सारिका ठाकुर, अगस्त २७, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
रवीन्द्रक परंपरा निभा रहल छथि पोती परंपरा
मैथिली लेल समर्पित श्री रवीद्र नाथ ठाकुरक गीत-संगीतक परंपरा कें आगाँ बढ़ौलनि ज्येष्ठ पुत्र अवनीन्द्र नाथ आ पुत्रवधु संगीता ठाकुर, दुनू गोटे गायकीक दुनिया मे गणनीय छथि। वएह ताग धय रविन्द्रक पोती यानि अवनीन्द्र-संगीताक पुत्री परंपरा ठाकुर(किट्टी) जा पहुंचलीह & TV पर आयोजित कार्यक्रम The Voice of Inda मे!! अपन प्रतिभाक दम पर परंपरा चैंपियन बनबा सौं एके दू डेग पाछू छथि, मिथिलांचलक आशीष सौं चैंपियन सेहो भ सकैत छथि।
परंपरा(किट्टी) के वोट देबा लेल – 57575 पर सबसौ पहिने VOICE लिखु (कैपिटल में) तकर बाद स्पेस दऽ कऽ PAR लिखि SMS पठा दियौक।
मिस काल लेल 09021103675 पर डायल करू! शनि के राति 9 बजे जरूर देखू The Voice of india – &TV पर।
एक नंबर सँ 99 काल भ सकैत छैक।
परंपराक गीत सुनबा लेल एहि लिंक पर क्लिक करू
http://www.thevoiceindia.in/videos/parampara-thakur-performance-live-show-episode-17-august-1-2015-the-voice-india.html
http://www.thevoiceindia.in/videos/parampara-and-manisha-performance-blind-auditions-episode-15-july-25-2015-the-voice-india.html
http://www.thevoiceindia.in/videos/parampara-thakur-performance-episode-23-august-22-2015-the-voice-india.html#comments
विदित हो जे परंपरा बच्चहि सँ गीत-संगीत मे अव्वल रहली। आ अपन विद्यालय आर महाविद्यालय सँ सेहो कतेको बेर पुरस्कृत भऽ चुकलीह। बहुत कम उम्र मे राजस्थान राज्य केर जिंगल मे सेहो अपन आवाज देलनि। वर्तमान समय मे अन्तिम तीन गोट कलाकार मे एक परंपरा मंच पर अपन प्रतिभा सँ जूटल छथि। आब पब्लिक केर वोटक आवश्यकता छन्हि। ताहि लेल हम सब कियो हुनकर समर्थन मे ठाढ होइत मिथिला लेल एकटा पैघ उपलब्धि हासिल करी। विशेष शुभे हे शुभे!!