Search

प्रवीण नारायण चौधरी

दरभंगिया हिन्दी (एकांकी नाटक)

भूमिका: मिथिलावासीक भाषिक पहिचान मैथिली भाषा सँ मैथिल होइत अछि। राजा हरसिंह देवक समय मे कहाँ दैन मैथिल मूल जाति आ उपजातिक रूप मे अन्य जातिक बँटवारा भेल छल। सब जातिक जन्म, विवाह आ मृत्यु आदिक पंजियन सेहो शुरु कैल गेल छल। आइ केवल किछुए जाति मे ई पंजियन प्रथा जीबित अछि, सेहो मृत्योन्मुखी…. एहि दरभंगिया हिन्दी (एकांकी नाटक)

मिथिलाक ‘परंपरा’ विजेता बनय सँ मात्र दुइ डेग पाछाँ: सबहक सहयोग लेल अपील

सारिका ठाकुर, अगस्त २७, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!! रवीन्द्रक परंपरा निभा रहल छथि पोती परंपरा मैथिली लेल समर्पित श्री रवीद्र नाथ ठाकुरक गीत-संगीतक परंपरा कें आगाँ बढ़ौलनि ज्येष्ठ पुत्र अवनीन्द्र नाथ आ पुत्रवधु संगीता ठाकुर, दुनू गोटे गायकीक दुनिया मे गणनीय छथि। वएह ताग धय रविन्द्रक पोती यानि अवनीन्द्र-संगीताक पुत्री परंपरा ठाकुर(किट्टी) जा पहुंचलीह & TV मिथिलाक ‘परंपरा’ विजेता बनय सँ मात्र दुइ डेग पाछाँ: सबहक सहयोग लेल अपील

मिथिला समागम – २९ आ ३० अगस्त मधुबनी मे: प्रश्न अछि केकर मिथिला

मधुबनी, अगस्त २७, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!! यैह २९-३० अगस्त यानि शनि आ रवि दिन मधुबनीक महंथी लाल चौक स्थित फ्रीडम भवन मे ‘मिथिला समागम’ कार्यक्रम केर आयोजन कैल जा रहल अछि। एकर संयोजक उमाकान्त झा बक्शी एहि लेल निरंतर फेसबुक आ व्हाट्सअप आदिक मार्फत आयोजन-परिकल्पना सँ आम जनमानस केँ अवगत करा रहला अछि। एहि लेल मिथिला समागम – २९ आ ३० अगस्त मधुबनी मे: प्रश्न अछि केकर मिथिला

प्रश्नोत्तर मणिमाला

संकलन: धर्म-मार्गी ब्रह्म देव शर्मा अनुवाद: प्रवीण नारायण चौधरी प्रश्न -१ अर्पण करबाक कि अर्थ होइत छैक? उत्तर – अर्पण सँ अर्थ होइछ जे अपनापन छोड़ि दी। प्रश्न -२ भगवान केँ सर्वस्व अर्पण कएलाक बाद कि पुर्व संस्कारवश निषिद्ध कर्म भऽ सकैत छैक? उत्तर – नहि भऽ सकैत छैक। प्रश्न -३ कि भुलवश एहेन अंहकार भऽ सकैत छैक जे हम प्रश्नोत्तर मणिमाला

मिथिलाक दुर्दिन

आलेख (आत्ममंथन) – प्रवीण नारायण चौधरी मिथिलाक ९९% जनताक वर्तमान स्थिति यैह छैक जे ओ ‘अपन’ पहिचानक विशिष्टता सँ पूर्ण रूप सँ कटि गेल अछि। नहिये ओकरा भाषिक पहिचान सँ कोनो आत्मसम्मान भेटैत छैक, नहिये ओ अपन भौगोलिक विशिष्टता सँ कोनो तरहक आकर्षण स्वीकार करैत अछि, नहिये ओकरा कोनो तरहक ऐतिहासिकता सँ लगाव छैक….. बस मिथिलाक दुर्दिन

