Search

प्रवीण नारायण चौधरी

गुआहाटी मे मिथिला राज्य लेल तिल-गुड़ खा कय संकल्प लेलनि

गुआहाटी, जनवरी १५, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!! पृथक मिथिला राज्य केर माँग केँ लऽ कय चलि रहल देशव्यापी आन्दोलन मे भाग लैत काल्हि तिला-संक्रांतिक शुभ दिवस पर गुवाहाटी मे रहनिहार प्रवासी मैथिल समाजक लोक “संकल्प-दिवस” केर रुप मे मनौलनि अछि । मिथिला राज्य निर्माण सेनाक गुआहाटी यूनिट केर तत्वावधान मे आयोजित एहि संकल्प सभा मे पूर्वोत्तर राज्य मे गुआहाटी मे मिथिला राज्य लेल तिल-गुड़ खा कय संकल्प लेलनि

शिव कुमार झा ‘टिल्लू’ केर किछु टटका गीति-काव्य संग्रह

१. पथ हेरथि आकुल राधा….! पथ हेरथि आकुल राधा… ! भेल कुरुक्षेत्रक कर्मभूमि आब रीति डगर लेल बाधा !! पथ हेरथि आकुल राधा…. ! कौरव दलमे रास महारथी भरि रहलथि हुंकार कतेक दिवस धरि राधा बिचुकथि सुनि सुनि धनु टंकार कृष्णक संगमे धनुष बाण नहि कोना परेमक व्याधा ? पथ हेरथि आकुल राधा…. ! कतेक शिव कुमार झा ‘टिल्लू’ केर किछु टटका गीति-काव्य संग्रह

क्रान्तिकारी कवि मनौलनि तिला संक्रांति

पावैन तिला संकराइति – घनश्याम झा, राघोपुर, मनीगाछी, दरभंगा आबि गैलैक मिथिलाक पावैन, अहियौ बेर तिला संकराइति , बडकी काकी कुटलैन चुडा, भैय्या अनलथि गुडक भेलि । भीड जुटल कन्सारक सौंझा, देखियौ देखियौ भारी जुटान, चुडा, मुरही, अरू तिलक लाई, बनबैक खातिर सभ भेल बेहाल। घर-घर आ गाम गाम मे, पसरि गेल सगरो नवका उमंग क्रान्तिकारी कवि मनौलनि तिला संक्रांति

किरण देवी झा कृत् ‘पल्लवी प्रियाः मैथिली बाल सन्दर्भ सामग्री’

विशिष्ट व्यक्तित्व परिचयः श्रीमती किरण देवी झा, शिक्षक-लेखिका-गीतकार-गायिका, बोरिया, गोठम, सप्तरी, मिथिला, नेपाल अत्यन्त सरल आ हँसमुख – अपन प्रसिद्ध रचना ‘पल्लवी प्रियाः मैथिली बाल सन्दर्भ सामग्री’ संग राजविराज प. बि. माध्यमिक विद्यालय प्रांगण मे आगाँ आबि हमरा हाथ मे दैत छथि आर कहैत छथि जे ई एकटा हमर रचना अहाँ देखब। हमहुँ अपन पहिल किरण देवी झा कृत् ‘पल्लवी प्रियाः मैथिली बाल सन्दर्भ सामग्री’

नगरपालिका नामकरण विवादः ऐतिहासिकता मेटेबाक विरोध

रविन्द्र उदासी, सतोषरधाम (हालः दोहा, कतार)। जनवरी १४, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!! नामकरण मे विवाद – ऐतिहासिकता मेटेबाक षड्यन्त्र आ स्वार्थी राजनीति केर जनमानस मे विरोध – सन्दर्भ – नवगठित सप्तऋषि नगरपालिका, धनुषा “मिथिलाकेँ सगरो नामे नाम छैक, मिथिलाक पाहुन श्री राम छैक! निहारिकय देखू स्प्तऋषिस्थान केँ, वैह त सतोषरधाम छैक!!” – करीब एक साल पहिने सबैला नगरपालिका नामकरण विवादः ऐतिहासिकता मेटेबाक विरोध

