साभारः श्याम सुन्दर यादव ‘पथिक’ केर फेसबुक स्टेटस सँ
सप्तरी जिलाक मुख्यालय राजविराज मे नगरपालिकाक २०म परिषद् द्वारा सांस्कृतिक संग्रहालय तथा नाचघर निर्माण केँ उच्च प्राथमिकताक योजना मे सूचीकृत कैल गेल अछि।
संचारकर्मी तथा भाषा-संस्कृति अभियानी श्याम सुन्दर यादव पथिक अपन फेसबुक स्टेटस मे लिखैत छथिः
कला संस्कृतिक क्षेत्रमे विशिष्ट पहिचान कायम राखएमे अग्रणी सप्तरी जिलामे कलाकर्मी सभक लेल कोनो साझा स्थल नहि छल । मुदा एहिबेरक राजविराज नगरपालिकाक २०अम् परिषद् मे उच्च प्राथमिकताक योजना सूचीमे सांस्कृतिक संग्रहालय तथा नाचघर निर्माण कार्य सेहो राखल गेल अछि । कलाकर्मी सभक लेल भेल एहि डेगकेँ मैथिली कार्यकर्ता एवम् कलाप्रेमीक नाते अति हर्षक अनुभूति क’ रहल छी ।
कतेको सालस’ हमर मोनमे रहल लालसा पुरा होयवाक शुभ शंकेत बुझा रहल अछि । कियाक त अपन जीवनक सम्पूर्ण उर्जा लगाकए जिला आ’ नगरकेर नाम देश विदेशमे पहुँचौनिहार कलाकर्मीसभ एवम् कलाक्षेत्र उपेक्षाक शिकार होइत आबि रहल अछि । सदैव अपन पीडाकेँ नुकाकए दर्शककेर मनोरञ्जन सङ्गहि अपन लोक संस्कृतिकेर मूल बीज मोइरमे संरक्षित करैत आबि रहल अछि । जाहिपर हमसभ गर्व करैत छी, आ’ जकर कारणें हमर अहाँक पहिचान आ’ स्वाभिमान जीवन्त अछि । ओ कलाकारसभ जे मनुखक दुःख आ’ सुख दुनु अवस्थाक सहयात्री होइत छैक ।
एहि काजकेँ मूर्तरुप देबाक हेतु पहल कएनिहार माननीय लोकनि, राजनीतिक दल, नागरिक समाज, सञ्चारकर्मी, वडा नागरिक मञ्च, सरोकारवालासहित प्रत्यक्ष–अप्रत्यक्ष रुपमे सम्मति आ’ समर्थन जनौनिहार सभके हृदयसँ धन्यवाद । विशेष आभार हमर अनन्य मित्र राजविराज नगरपालिकाक कार्यकारी अधिकृत धिरेन्द्र कुमार यादवजीकें । एहि काजकेँ पूर्णताक लेल अपन–अपन ठामसँ प्रयत्न कएल जाओ । जय मिथिला । जय मैथिली ।।