Search

प्रवीण नारायण चौधरी

चट मंगनी पट बियाह, झट झगड़ा फट तलाकः कियैक टूटि रहल अछि वैवाहिक सम्बन्ध तीव्रता सँ

कियैक टूटि रहल अछि पति-पत्नी सम्बन्ध – केस स्टडी मैथिल ब्राह्मण समुदाय – प्रवीण नारायण चौधरी चट मंगनी पट बियाह, झट झगड़ा फट तलाक हमर पिता जे एक सत्यवादी आ अध्ययनशील चिन्तक वर्ग केर ओजस्वी व्यक्तित्व छलाह – हुनका कियो जँ कहि दैत छलन्हि जे जमाना बदैल गेलैक काका…. बस एतेक सुनैत देरी ओकरा फझेहतक चट मंगनी पट बियाह, झट झगड़ा फट तलाकः कियैक टूटि रहल अछि वैवाहिक सम्बन्ध तीव्रता सँ

मैथिली भोजपुरी अकादमी द्वारा स्वतंत्रता दिवस पर कवि सम्मेलन मे आमंत्रण

हकार – श्याम झा, दिल्ली एहि सँ हर्षक गप्प की हेतै जखन अहाँक घर सँ एक दु आ तीन टा नहि अपितु चारि चारि टा सदस्य लोकनि अखिल भारतीय स्तर पर अहाँक मातृभाषा, मातृ सम्मान हेतु देशक कोण-कोण सँ अबैत छथिन, वर्तमान समय मे हैदराबाद आ दिल्ली सँ छथिन आ साहित्यिक चौपाड़ि सँ जुड़ल छथिन। अपने विकास वत्सनाभ, रामबाबू सिंह, नीरज मैथिली भोजपुरी अकादमी द्वारा स्वतंत्रता दिवस पर कवि सम्मेलन मे आमंत्रण

आइ तबियत सँ पाथर उछालल गेल अछि, आकाश मे भुर हेबे करतैकः अजित आजाद

एमएसयू द्वारा ‘मिथिला डेवलपमेन्ट बोर्ड’ केर स्थापना लेल कयल गेल दिल्ली मार्च पर प्रतिक्रिया – अजित आजाद दिल्ली मे दस गोटे जमा हेबाक मतलब छैक। हज़ार गोटे जमा हेबाक मतलब त’ छैके। जन्तर-मन्तर पर आइ जे मंत्र पढ़ल गेल तकर विशेष अर्थ छैक। ‘मिथिलावाद’क जयघोषक संग हज़ारो मुट्ठी आकाश दिस तनल जकर गवाह बनल संसद आइ तबियत सँ पाथर उछालल गेल अछि, आकाश मे भुर हेबे करतैकः अजित आजाद

५ अगस्त कायम केलक मिथिलावादक इतिहास, आगाँ दरभंगाक महारैली राज मैदान मे जल्दी

रिपोर्ट – रामबाबू सिंह ‘मधेपुर’ – दिल्ली सँ सीधा, मिथिला स्टुडेन्ट यूनियन द्वारा ५ अगस्त, २०१८ मिथिला डेवलपमेन्ट बोर्ड केर मांग पर कयल गेल मार्च पर अपन आँखिक देखल हाल बता रहल छथि। हम दिल्लीक मंडी हॉउस सँ बाजि रहल छी आजुक भोरक प्रतीक्षा विगत एक मास सँ छल आओर ई भोर भोरहि टा नहि, ५ अगस्त कायम केलक मिथिलावादक इतिहास, आगाँ दरभंगाक महारैली राज मैदान मे जल्दी

मिथिला तकनिहार मिथिलावादी केँ अंगद, हनुमान, जाम्बवंत आ सुग्रीव सँ शिक्षा लेबाक जरूरत

एहि बीच बहुत समय बस रिक्ते बीतल। मानसिक तौर पर जुड़ाव रहितो जा धरि लेखनीक माध्यम सँ लेखक-पाठक बीच जुड़ाव नहि रहत तऽ दु-तरफा मानू एकटा खाली स्थान ठाढ होयत आर एकरा पाटबाक वास्ते पुनः लेखक ओहिना किछु लिखिकय अपन पाठक संग आओत जेना रंग-बिरंगी फूलक रसपान करय लेल भँवरा फूलक पास अबैत अछि। पाठकक मिथिला तकनिहार मिथिलावादी केँ अंगद, हनुमान, जाम्बवंत आ सुग्रीव सँ शिक्षा लेबाक जरूरत

