जनवरी २६, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!
मिथिलाक लोकमानस मे एहि ठामक दुइ दिग्गज व्यक्तित्वकेँ वर्ष २०१८ केर गणतंत्र दिवसक संध्यापर पद्म पुरस्कारक घोषणा मे नाम पड़ला सँ प्रसन्नताक वातावरण सोशल मीडिया मार्फत देखल जा रहल अछि। लोकगीत केर अपन विशिष्ट गायकी लेल मैथिली तथा भोजपुरी भाषाक नामचीन गायिका डा. शारदा सिन्हा केँ पद्म भूषण सम्मान आर तेजस लड़ाकू विमान मे अपन उल्लेखनीय वैज्ञानिक भूमिका लेल मशहूर मानस बिहारी वर्मा केँ पद्मश्री सम्मान लेल नामक घोषणा कयल गेल अछि। समग्र बिहार सँ सेहो यैह दुइ नाम कुल ८५ सम्मानित व्यक्तित्व मे पड़ला सँ ई पूरे राज्य लेल गौरवक बातक रूप मे चर्चा कयल जा रहल अछि।
साभारः प्रभात खबर
नयी दिल्ली : विभिन्न क्षेत्र मे विशिष्ट सेवा ओ उल्लेखनीय कार्यक लेल देल जायवला पद्म पुरस्कारक घोषणा कय देल गेल अछि। एहि बेर पुरस्कार हेतु १५,७०० लोकनि आवेदन केने छलाह। साहित्य आर शिक्षा, चिकित्सा, कला आर सामाजिक कार्यक विभिन्न क्षेत्र सँ कुल ८५ व्यक्तित्व केँ पद्मश्री पुरस्कार लेल चुनल गेल। पद्म विभूषण लेल इलयाराजा (कला-संगीत), गुलाम मुस्तफा खान (कला-संगीत) और पी परमेश्वरन केँ साहित्य और शिक्षाक लेल चुनल गेल अछि।
हालहि स्वर्गीय भारतक ११म राष्ट्रपति डा. ए. पी. जे. अब्दुल कलाम केर बड पैघ लगानी मित्र डा. मानस बिहारी वर्मा बौर (रसियारी) निवासी केर माध्यम सँ मिथिला मे – श्रद्धाञ्जलि लेल सौंसे देश उमैड़ पड़ल
तहिना पद्मभूषण लेल खेल सँ टीम इंडिया केर पूर्व कप्तान महेंद्र सिंह धोनी एवं स्नूकर खिलाड़ी पंकज आडवाणी केँ चुनल गेल। कला-संगीत केर क्षेत्र सँ सुप्रसिद्ध लोकगायिका शारदा सिन्हा, अरविंद पारिख तथा लक्ष्मण पाई केँ चुनल गेल। ‘ग्रैंड मदर ऑफ द जंगल’ लक्ष्मीकुट्टी केँ सर्प दंश पर उल्लेखनीय कार्य वास्ते पद्मश्री सँ सम्मानित कयल जायत। तहिना, किफायती शिक्षाक क्षेत्र मे उल्लेखनीय कार्य लेल अरविंद गुप्ता केँ (साहित्य और शिक्षा) पद्मश्री हेतु चुनल गेल अछि।
