नई दिल्ली, २५ अगस्त, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
नेपाल केर प्रधानमंत्रीक संग भारतीय प्रधानमंत्री केर टेलीफोन पर बातचीत
भारतीय विदेश मंत्रालय द्वारा जारी कैल गेल विज्ञप्तिक मुताबिक नेपालक वर्तमान अशान्ति पर भारतक प्रधानमंत्री चिन्ता व्यक्त करैत नेपाली प्रधानमंत्री सुशील कोइराला संग टेलिफोन पर बातचीत केलनि अछि।
प्रधानमंत्री श्री नरेन्द्र मोदी नेपाल केर प्रधान मंत्री श्री सुशील कोइराला सँ आइ टेलीफोन पर बात केलनि। प्रधानमंत्री मोदी नेपाल मे हिंसा मे मारल गेल लोक प्रति दु: ख व्यक्त केलनि अछि और मृतक सबहक परिजन तथा नेपाली जनमानस प्रति अपन संवेदना संदेश देलनि अछि। प्रधानमंत्री मोदी अहू बात लेल चिन्ता व्यक्त केलनि जे नेपालक राजनीतिक और सामाजिक अस्थिरता हालहि घटित त्रासदीपूर्ण महाभूकंप सँ प्रभावित लोककेर दु:ख-समस्याकेँ आरो बढि जायत।
संयम केर अभ्यास सँ शान्ति आ शासन केर पुनर्बहाली लेल प्रधानमंत्री मोदी माँग केलनि। ओ सरकार सहित समस्त राजनीतिक दल तथा नेपाली जनता सँ हिंसाक बाट त्यागिकय सद्भावना बहाली करबाक लेल अपील केलनि।
ओ नेपाल द्वारा शांति प्रक्रिया और संविधान केर मसौदा तैयार करबाक ऐतिहासिक प्रगति केर सराहना सेहो केलनि। संगहि ओ अपन संदेश देलनि जे सब राजनीतिक दल समस्त जनता आर समाजक सब वर्ग केँ समावेश करैत अधिकतम संभाव्य परामर्शक प्रक्रिया अपनाबैथ, जाहि सँ विश्वास आर भरोसाक माहौल आरो मजबूत बनत, आर वार्ताक माध्यम सँ समस्त लंबित मुद्दाक समाधान निकालैथ जाहि सँ एकीकृत, शान्तिपूर्ण, स्थायी आ समृद्ध नेपाल बनेबाक प्रत्येक नागरिकक जनाकांक्षा केँ पूरा कैल जा सकत।
प्रधानमंत्री मोदी एकटा पड़ोसीक रूप मे भारत द्वारा नेपाल केर सुरक्षा वास्ते ओ सब सहयोग कैल जेबाक वचन देलनि जे भारत कय सकैत अछि। प्रधानमंत्री मोदी कहलनि जे भारतक एकमात्र इच्छा नेपाल मे शान्तिपूर्ण माहौल, स्थिरता, प्राजातंत्र आर समृद्धिक निर्माण मे सहयोग करब अछि, अपन समकक्षी प्रधानमंत्री कोइराला सँ समृद्ध सामाजिक विविधता, विशाल संसाधन और असाधारण प्रतिभा सँ राष्ट्र केर ताकत भेटबाक बात सेहो कहलैन। ओ दोहराबैत कहलैन जे प्रत्येक नेपाली नागरिक केर जनाकांक्षा अनुरूप यैह लक्ष्य केर प्राप्ति केँ प्राथमिकता दैत भारत हरसंभव मदैद नेपाल केँ करैत रहत।

2 Comments
आज प्रधानमंत्री श्री नरेंद्र मोदी ने नेपाल के प्रधानमंत्री श्री सुशील कुमार कोईराला से टेलीफोन पर बात की।
प्रधानमंत्री मोदी ने नेपाल में हिंसा में लोगों के मारे जाने पर शोक प्रकट किया तथा मृतकों के परिवारों एवं नेपाल के लोगों के प्रति अपनी शोक संवेदना व्यक्त की। प्रधानमंत्री मोदी ने इस बात पर चिंता व्यक्त की कि राजनीतिक एवं सामाजिक अस्थिरता से नेपाल में हाल में आए भूकंप से उत्पन्न त्रासदी गंभीर रूप से बढ़ जाएगी।
प्रधानमंत्री मोदी ने संयम बरतने तथा शांति एवं व्यवस्था बनाए रखने का आह्वान किया। उन्होंने सरकार, सभी राजनीतिक दलों तथा नेपाल के लोगों से हिंसा से दूर रहने और सामाजिक सामंजस्य बनाए रखने की अपील की।
शांति प्रक्रिया तथा अपना संविधान तैयार करने में नेपाल ने जो ऐतिहासिक प्रगति की है उसकी उन्होंने सराहना की। उन्होंने इस संदेश को दोहराया कि नेपाल के राजनीतिक नेतृत्व को सभी राजनीतिक दलों के बीच वार्ता के माध्यम से तथा आम जनता सहित अधिकतम संभव व्यापक परामर्श की प्रक्रिया के माध्यम से सभी बकाया मुद्दों का समाधान करना चाहिए ताकि समाज के सभी वर्गों में एवं उनके बीच विश्वास एवं भरोसे के माहौल को सुदृढ़ किया जा सके और ऐसे समाधान निकल सकें जो एकजुट, शांतिपूर्ण, स्थिर एवं खुशहाल नेपाल के अंदर बहुत ही विविध समाज के सभी नागरिकों की इच्छा को प्रतिबिंबित और समाहित करें।
प्रधानमंत्री मोदी ने यह भी कहा कि पड़ोसी के रूप में भारत वह सब कुछ करेगा जिसे यह नेपाल में सुरक्षा के लिए कर सकता है।
प्रधानमंत्री मोदी ने प्रधानमंत्री कोईराला को आश्वस्त किया कि भारत की एकमात्र इच्छा यह है कि यह शांतिपूर्ण, सुरक्षित, स्थिर, लोकतांत्रिक एवं खुशहाल नेपाल के उद्भव को देखना चाहता है जो अपनी समृद्ध सामाजिक विविधता, प्रचुर संसाधनों और असाधारण प्रतिभा से अपनी शक्ति प्राप्त करे। उन्होंने दोहराया कि इस लक्ष्य को प्राप्त करने के लिए, भारत नेपाल के लोगों की इच्छाओं एवं प्राथमिकताओं के अनुसार नेपाल को सभी सहायता प्रदान करना जारी रखेगा।
प्रधानमंत्रीक टेलिफोन वार्ताक हिन्दी रूपान्तर एहि तरहक प्रकाशित कैल गेल अछि।