महेश शर्माक बयान विवादित अछि आ कि बनायल जा रहल अछि?
भारतक राज्यसभा मे काल्हि संस्कृति मंत्री महेश शर्माक एक लिखित जबाब मे ई कहला पर सीताक जन्मस्थल सीतामढी थिक ई आस्थाक बात थिक। भारतीय जनता पार्टीक राष्ट्रीय उपाध्यक्ष एवम् वरिष्ठ भाजपा राज्य सभा सांसद प्रभात झा द्वारा प्रश्नकाल मे ‘सीतामढीक विकास सम्बन्ध मे राखल गेल प्रश्न आर ताहि मे सीताक जन्मस्थान सीतामढी बिना-विवाद (undisputed) स्थापित रहबाक बात’ कहल गेलाक जबाब मे संस्कृति मंत्री महेश शर्मा हिन्दी मे लिखित जबाब मे “सीताक जन्मस्थान आस्थाक विषय थिक’ कहलाक कारण हुनकर कथन केँ कांग्रेसक वरिष्ठ राज्यसभा सांसद दिग्विजय सिंह विरोध करैत कहलनि जे यथार्थतः एहने तर्क कांग्रेस सरकार द्वारा भारत-लंकाक बीच राम-सेतु होयबाक सम्बन्ध मे देल गेल बयान केर विरोध मे विपक्षीक भूमिका मे रहल भाजपा द्वारा बड पैघ टंटा ठाढ कएल गेल छल। मंत्रीक जबाब सँ लोकक आस्था पर चोट पहुँचैत अछि जे सीतामढी मे सीताक जन्मस्थान होयबाक बात केँ प्रमाण सँ तूलना करैत अपन बात रखलैन अछि। दिग्विजय सिंह ईहो कहला जे आइ जे सत्ता धरिक यात्रा भाजपा द्वारा भेल अछि ताहि मे रामक नाम केर कतेक पैघ भूमिका अछि ई सर्वविदिते अछि तखनहुँ एहि तरहक कमजोर आ विवादित बयान एक मंत्री लेल कतेक उचित ई विचारय योग्य बात थिक।
दिग्विजय सिंह कहलखिन, “To say that the birthplace of Sita was a matter of faith shows that it ‘does not rely on direct evidence’,” – अर्थात् ई कहब जे सीताक जन्मस्थल आस्थाक विषय थिक कहनाय माने भेल जे ओकर कोनो प्रत्यक्ष साक्ष्य नहि अछि। ताहि पर मंत्री अपन बयानक बचाव करैत पुनः बजला जे हमर बात केँ गलत ढंग सँ मतलब निकालल जा रहल अछि, सीताक जन्मस्थल पर कोनो प्रश्न नहि ठाढ कएल गेल अछि, वाल्मीकि रामायण द्वारा उल्लेखित ‘मिथिला’ शब्द केर उल्लेख अनुरूप लिखित बयान देल गेल अछि।’
मंत्री अपन स्पष्टीकरण मे ईहो बजला, “The Archaeological Survey of India has not carried out any excavation in the district of Sitamarhi so far, and hence it does not have any historical proof,” यानि भारतीय पुरातत्व विभाग द्वारा सीतामढी मे आइ धरि कोनो उत्खनन कार्य नहि कएल गेल अछि, अतः एकर कोनो ऐतिहासिक सबूत नहि अछि। एहि सन्दर्भ पर विपक्षक नेता दिग्विजय सिंह द्वारा बयानक निन्दा आर भाजपाक रामक नाम पर राजनीति करबाक टिप्पणी करैत प्रश्न ठाढ करैत ई कहल गेल जे यदि ई आस्थाक विषय थिक आर एकर अर्थ भेल जे एकर कोनो प्रमाण नहि अछि…. कि सरकार लग हुनका (राम व सीता) लोकनिक स्वयंवर केर कोनो प्रमाण अछि?”
दिग्विजय सिंह हुनका सँ माफीनामाक मांग सेहो कएलनि। विरोध जतेनिहार अन्य विपक्षी सदस्य लोकनि मे समाजवादी पार्टीक जया बच्चन, जद (यू) केर अनिल कुमार सहनी आ काँग्रेस पार्टीक अम्बिका सोनी सेहो छलीह। उपरोक्त टिप्पणी पर कम्युनिष्ट पार्टीक सीताराम येचुरी सेहो चुटकी लेलनि जाहि पर हँसीक फव्वारा छूटल आर उपस्थित प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी सेहो हुनका दिशि देखि मुस्कुरेलाह, जखन कि सभाध्यक्ष हमिद अनसारी हुनका अपन नाम लेल दुःखी नहि होयबाक बात कहैत हास्य सेहो केने छलाह।
हरिः हरः!!