जनकपुर मे आइ सँ आरम्भ भेल राम-जानकी विवाहोत्सव, आइ नगर-भ्रमण

राम-जानकी विवाह महोत्सवर धूमधाम सँ सम्पन्न

जनकपुर, नवम्बर १८, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

रामायणक प्रसिद्ध आख्यान दशरथ राजकुमार रामचन्द्रजी भाइ लखनजी सहित गुरुदेव विश्वामित्र संग मिथिला नगरी घूमबाक लेल एलाह आर क्रमिक रूप मे गुरुक आदेश सँ नगर भ्रमण कयलन्हि, एहि भ्रमणक दौरान फूलबाड़ी मे जानकीजी संग पहिल बेर आँखि मिललनि आर तखनहि सँ एक-दोसर केँ वरण करब शुरू कय देबाक गाथाक संग धनुष भंग यज्ञ मे आर सब राजा-वीर सभ धनुष भंग करय सँ असमर्थ रहला पर देखय मे सुकुमार मुदा सब सौर्य सँ सम्पन्न रामचन्द्रजी द्वारा धनुष भंग केलाक बाद सीता संग विवाह होयबाक कथा अनुरूप जनकपुर मे आइ कतेको दशक सँ विवाहोत्सव होएत आबि रहल अछि।

ज्ञात समाचार अनुरूप आइ रामचन्द्रजी, लखनजी गुरु विश्वामित्रक आदेश सँ नगर भ्रमण लेल जनकपुर मे आयल छथि। ई आयोजन जनकपुर स्थित राम मन्दिर सँ भव्य जुलूसक संग नगर परिक्रमा कयल जाएछ। काल्हि फूलबाड़ी मे जानकी दर्शन हेतन्हि आर तहिना क्रम सँ सम्मिलित आमंत्रण पत्रक अनुरूप राम-जानकी विवाहोत्सवक सब आयोजन सम्पन्न होयत। एहि अवसर भारत आ नेपाल केर विभिन्न क्षेत्र सँ लाखोंक संख्या मे दर्शक सब जनकपुर पहुँचब शुरु भऽ गेल अछि। ई सिलसिला विवाह पंचमी धरि चलत। जनकपुर मे सगरो भक्त-श्रद्धालूक भीड़ एखनहि सँ देखल जा सकैत अछि।