नीलम कला केन्द्र सम्मान सात जन केँ, नाटक अगुरवान आ पारंपरिक नाच केर भेल प्रस्तुति

नई दिल्ली, सितम्बर २, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

३० अगस्त दिल्लीक मंडी हाउस स्थित श्रीराम सेन्टर मे नीलम कला केन्द्र सम्मान सँ ७ जन केँ सम्मानित कएल गेल अछि। दूरदर्शन बिहार केर निदेशक एवम् वरिष्ठ मैथिली कलाप्रेमी – मिथिला संस्कृति केर संरक्षण-संवर्धन लेल दूरदर्शन मार्फत अनेकानेक कार्यक्रमक प्रदर्शन केर प्रशंसा करैत श्री पी. एन. सिंह केँ ई सम्मान नीलम कला केन्द्र केर संस्थापक-संचालक कृष्ण कुमार चौधरी द्वारा हस्तान्तरित कएल गेल। मैथिली नाट्य साहित्यक नामीगामी आ बहुचर्चित वरिष्ठ महेन्द्र मलंगिया केँ एहि सम्मान सँ सम्मानित कएल गेल अछि – कोनो कारणवश कार्यक्रम मे उपस्थित नहि भेलाक कारण ई सम्मान हुनक पुत्र ऋषि कुमार झा मलंगिया मार्फत हस्तान्तरण कएल गेल। मैथिली गीत केर विशिष्ट गायकी कएनिहार देवानन्द झा केँ आर तहिना मैथिली कवियित्री एवम् महिला समाजसेवी कुमकुम झा केँ संस्थापक द्वय कृष्ण कुमार चौधरी एवम् नीलम चौधरी द्वरा ई सम्मान हस्तान्तरण कएल गेल छल। मिथिला यूथ आइकोन प्रदीप कुमार झा – मैथिली फिल्म मे निर्देशनक महत्वपूर्ण योगदान कएनिहार पदम गुरुंग तथा मैथिली जिन्दाबाद केर संपादक सह मिथिलाक भाषा-संस्कृति अभियानी प्रवीण नारायण चौधरी केँ सेहो ई सम्मान मंचस्थ प्रमुख अतिथि फिल्म अभिनेता नरेन्द्र झा तथा पी एन सिंह केर हाथ सँ प्रदान कएल गेल। दहेज मुक्त मिथिलाक राष्ट्रीय सचिव कुणाल ठाकुर केँ सेहो प्रतीक चिह्न सहित सम्मानित कएल गेल छल।

नीलम कला केन्द्र केर तरफ सँ आयोजित कार्यक्रम मे मैथिली नाटक अगुरवान केर प्रदर्शन तथा सम्मान वितरण समारोहक अतिरिक्त मैथिलीक पारंपरिक गीत कजरी पर कला केन्द्रक कलाकार लोकनि द्वारा नृत्य प्रस्तुत कएल गेल छल। एहि समारोह मे दर्शक सँ सभागार खचाखच भरल रहल। लोक सब निर्धारित स्थानक अलावे सभागारक सतह पर बैसिकय सेहो कार्यक्रमक आनन्द लेलनि। नाटक अगुरवान मैथिली साहित्यकार धुमकेतुक उपन्यास केर नाट्य रूपान्तरण छल जे जीतेन्द्र झा कएने छलाह। वरिष्ठ रंगकर्मी रमानाथ झा, संतोष कुमार सहित अगुरवानक भूमिका मे अमरजी राय आ सतमाय केर भूमिका मे श्रृष्टि आनन्द सहित राजीव रंजन व अन्य कलाकार लोकनि भव्य नाटक प्रदर्शन कएलनि। एहि नाटकक निर्देशन साउन्ड अभियंता तथा टीवी सिरियल मे निर्देशनक कार्य कएनिहार राजीव मिश्र कएने छलाह। उद्घोषण किसलय कृष्ण आ जानबी झा कएलनि जखन कि सभाक अध्यक्षता स्वयं कृष्ण कुमार चौधरी कएने छलाह। एहि कार्यक्रम मे दिल्ली व बाहरक अनेकानेक हस्ती सब दर्शक केर रूप मे सहभागिता देलनि ईहो खास विशेषता रहल।

विदित हो जे नीलम कला केन्द्र पिछला ३० वर्ष मे मैथिलीक हजारों पारंपरिक आ लोकगीत तथा आधुनिक गीत सभक रेकर्डिंग करेबाक अत्यन्त महत्वपूर्ण कार्य कएलक अछि। आर एहि सभक सूत्रपात कएनिहार संस्थापक कृष्ण कुमार चौधरी रहला अछि। हिनकर एहि योगदान केर कदर करैत दहेज मुक्त मिथिलाक मार्फत मिथिला नागरिक सम्मान पाँच टुक परिधान सहित समर्पित कएल गेल। ई सम्मान दहेज मुक्त मिथिलाक अन्तर्राष्ट्रीय संयोजक प्रवीण नारायण चौधरी एवम् राष्ट्रीय सचिव कुणाल ठाकुर तथा प्रमुख अतिथि द्वय नरेन्द्र झा व पी एन सिंह केर हाथ सँ श्री एवम् श्रीमती चौधरी केँ हस्तान्तरित कयल गेल। एहि समस्त कार्यक्रमक संयोजन नीलम कला केन्द्र केर संचालक सचिन चौधरी कएलनि। कार्यक्रमक सफलता पर अभिनेता नरेन्द्र झा अपन संबोधन मे कहलनि जे ई हुनका द्वारा देखल गेल मैथिलीक पहिल नाटक मंचन छल – आर एकर गंभीरतापूर्वक प्रस्तुति हुनका ई विश्वास दियेलक जे आगामी समय मे मैथिली भाषा मे मनोरंजन क्षेत्र मे बहुत रास काज कयल जा सकत। तहिना दूरदर्शनक बिहार केर निदेशक मैथिली भाषाक प्रस्तुति मे दिन ब दिन बढोत्तरी होएत रहबाक संकेत कएलनि आर आयोजक प्रति आभार प्रकट करैत कहलनि जे एहि तरहक आयोजन आरो होएत रहबाक चाही।