मुखीलाल चौधरी, बुटवल। सितम्बर २७, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
दिनाड़्क 2072 आश्विन 9 गते शनिदिन भोरे 08 बजे मैथिल समाज नेपाल रुपन्देही, बुटवलक अध्यक्ष श्री मुखीलाल चौधरी केर अध्यक्षता मे भेल बैसार मे निम्न प्रकारक निर्णय कयल गेल अछि ।
1) जीतिया पावनिक पावन अवसर पर बुटवल नगर पालिका स्थित अपाड़्ग तथा अनाथाश्रम मे रहि रहल अपाड़्ग तथा अनाथ सभ केँ भोजन कराकय समाजक महिला सदस्य लोकनि केँ दिनाड़्क 2072 आश्विन 16 गते शनिदिन ओठगन खुवाबऽ केर निर्णय कयल गेल,
2) दिनाड़्क 2072 आश्विन 23 गते शनिदिन मैथिल महिला सभ केँ ‘भेला’ करि कय मैथिल महिला समाज रुपन्देही, बुटवलक पूनर्गठन करबाक निर्णय कयल गेल,
3) मिथिलाक सांस्कृतिक प्रतिक सामा-चकेवा मैथिल महिला समाज केर आयोजना मे मनयबाक निर्णय कयल गेल,
4) मैथिल बिद्यार्थी समाज गठन करबाक निर्णय कयल गेल,
5) विद्यापति स्मृति पर्व एवं मैथिल परिबार मिलन समारोहक एक दिन आँगा मणिग्राम स्थित अनाथालयक अनाथ बच्चा सभ केँ लत्ता-कपड़ा बितरण करबाक निर्णय कयल गेल,
6) विद्यापति स्मृति पर्व एवं मैथिल परिबार मिलन समारोहक उपलक्ष्य मे बृध्दाश्रम मे रहि रहल बृद्ध-बृद्धा सभ केँ जाडाक लत्ता-कपड़ा बितरण करबाक निर्णय कयल गेल,
7) विद्यापति स्मृति पर्व एवं मैथिल परिबार मिलन समारोहक अवसर पर रक्तदान करबाक निर्णय कयल गेल,
9) लुम्बिनी अञ्चल अस्पताल केर बिरामी सभ में फलफूल बितरण करबाक निर्णय कयल गेल
8) मैथिल समाज नेपाल रुपन्देही, बुटवलक ‘ब्रोशियर’क अन्तिम रुप द’ ‘ब्रोशियर’ छपयबाक निर्णय कयल गेल
तहिना दिनाड़्क 2072 आश्विन 9 गते शनिदिन मैथिल समाज नेपाल रुपन्देही, बुटवलक अध्यक्ष श्री मुखीलाल चौधरीक सभापतित्व मे समाजक आजीवन सदस्य एवं नेपाल बिद्युत प्राधिकरण, बुटवल बितरण केन्द्रक प्रमुख इन्जिनियर श्री उमेश कुमार झा केर भेल बिदाई समारोह। श्री झा केर विभागीय स्थानान्तरण आगाँ विराटनगर भेलनि अछि, हुनक उत्तरोत्तर प्रगति लेल शुभकामना दैत संस्थाक सब सदस्यक उपस्थिति मे विदाई समारोह संपन्न भेल।
विदित अछि जे मैथिल समाज नेपाल परंपरागत रूप सँ अपन हरेक सदस्य प्रति प्रतिबद्ध रहैत मैथिल समाजक समग्र हित लेल निरंतर कार्यरत अछि। पश्चिम नेपाल मे सेहो मिथिलाक माटि-पानिक सुगंध मैथिल समाज केर विभिन्न कार्यक्रमक आयोजन सँ भेटैत रहैत अछि जाहि सँ आगाँक पीढी मे संस्कार केर स्थानान्तरण निरंतरता मे अछि।