Search

गुआहाटी मे मिथिला राज्य लेल तिल-गुड़ खा कय संकल्प लेलनि

गुआहाटी, जनवरी १५, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

guwahati samkalpपृथक मिथिला राज्य केर माँग केँ लऽ कय चलि रहल देशव्यापी आन्दोलन मे भाग लैत काल्हि तिला-संक्रांतिक शुभ दिवस पर गुवाहाटी मे रहनिहार प्रवासी मैथिल समाजक लोक “संकल्प-दिवस” केर रुप मे मनौलनि अछि ।

मिथिला राज्य निर्माण सेनाक गुआहाटी यूनिट केर तत्वावधान मे आयोजित एहि संकल्प सभा मे पूर्वोत्तर राज्य मे रहनिहार मैथिल जनमानस भाग लेलनि और ध्वनिमत सँ पृथक् मिथिला राज्य निर्माण सम्बन्धी प्रस्ताव पारित कएलनि । संकल्प सभा मे संकल्प पत्र पर हस्ताक्षर कयकेँ हस्ताक्षर अभियान केँ आइ सँ औपचारीक शुरुआत सेहो कएल गेल अछि ।

पूर्वोत्तर राज्य केर विभिन्न भाग मे हस्ताक्षर अभियान केँ चलेबाक लेल विभिन्न सदस्य लोकनि केँ दायित्व देल गेल ।

सभा मे उपस्थित मैथिल तिला संक्रांतिक अवसर पर जहिना माय केर हाथ सँ ‘तिल-गुड़’ खा कय अपन जीवन मे कर्तव्य-निर्वहन करबाक शपथ लैत छथि तहिना आइ पूर्व नियोजित कार्यक्रम अनुसार अपन मातृभूमि केँ भारतक संविधान मे सम्मानित मिथिला राज्य केर स्थान दियेबाक लेल तिल-गुड़ खा कय संकल्प लेलनि अछि । किछेक सेनानी आइ दिन भैर उपास सेहो रखलैन । उपास रखनिहार मे सेनानी मे पूनम जी, श्रीप्रकाश जी, गणेश जी, प्रभाकर जी, ओमप्रकाश जी, श्रवण जी, रंजीत जी तथा ललित जी छलाह । सब कियो आगामी समय मे आन्दोलन केँ संवैधानिक तरीका सँ आगू बढ़ेबाक लेल एकजुटताक संग संकल्प लेलनि ।

Related Articles