मिथिला मे एकमात्र जीबित ‘धर्मसभा’ संपन्न, १२७ वर्ष सँ निरन्तर

सुमन समाज, बनगाँव, सहरसा। जनवरी १४, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!! सर्वोपकारिणी सनातन धर्म सभा धर्ममूला नदी तट (गोरहो) बनगाँव, सहरसा (मिथिला) मे संपन्न भेल । प्रतिवर्ष पौष पूर्णिमाक शुभ मुर्हूत मे भगवान (लक्ष्मीनारायण) बाबाजी कुटी स्थित ठाकुरबाड़ी सँ भजनी आ श्रद्धालु संग समस्त इलाक़ाक भक्तगण (धर्ममूला, धेमूरा-धार नदी तट गोरहो) स्नानक संग कल्पवास पर्यंत दोसर दिन मिथिला मे एकमात्र जीबित ‘धर्मसभा’ संपन्न, १२७ वर्ष सँ निरन्तर

राजविराजमे सांस्कृतिक संग्रहालय व नाचघर निर्माणकेँ प्राथमिकता

साभारः श्याम सुन्दर यादव ‘पथिक’ केर फेसबुक स्टेटस सँ सप्तरी जिलाक मुख्यालय राजविराज मे नगरपालिकाक २०म परिषद् द्वारा सांस्कृतिक संग्रहालय तथा नाचघर निर्माण केँ उच्च प्राथमिकताक योजना मे सूचीकृत कैल गेल अछि। संचारकर्मी तथा भाषा-संस्कृति अभियानी श्याम सुन्दर यादव पथिक अपन फेसबुक स्टेटस मे लिखैत छथिः  कला संस्कृतिक क्षेत्रमे विशिष्ट पहिचान कायम राखएमे अग्रणी सप्तरी राजविराजमे सांस्कृतिक संग्रहालय व नाचघर निर्माणकेँ प्राथमिकता

दिन एक महत्व अनेकः तिला संक्रान्ति विशेष – अत्यन्त मननीय

मिथिलाक पाबैनः तिला संक्रान्ति पर विशेष – प्रवीण नारायण चौधरी मकर संक्रान्तिके शुभ अवसरपर समस्त जनमानस लेल शुभकामना! मकर संक्रान्ति के त्योहार मोक्ष लेल प्रतिबद्धता हेतु होइछ – निःस्वार्थ सेवा – निष्काम कर्म करैत मुक्ति पाबैक लेल शपथ-ग्रहण – संकल्प हेतु एहि पावनिक महत्त्व छैक। जेना माय के हाथ तिल-चाउर खाइत हम सभ मैथिल माय दिन एक महत्व अनेकः तिला संक्रान्ति विशेष – अत्यन्त मननीय

मातृभाषा मे शिक्षा – एक डेगः मिथिलाक अनुपम डेग अन्तर्क्रिया

राजविराज, १४ जनवरी, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!! मिथिलाक अनुपम डेग नामक संस्था द्वारा सप्तरी जिलाक मुख्यालय राजविराज स्थित पबि स्कूल प्रांगण मे १२ जनवरी वृहस्पति दिन ‘मातृभाषा मे शिक्षा – एक डेग’ विषयपर अन्तर्क्रिया कार्यक्रम राखल गेल। एहि मे शिक्षाविद् जनानन्द मिश्र, विष्णु मंडल, देवेन्द्र मिश्र, डा. अखिलेश झा, महेन्द्र यादव, उपेन्द्र झा, साधना झा, कंचन मातृभाषा मे शिक्षा – एक डेगः मिथिलाक अनुपम डेग अन्तर्क्रिया

विश्व पुस्तक मेला २०१७ मे होयत गार्गी विमर्श

दिल्ली, १३ जनवरी, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!! विश्व पुस्तक मेला २०१७ में सेंटर फ़ॉर स्टडीज़ ऑफ़ ट्रेडिशन एंड सिस्ट्म्स आ राष्ट्रीय पुस्तक न्यास, भारत केर संयोजन में १५ जनवरी, भोर ११ बजे, रैवदिन मानुषी थीम पैविलियन, हॉल नं. ७, प्रगति मैदान, नई दिल्ली में आयोजित होइ वला गार्गी सातत्य एक अवधारणा अछि जाहिमें मिथिला में स्त्री ज्ञानपक्ष, विद्या विश्व पुस्तक मेला २०१७ मे होयत गार्गी विमर्श