पश्चिमी मिथिला मे आइयो चलि रहल अछि ९-९ टा चीनी मिल, हँसैत देखायल धरती

घोषित ‘मैथिली महायात्रा’ एक यात्री लेल बहुत कठिन बुझाइत अछि, कारण जीवनयापन आ घर-गृहस्थीक भार साधारण नहि होएत छैक। तदापि, जखन कतहु यात्राक अवसर भेटैत अछि तऽ ओहि स्थल पर मानव आ मानवीय मूल्यक सर्वोपरि सौहार्द्रता एवम् सहकार्य लेल प्रयास करैत आबि रहल छी। बीतल ३ दिन भोजपुरीभाषी लोकनिक बाहुल्यता रहल स्थल यथा बीरगंज, रक्सौल, पश्चिमी मिथिला मे आइयो चलि रहल अछि ९-९ टा चीनी मिल, हँसैत देखायल धरती

मैथिली भोजपुरी मैत्री समाज केर गठन बीरगंज मे, राखल गेल कइएक महत्वपूर्ण मांग

विराटनगर, ५ अगस्त, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!! ‘मैथिली महायात्रा’ केर प्रणेता तथा मैथिली जिन्दाबाद केर संपादक प्रवीण नारायण चौधरी द्वारा बीरगंज केर यात्रा पर समाजशास्त्री एवं सामाजिक-राजनीतिक परिदृश्य केर प्रखर चिन्तक भरत साह केर संग भेंटघांट उपरान्त भाषा-सहकार्य तथा मैथिली-भोजपुरी सह-अस्तित्व पर विमर्श लेल निर्णय केँ आगाँ बढबैत काल्हि ४ अगस्त शनि दिन भोरे ७ बजे मैथिली भोजपुरी मैत्री समाज केर गठन बीरगंज मे, राखल गेल कइएक महत्वपूर्ण मांग

मिथिला स्टुडेन्ट यूनियन द्वारा ऐतिहासिक क्रान्तिः दिल्ली मे पैदल मार्च, मिथिला विकास बोर्ड लेल

समाचारः साभार लाइव बिहार मिथिला बोर्ड केर मांग केँ लय केँ दिल्ली पंहुचल MSU कार्यकर्ताक जत्था, होयत जोरदार आंदोलन August 4, 2018 – by LiveBihar LIVE BIHAR : देशक राजधानी दिल्ली मे रवि दिन ५ अगस्त केँ मिथिला विकास बोर्ड केर मांग केँ लय केँ मिथिला स्टूडेंट यूनियन केर प्रस्तावित आंदोलनक लेल बिहार केर मिथिला क्षेत्रसँ सैकड़ोंक संख्या मिथिला स्टुडेन्ट यूनियन द्वारा ऐतिहासिक क्रान्तिः दिल्ली मे पैदल मार्च, मिथिला विकास बोर्ड लेल

माध्वसंमत-द्वैतवेदान्तवादः – पंडित रुद्रधर झा द्वारा वेद वर्णित विज्ञान पर महत्वपूर्ण प्रकाश

स्वाध्याय माध्वसंमत-द्वैतवेदान्तवादः – पंडित रुद्रधर झा (अनुवादः प्रवीण नारायण चौधरी)   श्रीमन्मध्वमते हरिः परतरः सत्यं जगत्तत्त्वतो- भेदो जीवगणा हरेरनुचरा नीचोच्चभावं गतः। मुक्तिर्नैजसुखानुभूतिरमला भक्तिश्च तत्साधनं ह्यक्षादित्रितयं प्रमाणमखिलाम्नायैकवेद्यो हरिः॥   १. स्वतन्त्र चेतन – सर्वज्ञ-अचिन्त्यशक्तिसम्पन्न – अनन्तगुणाश्रय भगवान् विष्णु एक परमतत्त्व   २. अस्वतन्त्र चेतन – जीव अनन्त अणु   ३. पञ्च भेदाः सत्याः – जीवेश्वरभेदः, जीवजडभेदः, माध्वसंमत-द्वैतवेदान्तवादः – पंडित रुद्रधर झा द्वारा वेद वर्णित विज्ञान पर महत्वपूर्ण प्रकाश

मिथ्याचार सँ जीवन मे शान्ति आ सुख कहियो नहि भेट सकैत अछिः आध्यात्मिक सीख

स्वाध्याय – प्रवीण नारायण चौधरी कनी टा ध्यान देबय!   वन्दे वन्दनतुष्टमानसमतिप्रेमप्रियं प्रेमदं पूर्णं पूर्णकरं प्रपूर्णनिखिलैश्वर्यैकवासं शिवम्। सत्यं सत्यमयं त्रिसत्यविभवं सत्यप्रियं सत्यदं विष्णुब्रह्मनुतं स्वकीयकृपयोपात्ताकृतिं शङ्करम्॥   वन्दना केला सँ जिनकर मोन प्रसन्न होएत छन्हि, जे प्रेम टा केँ अत्यन्त प्रिय मानैत छथि, जे प्रेम प्रदान करैत छथि, पूर्ण आनन्दमय, भक्त लोकनिक अभिलाषा पूर्ण करैत छथि, मिथ्याचार सँ जीवन मे शान्ति आ सुख कहियो नहि भेट सकैत अछिः आध्यात्मिक सीख