बिहार मे चुनाव: मैथिली-मिथिलाक मुद्दा संग अखिल भारतीय मिथिला पार्टी मैदान मे

सितम्बर २५, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

abmp chunaw chinhएहि बेर बिहार विधानसभा चुनाव मे मैथिली तथा मिथिलाक मुद्दा पर राजनैतिक युद्ध केर नीक शुरुआत होमय जा रहल अछि। अखिल भारतीय मिथिला पार्टी केँ चुनाव आयोग द्वारा करीब १२६ सीट पर चुनाव लड़बाक अनुमति दैत चुनाव चिह्न ‘कलमक नींब आ सात किरण’ केर रूप मे निर्गत कैल गेलैक अछि। मिथिला राज्य केर माँग केँ राजनीतिक रूप सँ स्थापित करबाक लेल आ मिथिला क्षेत्रक आर्थिक विकास लेल चुनाव लड़बाक भरपूर तैयारी रहबाक जानकारी भेटल अछि।

बिना कोनो जाति-पाति केर समीकरण देखने मात्र आ मात्र मिथिलाक वास्ते चुनाव लड़बाक तैयारी रहल से जानकारी संस्थाक नव-निर्वाचित दिल्ली प्रदेश अध्यक्ष रमानाथ झा करौलनि। सब जाति ओ धर्मक उम्मीदवार केँ चुनावी मैदान मे उतारल जायत तथा मतदाता सँ पूर्व मे कैल गेल मिथिलाक उपेक्षा विरुद्ध पारंपरिक राजनीतिक दल सँ इतर मिथिलावादी केँ चुनबाक लेल अभियान संचालित कैल जेबाक बात सेहो बतौलनि। सब क्षेत्र सँ उम्मीदवारक सूची पूरा होयब एखन बाकिये अछि, लेकिन एहि बेर उम्मीद बढियां अछि ताहि प्रति आत्मविश्वास प्रकट केलनि रमानाथ झा।