Search

पद्म पुरस्कार मे मिथिलाक दुइ हस्ती, शारदा सिन्हाकेँ पद्मभूषण तथा मानस बिहारी वर्माकेँ पद्मश्री

जनवरी २६, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!

मिथिलाक लोकमानस मे एहि ठामक दुइ दिग्गज व्यक्तित्वकेँ वर्ष २०१८ केर गणतंत्र दिवसक संध्यापर पद्म पुरस्कारक घोषणा मे नाम पड़ला सँ प्रसन्नताक वातावरण सोशल मीडिया मार्फत देखल जा रहल अछि। लोकगीत केर अपन विशिष्ट गायकी लेल मैथिली तथा भोजपुरी भाषाक नामचीन गायिका डा. शारदा सिन्हा केँ पद्म भूषण सम्मान आर तेजस लड़ाकू विमान मे अपन उल्लेखनीय वैज्ञानिक भूमिका लेल मशहूर मानस बिहारी वर्मा केँ पद्मश्री सम्मान लेल नामक घोषणा कयल गेल अछि। समग्र बिहार सँ सेहो यैह दुइ नाम कुल ८५ सम्मानित व्यक्तित्व मे पड़ला सँ ई पूरे राज्य लेल गौरवक बातक रूप मे चर्चा कयल जा रहल अछि।

साभारः प्रभात खबर

पद्म पुरस्कारक घोषणा : धोनी, पंकज आडवाणी, शारदा सिन्हा केँ पद्मभूषण व लक्ष्मीकुट्टी केँ पद्मश्री
 
नयी दिल्ली : विभिन्न क्षेत्र मे विशिष्ट सेवा ओ उल्लेखनीय कार्यक लेल देल जायवला पद्म पुरस्कारक घोषणा कय देल गेल अछि। एहि बेर पुरस्कार हेतु १५,७०० लोकनि आवेदन केने छलाह। साहित्य आर शिक्षा, चिकित्सा, कला आर सामाजिक कार्यक विभिन्न क्षेत्र सँ कुल ८५ व्यक्तित्व केँ पद्मश्री पुरस्कार लेल चुनल गेल। पद्म विभूषण लेल इलयाराजा (कला-संगीत), गुलाम मुस्तफा खान (कला-संगीत) और पी परमेश्वरन केँ साहित्य और शिक्षाक लेल चुनल गेल अछि।

हालहि स्वर्गीय भारतक ११म राष्ट्रपति डा. ए. पी. जे. अब्दुल कलाम केर बड पैघ लगानी मित्र डा. मानस बिहारी वर्मा बौर (रसियारी) निवासी केर माध्यम सँ मिथिला मे – श्रद्धाञ्जलि लेल सौंसे देश उमैड़ पड़ल

तहिना पद्मभूषण लेल खेल सँ टीम इंडिया केर पूर्व कप्‍तान महेंद्र सिंह धोनी एवं स्‍नूकर खिलाड़ी पंकज आडवाणी केँ चुनल गेल। कला-संगीत केर क्षेत्र सँ सुप्रसिद्ध लोकगायिका शारदा सिन्‍हा, अरविंद पारिख तथा लक्ष्मण पाई केँ चुनल गेल। ‘ग्रैंड मदर ऑफ द जंगल’ लक्ष्मीकुट्टी केँ सर्प दंश पर उल्लेखनीय कार्य वास्ते पद्मश्री सँ सम्मानित कयल जायत। तहिना, किफायती शिक्षाक क्षेत्र मे उल्लेखनीय कार्य लेल अरविंद गुप्ता केँ (साहित्य और शिक्षा) पद्मश्री हेतु चुनल गेल अछि।

पद्म विभूषण
इलयाराजा – कला (संगीत)
गुलाम मुस्तफा खान – कला (संगीत)
पी. परमेश्वरन – साहित्य और शिक्षा
पद्मभूषण
महेंद्र सिंह धौनी – खेल (क्रिकेट)
पंकज आडवाणी – खेल (बिलियर्ड्स / स्नूकर)
फिलिपोस मार क्रिस्सोस्टम – अन्य (अध्यात्मवाद)
अलेक्जेंडर कडकिन (विदेशी / मरणोपरांत) – सार्वजनिक मामलों
रामचंद्रन नागस्वामी – अन्य (पुरातत्व)
वेद प्रकाश नंदा – साहित्य और शिक्षा
लक्ष्मण पाई – कला (चित्रकारी)
अरविंद पारिख – कला (संगीत)
शारदा सिन्हा – कला (संगीत)
पद्मश्री पुरस्कार
अरविंद गुप्ता – साहित्य और शिक्षा (किफायती शिक्षा के लिए)
लक्ष्मीकुट्टी – चिकित्सा (सर्प दंश)
भज्जू श्याम – कला (चित्रकला – गोंड कला)
सुधांशु बिस्वास – सोशल सर्विस
एमआर राजगोपाल – चिकित्सा (पैलिएटिव केयर)
मुरलीकांत पेटकर – खेल
राजगोपालन वासुदेवन – विज्ञान और इंजीनियरिंग (इनवेशन)
सुभाषिनी मिस्त्री – सामाजिक कार्य
विजयलक्ष्मी नवनीतिकृष्णन – साहित्य और शिक्षा (किफायती शिक्षा)
सुलागट्टी नरसम्मा- चिकित्सा
येशी ढोंडेन – चिकित्सा
रानी और अभय बैंग – चिकित्सा (सस्ती स्‍वास्‍थ्‍य सेवा)
लेंटिना एओ ठक्कर – सामाजिक कार्य (सेवा)
रोमूलस वाइटैकर – अन्य (वन्यजीव संरक्षण)
संपत रामटेके – सोशल वर्क
संदूक रुइत – चिकित्सा (नेत्र विज्ञान)
अनवर जलालपुर – साहित्य और शिक्षा (साहित्य – उर्दू)
इब्राहिम सुतार – कला (संगीत – सूफी)
मानस बिहारी वर्मा – विज्ञान और इंजीनियरिंग (रक्षा)
सीताव्वा जोड्डाती – सामाजिक कार्य
नोफ मारवाई – अन्य (योग)
वी. नानाम्मल – अन्य (योग)
 
पैछला वर्ष ८९ गोटा केँ देल गेल रहनि पद्म पुरस्कार जाहि मे सँ सात-सात गोटा केँ पद्म विभूषण व पद्म भूषण, जखन कि ७५ गोटा केँ पद्म श्री देल गेल छलन्हि।

Related Articles