किरण मैथिली-मिथिला जगत् लेल शताब्दी पुरुष केर भूमिका मे रहलाहः उजान मे किरण स्मृति

डा. रामसेवक झा, उजान। अप्रैल १२, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

किरण मैथिली साहित्य शोध संस्थान, धर्मपुर (उजान), किरण मैथिली एडुकेशन तथा अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद्; वेलफेयर सोसाइटी, हजारीबाग एवं साहित्यिकी, सरिसब पाही केर संयुक्त तत्वावधान मे आयोजित किरण स्मृति दिवस समारोह आयोजित भेल +२ उच्च विद्यालयक प्रांगण मे।

२०म शताब्दीक आरम्भकाल सँ आजीवन अपन जीवन केँ मैथिली भाषा तथा मिथिला संस्कृति केर रक्षार्थ अभियान मे समर्पित कएनिहार आंदोलनधर्मी एवं मैथिली साहित्यक क्रांतिधर्मी कथाकार, कवि, आलोचक, डा. काञ्चीनाथ झा ‘किरण’ कें श्रद्धांजलि स्वरूप उद्बोधन मे प्रमुख व्यक्तित्व छलाह डा. देवेन्द्र झा, प्रफुल्ल कोलख्यान, डा. रमानंद झा रमण, डा. रामजी ठाकुर, डा. खुशीलाल झा, डा. नारायण झा, डा. किशोरनाथ झा, रामलोचन ठाकुर, डा. यशोदानाथ झा, डा. उदयचंद्र झा विनोद। एहि महान दिग्गज मैथिलीसेवी लोकनिक अतिरिक्त नव पीढीक कतिपय गणमान्य साहित्य सेवी तथा अभियानी लोकनिक सहभागिता एहि समारोहक विशिष्टता रहल।

डा. काञ्चीनाथ झा ‘किरण’ केर आजीवन योगदान पर प्रकाश दैत वक्ता लोकनि मैथिली-मिथिला लेल हिनक शताब्दी पुरुष होयबाक बात कहलनि। किरण नहि मात्र मैथिली भाषा-साहित्य केँ भारतक एक समृद्ध आ विकसित भाषाक रूप मे प्रचारित-प्रसारित करबाक काज कएलनि बल्कि स्वयं सक्रियता सँ विभिन्न विश्वविद्यालय मे मैथिलीक पढाई करेबाक आर अपन मित्र-मंडली मे रहल विभिन्न सक्षम मित्र लोकनि सँ पर्यन्त मैथिली लेखन मे आगू आबि मातृभाषाक सेवा करबाक प्रेरणा-स्रोत सेहो बनलाह। भारतीय संघ मे मिथिला राज्यक स्थापना हो तखनहि एहि क्षेत्रक समुचित विकास होयबाक संग एहि ठामक लोक केर मौलिक पहिचान तथा सभ्यताक वैशिष्ट्यक रक्षा होयत – एहि समस्त किरण सिद्धान्त पर वक्ता लोकनि द्वारा विस्तार मे चर्चा भेल।

अजित आजाद केर कुशल संचालन मे भव्य काव्य गोष्ठी भेल जाहि मे आनंद मोहन झा, आनंद कुमार झा, कवि जीवन, प्रीतम निषाद, प्रवीण कुमार मिश्र , दिलीप कुमार झा, रामचंद्र मिश्र मधुकर, ईशनाथ झा, डा. रामसेवक झा, रामसेवक ठाकुर, लखनजी स्थितिप्रज्ञ, संजीव शमा सहित कुल २३ गोट कवि लोकनि सहभागी भेलाह।

संस्थानक स्मारिका “उद्यान किरण” केर लोकार्पण उपरिवर्णित वरेण्य विद्वानक संग-संग संपादक मंडल ( डा. सतीरमण झा, डा. शिवशंकर श्रीनिवास, स्थितिप्रज्ञ, ईशनाथ झा एवं सुरेश पासवान) द्वारा संयुक्त रूप सँ कयल गेल।

डा. रामचंद्र मिश्र मधुकर कें २०१६ ई. केर किरण सम्मान देल गेल जे पूर्वक सम्मानित रामलोचन ठाकुर द्वारा प्रशस्ति पत्र एवं १५,५५१/- रु. क चेकक रूप मे प्रदान कयल गेल।