Search

प्रवीण नारायण चौधरी

हमर जुड़िशीतल एना मनल….

काल्हि नव-वर्ष २०७४ केर शुरुआत – संक्रान्तिक दिन – नव संवत्सर आरम्भक दिन – हिन्दू नव वर्ष – मिथिला नव वर्ष आ जतय-जतय संवत्सरक हिसाब सँ नव वर्ष होएत अछि तेकर सभक नव वर्ष, नेपालदेशक सेहो नव वर्ष १ वैसाख २०७४ केँ काल्हि भेल। सतुआइन पाबनि जाहि मे सत्तू आ गूड़ केर भोग भगवानो केँ हमर जुड़िशीतल एना मनल….

मैथिली ठाकुर आजुक मिथिलाक ‘सीता’ केर स्वरूप थिकी

अभ्यंकर झा, दरभंगा। अप्रैल १५, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!! पुरनका कहावत छै ‘होनहार बिरवान के होत चिकने पात’, बेनीपट्टी प्रखंड के उड़ेन, बनकट्टा निवासी मैथिली ठाकुर पर एकदम सटीक बैठय अछि। बचपन मे जेखन लोग अ, आ और क, ख रटैत रहैत छलै तखन मैथिली सुर’क राग गुनगुनाबैत रहैत छलि। लग-पासक नमहर बुजुर्ग तखन बुच्ची मैथिली मैथिली ठाकुर आजुक मिथिलाक ‘सीता’ केर स्वरूप थिकी

धीरेन्द्र प्रेमर्षिक रंग…आखरक संग

किसलय कृष्ण, पटना। अप्रैल १५, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!! “ता धरि सीता जरबे करतै बौक बनल जा राम छै…. ककरा लग जा करतै गोहारि … तिल तिल गलैत रहैय नारि” सन शताधिक उद्वेलित करय वला गीतक रचनाकार, विगत डेढ़ दशक सँ रेडियो कार्यक्रम “हेलो मिथिला” माध्यमे मैथिलीक आमीन सयानी बनल मैथिली केर वरिष्ठ अभियानी आइ अपन धीरेन्द्र प्रेमर्षिक रंग…आखरक संग

इस्पात-नगरी बोकारोक साहित्यिक संस्था

  बोकारो मे सम्पन्न साहित्यलोकक संगोष्ठी एवं कवि-सम्मेलन – हरिश्चन्द्र हरित साहित्यलोक वस्तुत:मैथिली-साहित्य, अपन संस्कृति ओ अपन स्वर केँ अभिव्यक्ति दैत निर्बाध गति सँ गतिमान एकटा एहेन संस्था थीक, जे ओहि लौह-नगरीमे सेहो मैथिल आ मैथिलीक पहिचान बनि गेल अछि । मिथिला सांस्कृतिक परिषद् जतय साल मे एकबेर पावनि-तिहार सन समारोह कय निश्चिंत भ़ जाइत इस्पात-नगरी बोकारोक साहित्यिक संस्था

मिथिलावादी लेल अनुपम शिक्षाः आम आदमी पार्टीक जन्म सँ वर्तमान स्थिति सँ शिक्षा लेल जाउ

विचार – प्रवीण नारायण चौधरी बनियौटी सँ उत्पादक बिक्री आ मुनाफा क्षणिक मात्र संभव, उत्पादक गुणस्तर नहि रहलाक बाद बनियांक दिवालिया बनब तय जखन-जखन अहाँ आवश्यकता सँ बेसी आ यथार्थ सँ ऊपर दुनिया देखब, आर अपन दृष्टि सँ दोसर केँ सेहो रिझा लेब – लेकिन अन्ततोगत्वा ओ मात्र काव्य-कल्पना सिद्ध होयत त बनियौटी पार होय मिथिलावादी लेल अनुपम शिक्षाः आम आदमी पार्टीक जन्म सँ वर्तमान स्थिति सँ शिक्षा लेल जाउ

