Search

प्रवीण नारायण चौधरी

रामचरितमानस मोतीः श्री राम-सीता-लक्ष्मण केर वन गमन प्रसंग

स्वाध्याय – प्रवीण नारायण चौधरी रामचरितमानस मोती श्री राम-सीता-लक्ष्मण केर वन गमन, नगरवासी केँ शयन करैत छोड़ि वन मे आगू बढब… १. वन लेल सब आवश्यक वस्तु संग लय श्री रामचन्द्रजी पत्नी (श्री सीताजी) व भाइ (लक्ष्मणजी) सहित, ब्राह्मण ओ गुरु लोकनिक चरण वन्दना कयकेँ सब केँ अचेत करैत चलि देलाह। राजमहल सँ निकलिकय श्री रामचरितमानस मोतीः श्री राम-सीता-लक्ष्मण केर वन गमन प्रसंग

मिलाफ नेपालक पाँचम वार्षिकोत्सव कार्यक्रम पाँचटा सत्रक संग पूरा

राजविराज, सप्तरी। 12 दिसम्बर 2022, मैथिली जिन्दाबाद!! मिलाफ नेपालक पाँचम वार्षिकोत्सव कार्यक्रम पाँचटा सत्रक संग पूरा दिनाङ्क २०७९ अगहन २४ गते मिथिला साहित्य-कला प्रतिष्ठान नेपाल (MiLAF Nepal) के पाँचम वार्षिकोत्सव मधेश प्रदेशक उपसभामुख उपमा देवक प्रमुख आतिथ्यमे आ मिलाफ अध्यक्ष रमिला साहक अध्यक्षतामे राजविराज नगरपालिका, सप्तरीक सभागृहमे आयोजित वार्षिकोत्सव कार्यक्रम सु-सम्पन्न भेल अछि। ■ मैथिली मिलाफ नेपालक पाँचम वार्षिकोत्सव कार्यक्रम पाँचटा सत्रक संग पूरा

रामचरितमानस मोतीः श्री रामजी सीताजी व लक्ष्मणजीक संग दशरथजी सँ भेंट

स्वाध्याय – प्रवीण नारायण चौधरी रामचरितमानस मोती श्री रामजी, लक्ष्मणजी, सीताजीक महाराज दशरथ लग विदा माँगय आयब, दशरथजीक सीताजी केँ बुझायब १. ‘श्री रामजी पधारलनि अछि’, ई प्रिय वचन कहिकय मंत्री राजा केँ उठाकय बैसौलनि। सीता सहित दुनू पुत्र केँ (वन जाय लेल तैयार) देखि राजा बहुत व्याकुल भ’ गेलाह। सीता सहित दुनू सुन्दर पुत्र रामचरितमानस मोतीः श्री रामजी सीताजी व लक्ष्मणजीक संग दशरथजी सँ भेंट

रामचरितमानस मोतीः श्री लक्ष्मण-सुमित्रा संवाद

स्वाध्याय – प्रवीण नारायण चौधरी रामचरितमानस मोती श्री लक्ष्मण-सुमित्रा संवाद १. श्री रामजीक आज्ञा पाबि लक्ष्मणजी हर्षित हृदय सँ माता सुमित्राजी लग गेलाह। मानू जेना आन्हर केँ फेर सँ आँखि भेट गेल होइ किछु तेहने अवस्था छलन्हि एहि घड़ी हुनकर। माताक चरण मे मस्तक नमौलनि धरि मोन हुनकर रघुकुल केँ आनन्द दयवला श्री रामजी और रामचरितमानस मोतीः श्री लक्ष्मण-सुमित्रा संवाद

समूह एक गतिविधि अनेकः दहेज मुक्त मिथिला – एहि सप्ताह

सोशल मीडिया आ मैथिली-मिथिला – कीर्ति नारायण झा [फेसबुक समूह दहेज मुक्त मिथिला आ ओकर गतिविधि पर साहित्यकार कीर्ति नारायण झा केर साप्ताहिक समीक्षा काफी गम्भीर व महत्वपूर्ण होइत आबि रहल अछि। मैथिली जिन्दाबाद केर पाठक लेल श्री झा द्वारा कयल जा रहल समीक्षा एतय प्रत्येक शनि केँ राखल जायत। ‍- सम्पादक] १० दिसम्बर २०२२ – समूह एक गतिविधि अनेकः दहेज मुक्त मिथिला – एहि सप्ताह

