मिथिलाभाषा रामायणः सप्तम् अध्याय – मंत्री सुमन्तजीक अयोध्या घुरब
स्वाध्याय कविचन्द्र विरचित मिथिलाभाषा रामायण अध्याय सातम् मंत्री सुमन्तजीक अयोध्या वापसी ।मिथिला संगीतानुसारेण पार्व्वतीयबराड़ी नाम छन्दः। ओतय अयोध्या मन्त्रि सुमन्त्र । पहुचि सरथ भेल दिवसक अन्त ॥१॥ वसनहि सौँ मुह कय लेल ओट। राम-वियोग दुःख बड़ गोट ॥२॥ नोरक लेल गेल तन तीति । पुर-प्रवेश मे हो बड़ भीति ॥३॥ रथ छोड़ल बाहर नृप-द्वार । … मिथिलाभाषा रामायणः सप्तम् अध्याय – मंत्री सुमन्तजीक अयोध्या घुरब







