Search

प्रवीण नारायण चौधरी

बिहार मे वोट – जाति आधारित वोटबैंक बनल कैन्सर

स्तम्भ – आलेख – रंजित चौधरी जातिवादक नीति खत्म करु!! यादव, यादवें क’ वोट देत, मुसलमान त’ जनिए क’ अपनहि बिरादरीक देत, एम्हर सोलकनवर्ग जे अछि तिनका किछु सुंगहा दियौक ओ ओकरहि पीछा पकडि लेत, मुदा बाभन जे अछि ओ अपनहि मेँ कटमारि करैत सबटा वोट केँ छीट-फुट करैय मे लागि जाइछ आ अंततः वोटक वर्गीकरण करैत बिहार मे वोट – जाति आधारित वोटबैंक बनल कैन्सर

साँझक चौपारि पर – मैथिली साहित्य संध्या – दोहा (कतार) मे संपन्न

विन्देश्वर ठाकुर, दोहा (कतार)। सितम्बर २७, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!! २६ सेप्टेम्बर, २०१५ शनि दिन “मातृभाषाक जगेर्णा हमरा सबहक प्रेरणा” मूल नाराक संग कतारमे रहनिहार मैथिल सर्जक लोकनि द्वारा दोहाक मुन्ताजा पार्कमे खुल्ला मैथिली साहित्यिक कार्यक्रम – “साँझक चौपारि- पर” केर दोसर मासक बैसार सम्पन्न कएल गेल । ज्ञातव्य अछि जे अगस्त महिनामे अहिठाँ पहिल मासक साँझक चौपारि पर – मैथिली साहित्य संध्या – दोहा (कतार) मे संपन्न

मैथिल समाज बुटवल केर बैसार संपन्न

मुखीलाल चौधरी, बुटवल। सितम्बर २७, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!! दिनाड़्क 2072 आश्विन 9 गते शनिदिन भोरे 08 बजे मैथिल समाज नेपाल रुपन्देही, बुटवलक अध्यक्ष श्री मुखीलाल चौधरी केर अध्यक्षता मे भेल बैसार मे निम्न प्रकारक निर्णय कयल गेल अछि । 1) जीतिया पावनिक पावन अवसर पर बुटवल नगर पालिका स्थित अपाड़्ग तथा अनाथाश्रम मे रहि रहल मैथिल समाज बुटवल केर बैसार संपन्न

अनन्त चतुर्दशी व्रत कथा

मिथिलाक पावनि-तिहार: अनन्त चतुर्दशी संकलन: प्रवीण नारायण चौधरी एक बेर महाराजा युधिष्ठिर राजसूय यज्ञ केलनि। ओहि समय यज्ञ मंडप केर निर्माण सुंदर तऽ छल्हे, अद्भुत सेहो छल ओ यज्ञ मंडप। एतेक मनोरम छल जे जल ओ थल केर भिन्नता प्रतीत नहि होइत छल। जल मे स्थल तथा स्थल मे जल केर भांति प्रतीत होइत छल। बहुत सावधानी केलो पर अनन्त चतुर्दशी व्रत कथा

पूर्व प्रधानमंत्री एवं नेपालक एक महत्वपूर्ण नेता डा. बाबुराम भट्टराई नेकपा माओवादी छोड़लनि

काठमांडु – सितम्बर २६, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!! पूर्व प्रधानमंत्री एवं नेपालक प्रमुख प्रतिपक्षी मुदा वर्तमान संविधानसभा केँ निर्णायक स्थिति मे पहुँचेबाक अत्यन्त महत्वपूर्ण कार्य कएनिहार राजनीतिक दल नेपाल कम्युनिस्ट पार्टी – एकीकृत माओवादीक उच्चस्तरीय नेता डा. बाबुराम भट्टराई आइ प्रेस कान्फ्रेन्स करैत अपना केँ पार्टीक सब जिम्मेवारी सँ त्यागपत्र दैत – वर्तमान व्यवस्थापिका संसद केर पूर्व प्रधानमंत्री एवं नेपालक एक महत्वपूर्ण नेता डा. बाबुराम भट्टराई नेकपा माओवादी छोड़लनि

