माण सँ पहिने कलाकार लोकनिक चुनाव अडिसन मार्फत कयल जेबाक जनतब निर्माता राजकुमार महतो देलनि अछि। एहि सन्दर्भ मे पठायल गेल प्रेस विज्ञप्ति मुताबिक ई समाचार भेटल अछि। समाचार कुल चारि (४) भाषा मे राखि सलहेशः द पिपुल्स हिरो फिल्म लेल कलाकारक चुनाव सिर्फ अडिसन मार्फत

रोज डे पर मैथिली गीत ‘कनी हँसियौ न सजनी गुलाब कहइ य’ पर किसलय विचार

रोज डे केर मैथिली गीतक गप्प शशिकांत चौधरीसँ ल’ क’ कुमार आशीष धरि वाया मुरलीधर, मैथिली मंच, फिल्म आदि आदि…. किसलय कृष्ण, समाचार सम्पादक, मैथिली जिन्दाबाद । नव दिल्ली । आइ अहल भोरे निन्न टूटिते सभ दिन जकाँ गेरूआ त’र सँ मोबाइल निकालि इण्टरनेटक डाटा ऑन करैत छी । स्वाभाविक रूपें विभिन्न टोनक फ्यूजनमे ह्वाट्सअप, रोज डे पर मैथिली गीत ‘कनी हँसियौ न सजनी गुलाब कहइ य’ पर किसलय विचार

बाबाधामक प्रसाद – २०१८ माघ मासक कीर्तन कामर यात्राक प्रसंग

अनुभूति – प्रवीण नारायण चौधरी बाबाधाम केर प्रसाद   एहि बेर १७म वर्ष बाबा बैद्यनाथ धाम केर कामर यात्रा निरन्तरता मे माघक कीर्तन कामर संग पूरा भेल अछि, ई प्रक्रिया सावन आ कार्तिक मास मे सेहो प्रत्येक वर्ष निबहैत रहय यैह सदिच्छा रहैत अछि। बाबा बैद्यनाथ लेल सुल्तानगंज सँ जल भरि कामर सहित संकल्प कय बाबाधामक प्रसाद – २०१८ माघ मासक कीर्तन कामर यात्राक प्रसंग

मधेशक आन्दोलन आ १० वर्षक उपलब्धि

मधेशक इतिहास आ ऐतिहासिकता   http://www.mysansar.com/archives/?p=2392   यात्रा आरम्भ होएत अछि २००८ सँ – आब २०१८ मे आबि नेपाल मे संघीयता स्थापित भेल आर मधेश अन्तर्गत कय टा प्रदेश सहितक कुल ७ गोट प्रदेश बनाओल गेल अछि। एहि १० वर्ष मे यात्रा कोन-कोन मोड़ सँ आ केना-केना निकलल, ई बात सब मधेश लेल संघर्ष कयनिहार मधेशक आन्दोलन आ १० वर्षक उपलब्धि

मधेशी भाषाक जन्म देबाक सोच रखनिहार डा. सी. के. राउत स्वयं सँ एकर प्रयोग आरम्भ करैथ

शप्पथ छन्हि डा. सी. के. राउत केँ…. ओ आइ सँ शुरू करथि मधेशी भाषा मे फेसबुक पर पोस्ट लिखनायः चुनौती   (नवका सूत्र मधेशी भाषा पर विचार)   हिमालयक कोरा मे अवस्थित एक सुन्दर आ छोट प्रकृतिक प्रेम सँ आच्छादित देश “नेपाल” मे विगत कइएक दशक सँ राजनीतिक उथल-पुथल मचल अछि। अपन ३० वर्षक नेपाल मधेशी भाषाक जन्म देबाक सोच रखनिहार डा. सी. के. राउत स्वयं सँ एकर प्रयोग आरम्भ करैथ