नेपालक अर्थतंत्र मे प्रवासी कमौआ पुतक योगदान

विदेशी मुद्राक आर्जन मे प्रवासी कमौआ पुतक योगदान!! पहिल बेर जखन पिताक आँखि सँ दूर परदेश जयबाक बेर आयल तैयो पिता येन-केन-प्रकारेन बाहर नहि जाय आ घरे पर रहय सय्ह चाहैत कोनो-न-कोनो बहन्ना मे रोकि लैत छलाह। पता नहि कतेक स्नेह छलन्हि – आ से बात आब स्वयं बाप बनिकय हमहुँ बुझैत छियैक जे संतान नेपालक अर्थतंत्र मे प्रवासी कमौआ पुतक योगदान

मिथिला मे अभियानक सफलता-असफलता: एक गंभीर दृष्टिकोण

सन्दर्भ ए दहेज-मुक्त-मिथिला ‍- प्रवीण नारायण चौधरी   आइ व्हाट्सअप पर किछु उत्साही युवा एहि अभियान पर प्रश्न उठेलनि जे सक्रियता महाराष्ट्र मे भेला सँ अथवा कोनो शहर आ फेसबुक टा पर रहला सँ आम जनमानस धरि कोनो लाभ नहि पहुँचि रहल अछि। ई कोनो पहिल बेर नहि जे एहि तरहक प्रश्न उपरोक्त दहेज मुक्त मिथिला मे अभियानक सफलता-असफलता: एक गंभीर दृष्टिकोण

संत कबीर आ हुनकर दोहा

स्वाध्याय संकलन: धर्म मार्ग भारतवर्ष मे समय-समय पर एहेन तेजस्वी व्यक्तित्व लोकनिक जन्म भेल अछि जे वेद मे देल ईशक वचन केँ स्वत: प्रमाणित करैत अछि। भारत मे एक निश्चित समय केँ भक्ति आन्दोलन केर समय मानल जाइत अछि। जखन एहि भूमि पर यवन आक्रमण सँ सनातन धर्म भ्रष्ट होयबाक भ्रान्ति पसरय लागल, एक-दोसर मे संत कबीर आ हुनकर दोहा

कतार सँ खुशी के खबड़

अगस्त २५, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!! कतार सँ बिन्देश्वर ठाकुर समाद दैत छथि, “खुशीके खबर ….. खुशीके खबर …. खुशीके खबर” मैथिली भाषा-साहित्यमे रुचि रखनिहार तथा सृजना केनिहार सर्जक-स्रष्टासबहक लेल खुशीके खबर …… इएह अगस्त, 2015 सँ प्रतेक मासक अन्तिम शुक्रदिन शुरु होबए जा’ रहल मैथिली साहित्यिक कार्यक्रम – “साँझक चौपारि-पर” मे अपन-अपन मैथिली-गीत,गजल,कविता वा आन-आन कतार सँ खुशी के खबड़

नेपाल मे अशान्ति लेल भारत चिन्तित: आपसी वार्ता सँ सहमति बनेबाक प्रधानमंत्री मोदीक अनुरोध

नई दिल्ली, २५ अगस्त, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!! नेपाल केर प्रधानमंत्रीक संग भारतीय प्रधानमंत्री केर टेलीफोन पर बातचीत भारतीय विदेश मंत्रालय द्वारा जारी कैल गेल विज्ञप्तिक मुताबिक नेपालक वर्तमान अशान्ति पर भारतक प्रधानमंत्री चिन्ता व्यक्त करैत नेपाली प्रधानमंत्री सुशील कोइराला संग टेलिफोन पर बातचीत केलनि अछि। प्रधानमंत्री श्री नरेन्द्र मोदी नेपाल केर प्रधान मंत्री श्री सुशील नेपाल मे अशान्ति लेल भारत चिन्तित: आपसी वार्ता सँ सहमति बनेबाक प्रधानमंत्री मोदीक अनुरोध