जनकपुर मे होयत रगधूम्मस ‘जुड़शीतल’ थाल-कादो खेलेबाक आयोजन

मिथिलाक लोकपावनिः जुड़शीतल विशेष – सुजीत कुमार झा, जनकपुरधाम मिथिलाञ्चलमे जुडशीतल पावनिके तयारी, थालमाटिक सेहो धुमगज्जर हएत मैथिली रंगमञ्चक कलाकार गुड्डु कर्ण अखन जुडशीतलक तैयारीमे छथि । हुनक गाम गंगुलीमे प्रत्येक बर्ष जुडशीतल महोत्सव होइत अछि । के बुढ – के बच्चा! सभ एकदोसरकेँ ओहि पावनिमे थाल-पानि लगबैत-ढारैत अछि । थालमाटिक पावनि देखबाक लेल जनकपुरोसँ लोक जनकपुर मे होयत रगधूम्मस ‘जुड़शीतल’ थाल-कादो खेलेबाक आयोजन

सीतामढी थिक सीताजीक असल जन्मस्थलः संस्कृति मंत्री महेश शर्माक बयान पर विवाद

महेश शर्माक बयान विवादित अछि आ कि बनायल जा रहल अछि?   भारतक राज्यसभा मे काल्हि संस्कृति मंत्री महेश शर्माक एक लिखित जबाब मे ई कहला पर सीताक जन्मस्थल सीतामढी थिक ई आस्थाक बात थिक। भारतीय जनता पार्टीक राष्ट्रीय उपाध्यक्ष एवम् वरिष्ठ भाजपा राज्य सभा सांसद प्रभात झा द्वारा प्रश्नकाल मे ‘सीतामढीक विकास सम्बन्ध मे सीतामढी थिक सीताजीक असल जन्मस्थलः संस्कृति मंत्री महेश शर्माक बयान पर विवाद

मिथिलापुत्र राधाकृष्ण चौधरीः एसिया महादेशक नामी इतिहासकार मध्य एक चर्चित हस्ताक्षर

मिथिलाक ऐतिहासिक धरोहरः अति विशिष्ट विद्वान्-इतिहासकार प्रो. राधाकृष्ण चौधरी प्रोफेसर राधाकृष्ण चौधरीक जन्म १५ फरबरी १९२१ ई. मे तथा मृत्यु १५ मार्च १९८५ ई. केँ भेलनि। ओ एक महान इतिहासकार, विचारक तथा साहित्यकार (लेखक) छलाह। बिहार केर ऐतिहासिकता आर ताहू मे मिथिलाक अलग विशिष्ट इतिहास पर हिनका द्वारा अति सूक्ष्म ढंग सँ शोध उपरान्त इतिहास मिथिलापुत्र राधाकृष्ण चौधरीः एसिया महादेशक नामी इतिहासकार मध्य एक चर्चित हस्ताक्षर

पोखरिभीड़ा मे मैथिली हास्य-व्यंग्य कवि सम्मेलनक आयोजन चैती दुर्गाक अवसरपर

जतरा दिन पोखरिभीड़ाक दुर्गास्थान मे – हरिश्चन्द्र हरित चैती नवरात्राक विजयादशमी दिन मैथिली हास्य-व्यंग्य कवि-सम्मेलन अपन चरम-उत्कर्ष पर रहल । दरभंगा जिलाक तारडीह प्रखंडक पोखरिभीड़ा गामक ई दुर्गास्थान मधुबनीक सीमावर्त्ती गाम रहने दूनू जिलाक लोकक लेल आकर्षणक विषय छल । जनतब दी जे आइधरि मिथिला-मैथिलीक कोनोटा कार्यक्रमक ई पहिल अवसर रहबाक कारणे हमरोसभक लेल चुनौती पोखरिभीड़ा मे मैथिली हास्य-व्यंग्य कवि सम्मेलनक आयोजन चैती दुर्गाक अवसरपर

किरण मैथिली-मिथिला जगत् लेल शताब्दी पुरुष केर भूमिका मे रहलाहः उजान मे किरण स्मृति

डा. रामसेवक झा, उजान। अप्रैल १२, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!! किरण मैथिली साहित्य शोध संस्थान, धर्मपुर (उजान), किरण मैथिली एडुकेशन तथा अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद्; वेलफेयर सोसाइटी, हजारीबाग एवं साहित्यिकी, सरिसब पाही केर संयुक्त तत्वावधान मे आयोजित किरण स्मृति दिवस समारोह आयोजित भेल +२ उच्च विद्यालयक प्रांगण मे। २०म शताब्दीक आरम्भकाल सँ आजीवन अपन जीवन केँ मैथिली किरण मैथिली-मिथिला जगत् लेल शताब्दी पुरुष केर भूमिका मे रहलाहः उजान मे किरण स्मृति