नेपाल देश सँ मधेश केँ स्वतंत्र कयनिहार अभियानी द्वारा भाषाक नाम पर समाजक विखंडन

मैथिली भाषाभाषी केँ विखंडित करबाक षड्यन्त्र कियैक डा. सी. के. राउत?   विगत किछु दिन सँ स्वतंत्र मधेश गठबंधनक विवादित नेता द्वारा निरंतर मैथिली भाषा ऊपर अनावश्यक टीका-टिप्पणी आ मैथिलीभाषी बीच दरार पैदा करबाक लेल कतेको तरहक भ्रमपूर्ण समाचार सोशल मीडिया सँ प्रसार कयल जा रहल अछि। समग्र मे ओ अपन कार्यनीति मे बदलाव अनबाक नेपाल देश सँ मधेश केँ स्वतंत्र कयनिहार अभियानी द्वारा भाषाक नाम पर समाजक विखंडन

जे बजैत छी सएह मैथिली, कूतर्कक पाछाँ नहि पड़ूः श्यामसुन्दर पथिक

विचार – श्याम सुन्दर यादव ‘पथिक’ प्रदेश नम्वर २ मे कामकाजी भाषाक रुपमे मैथिली स्थापित होयवाक शुभ शंकेत देखल गेल अछि । मल्लकालीन समयमे राजकाजक भाषाक रुपमे रहल ई भाषा शाह वंशीय शासनकालमे अत्यधिक दमनचक्रमे परल । नेपालक दोसर सभसँ बेसी समुदायद्वारा बाजल जायवाला मैथिली भाषा वर्तमानक संघीय संरचनामे प्रदेश नम्वर २ मे कोनो आयातित जे बजैत छी सएह मैथिली, कूतर्कक पाछाँ नहि पड़ूः श्यामसुन्दर पथिक

पद्म पुरस्कार मे मिथिलाक दुइ हस्ती, शारदा सिन्हाकेँ पद्मभूषण तथा मानस बिहारी वर्माकेँ पद्मश्री

जनवरी २६, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!! मिथिलाक लोकमानस मे एहि ठामक दुइ दिग्गज व्यक्तित्वकेँ वर्ष २०१८ केर गणतंत्र दिवसक संध्यापर पद्म पुरस्कारक घोषणा मे नाम पड़ला सँ प्रसन्नताक वातावरण सोशल मीडिया मार्फत देखल जा रहल अछि। लोकगीत केर अपन विशिष्ट गायकी लेल मैथिली तथा भोजपुरी भाषाक नामचीन गायिका डा. शारदा सिन्हा केँ पद्म भूषण सम्मान आर पद्म पुरस्कार मे मिथिलाक दुइ हस्ती, शारदा सिन्हाकेँ पद्मभूषण तथा मानस बिहारी वर्माकेँ पद्मश्री

पहिने एना होएत छलैक सरस्वती पूजनोत्सव – संस्मरण

लेख – अनिल झा, जाले सड़कक उतरवारी कात माने आधा गाम मे एक ठाम होइत छलै सरस्वती पूजा । अपना साकेत विहारी मंदिर पर । ओहि समय मे दूसरा तीसरा मे पढैत रही । किछु बात अखनो मोन अछि । राढ़ी गाम सँ ढाकी मे पुआर ध’ क’ भैया सब मूर्ति लबथिन । तकरा बाद पहिने एना होएत छलैक सरस्वती पूजनोत्सव – संस्मरण

नेपाल मे मैथिली भाषाक हैसियत, आगामी संविधान नियमनमे ध्येय किछु महत्वपूर्ण विन्दु

आलेख – प्रवीण नारायण चौधरी अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन राजवविराज मे विगत २२ आ २३ दिसम्बर २०१७ केँ एकटा महत्वपूर्ण परिचर्चाक विषय छल ‘प्रदेश २ केर राजकाजक भाषा मैथिली’। डा. रेवतीरमण लाल द्वारा एहि सन्दर्भ मे संछिप्त-सटीक कार्यपत्र राखल गेल आर ताहि पर विद्वान् वक्ता प्रो. उदय शंकर मिश्र एवं पूर्व प्राध्यापक सह विद्वान् अभियानी-शोधकर्ता अमरकान्त नेपाल मे मैथिली भाषाक हैसियत, आगामी संविधान नियमनमे ध्येय किछु महत्वपूर्ण विन्दु