मिथिला मे एकमात्र जीबित ‘धर्मसभा’ संपन्न, १२७ वर्ष सँ निरन्तर

सुमन समाज, बनगाँव, सहरसा। जनवरी १४, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

dharmasabhaसर्वोपकारिणी सनातन धर्म सभा धर्ममूला नदी तट (गोरहो) बनगाँव, सहरसा (मिथिला) मे संपन्न भेल । प्रतिवर्ष पौष पूर्णिमाक शुभ मुर्हूत मे भगवान (लक्ष्मीनारायण) बाबाजी कुटी स्थित ठाकुरबाड़ी सँ भजनी आ श्रद्धालु संग समस्त इलाक़ाक भक्तगण (धर्ममूला, धेमूरा-धार नदी तट गोरहो) स्नानक संग कल्पवास पर्यंत दोसर दिन भगवानक पूजन आ धर्म सभा संपन्न होइत अछि। ई मिथिलाक सनातन परंपरा संभवतः एत्तहि टा जिन्दा देखय मे अबैछ।

आय लगभग एक सौ सताईस वर्ष सँ अनवरत प्रति रविवार ठाकुरबाड़ी मे आ सालाना विशेष धर्मसभा धर्ममूला तट पर कयल जायत अछि । श्रुति अनुरूप ई परंपरा अनादिकाल सँ चलैत आबि रहल अछि परञ्च १२७ वर्षक दस्तावेज उपलब्ध हेबाक कारणे एकर वर्तमान गिनती ताहि अनुरूपें होएछ।

बाबा लक्ष्मीनाथक प्रेरणा सँ महामना पं० बबुआ खाँक अमरकीर्ति स्वरूप संस्थापित सर्वोपकरिणी सनातन धर्मसभा समस्त सनातन धर्मावलम्बी केँ आचार संहिता सदृश सत्संगक संग पवित्र शांति, मुक्ति आ परमात्मा सँ साक्षात्कार हेतु धर्माचार्य द्वारा शास्त्र प्रवचन केर श्रवण आचरण कर्तव्य पालन करब सर्वथा उचित मानल जाएछ ।