मिथिलाक सरोकार आर विभिन्न विकास केर मुद्दा: बाढिक समस्या – जलव्यवस्थापन मे कमजोरी

कृपानन्द झा, दिल्ली। सितम्बर २६, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!! भारत स्वतंत्र भेना लगभग ७ दसक बितय लेल जा रहल अछि, मुदा मिथिलाक आर्थिक अवस्था दिन-दिन दयनीय होइत जा रहल अछि। एहि दिशा मे मंथन होयब परम आवश्यक अछि जे आखिर कि कारण छैक जाहि सँ एकटा अति प्राचीन आ संपन्न सभ्यता केर विकास कएनिहार मैथिलजन केँ मिथिलाक सरोकार आर विभिन्न विकास केर मुद्दा: बाढिक समस्या – जलव्यवस्थापन मे कमजोरी

विलक्षण परंपरा: बनगाँव केर बाबा बैद्यनाथधाम कीर्तन समिति

प्रसेनजीत झा, बनगाँव (सहरसा)। सितम्बर २६, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!! बाबा बैद्यनाथ धाम कीर्तन समिति, बनगाँव द्वारा शिव भक्ति सँ ओतप्रोत एक आर डेग गोस्वामी लक्ष्मीनाथ केर कर्मभूमि गौरवशाली बनगाँव केर महान पारम्परिक भादो मासिक कीर्तन जग विदित अछि। सन् 1953 सँ आय धरि गामक कमरथुवा बाबा बैद्यनाथ केर अभिषेक लेल, गंगाजल सुल्तानगंज मे भरैत कामर चढबैत विलक्षण परंपरा: बनगाँव केर बाबा बैद्यनाथधाम कीर्तन समिति

एक गीत – बेटी केँ समर्पित

धियाक गान (तर्ज: चैतावर) – प्रवीण नारायण चौधरी सुनु सुकुमारि धिया, सुनु-सुनु बेटी-सिया सासूर बसब नीति ध्यान हे! रीति-विधि मिथिला मान बढायब मैथिली केर शान हे!! सुनु सुकुमारि धिया….. जहिना जनमि लेल पललहुँ अंगना बुझब पति-परिवार हे! सासु-ससूरमे माय-बाप दर्शन राखब नैहराके मान हे!! सुनु सुकुमारि धिया….. रहल नजरि सत लाजक पर्दा डेग उठल गुण-बुद्धि हे! एक गीत – बेटी केँ समर्पित

ईश्वर नाम केर अवलंबन – भजन

मोदलता कृत ई सुन्दर भजन अपने लोकनिक गायन-मनन लेल प्रस्तुत कय रहल छी। भगवन्नाम केर एकमात्र सहारा एहि कलियुग लेल मानव हितकारी कहल गेल अछि। सदिखन अपन समय केर उपयोग भगवन्नाम केर जाप मे आ भजन मे लगाउ। भजन सीताराम सीताराम सीताराम सीताराम यह नाम बनाया प्रथम पूज्य गणपतिजीको पलमें मिल गया यही अवलम्ब नाम ईश्वर नाम केर अवलंबन – भजन

बिहार मे चुनाव: मैथिली-मिथिलाक मुद्दा संग अखिल भारतीय मिथिला पार्टी मैदान मे

सितम्बर २५, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!! एहि बेर बिहार विधानसभा चुनाव मे मैथिली तथा मिथिलाक मुद्दा पर राजनैतिक युद्ध केर नीक शुरुआत होमय जा रहल अछि। अखिल भारतीय मिथिला पार्टी केँ चुनाव आयोग द्वारा करीब १२६ सीट पर चुनाव लड़बाक अनुमति दैत चुनाव चिह्न ‘कलमक नींब आ सात किरण’ केर रूप मे निर्गत कैल गेलैक अछि। बिहार मे चुनाव: मैथिली-मिथिलाक मुद्दा संग अखिल भारतीय मिथिला पार्टी मैदान मे