रामचरितमानस मोतीः श्रीराम-लक्ष्मण संवाद

स्वाध्याय – प्रवीण नारायण चौधरी रामचरितमानस मोती श्री राम-लक्ष्मण संवाद १. जखन लक्ष्मणजी ई समाचार पेलनि जे श्री रामजी वनगमन करता त ओ बहुत व्याकुल भ’ उदास मुँहे उठि दौड़लाह। शरीर काँपि रहल छन्हि, रोमांचित सेहो भ’ रहल छन्हि, आँखि मे नोर भरि गेल छन्हि… प्रेम सँ अत्यन्त अधीर भ’ ओ श्री रामजीक चरण पकड़ि रामचरितमानस मोतीः श्रीराम-लक्ष्मण संवाद

१७ दिसम्बर केँ पटना मे देल जायत वैदेही सम्मान: अनुपम मुहिम के अनुपम डेग

९ दिसम्बर २०२२, मैथिली जिन्दाबाद!! मेन्सट्रुअल हाईजिन टार्गेट (अनुपम मुहिम) सँ प्रसिद्ध अभियानक संचालिका सह सामाजिक-राजनीतिक नेतृ अनुपम झा जनतब दैत कहली जे आगामी १७ दिसम्बर २०२२ केँ पटनाक विद्यापति भवन मे “वैदेही सम्मान” वितरण करबाक संग मैथिली भाषा ओ मिथिला संस्कृतिक संवर्धनक निमित्त बिहारक राजधानी मे सांस्कृतिक आयोजन कयल जायत। एहि कार्यक्रमक भूमिका एकर १७ दिसम्बर केँ पटना मे देल जायत वैदेही सम्मान: अनुपम मुहिम के अनुपम डेग

पिताक सीखः अपना सँ उपर देखब त घेंट नमड़ि जायत

पिताक सीख – प्रवीण नारायण चौधरी पिता प्रति समर्पित ई एक लेख…. हे पिता, हम अपन बौद्धिक सामर्थ्य सँ कखनहुँ अहाँक आदर्श पथ सँ विचलित नहि होइ एतबा चाहैत छी। हमर अपन जीवन मे अहाँक सिखायल मार्ग मात्र काज आबि रहल अछि। ओना त सम्पूर्ण मानव संसार सामाजिक प्राणीक रूप मे हमेशा एक-दोसर सँ जुड़ियेकय पिताक सीखः अपना सँ उपर देखब त घेंट नमड़ि जायत

सन्देशमूलक कथाः जबानी मे कुतिया सेहो हसीन होइछ

कथा – प्रवीण नारायण चौधरी जबानी मे कुतिया भी हसीन वला कथा हमर एकटा काकी खौंझाकय कहल करथि, “जबानी मे कुतिया भी हसीन लगती है रे बेटा…. कर जे मोन होइत छौक, बाद मे अपने बुझबिहिन।” ई बात ओ तखन कहथिन जखन हम किछु बेसिये अपना केँ एडवान्स देखेबाक चक्कर मे कहियनि जे हमरा अपन सन्देशमूलक कथाः जबानी मे कुतिया सेहो हसीन होइछ

महत्वपूर्ण पोथीः गीता-दर्पण

पोथी परिचय गीताप्रेस सँ प्रकाशित अछि – गीता-दर्पण। एकर लेखक छथि सुप्रसिद्ध स्वामी रामसुखदास। एखन धरि अनेकों संस्करण प्रकाशित भ’ चुकल अछि। लाखों प्रति आ करोड़ों पाठक द्वारा पढ़ल जा चुकल अछि ई पोथी। एहि मे गीताक व्यावहारिक उपयोगिता पर हम मानव समुदाय लेल समुचित सन्देश लिखल गेल अछि। मैथिली जिन्दाबाद पर सम्पादक प्रवीण नारायण महत्वपूर्ण पोथीः गीता-दर्पण