दरभंगा, जुलाई १२, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
रन फोर दहेज मुक्त मिथिलाक ऐगला कड़ी मे पूर्व घोषित कुर्सों-दरभंगाक दौड़ केर संयोजक मुरारी झा ‘बौआ’ दहेज मुक्त मिथिलाक अन्तर्राष्ट्रीय संयोजक प्रवीण नारायण चौधरी संग दूरभाष पर वार्ता करैत बहुत उत्साहजनक जनतब देलनि अछि। वार्ता अनुरूप निम्न जनतब प्राप्त भेल अछिः

विदित हो जे आरके दीपक समान प्रख्यात धावक द्वारा जरायल गेल समाज सुधार केर ई दीपक सँ प्रभावित भऽ अलग-अलग स्थान सँ युवा लोकनि अपन-अपन क्षेत्र मे मैराथन दौड़ आयोजन करबाक मांग कय रहला अछि। दहेज मुक्त मिथिला जे मांगरूपी दहेजक प्रतिकार हेतु स्वैच्छिक संकल्प लेबाक आह्वान करैत गाम-गाम आ पंचायत स्तर आदि पर निगरानी समिति बनेबाक अनुरोध सहित ओहि ठाम होमयवला विवाह मे दहेज प्रथा पर नजरि रखबाक लेल आर संगहि कन्या भ्रूण हत्या बन्द करबाक आ लैंगिक विभेद समाप्त करबाक उद्देश्य सँ सेहो ‘दहेज भगाउ, बेटी बचाउ’ नारा सहित एखन धरि कुल ३ गोट दौड़ मे मिथिलाक विभिन्न क्षेत्रक कुल १२० किलोमीटर केर दौड़ तय कय चुकल अछि। ऐगला आयोजन लेल सहरसा, अररिया एवम् दरभंगा सँ आयोजनकर्ता तैयार भऽ चुकल छथि। सहरसा मे जतय प्रसिद्ध अभियानी एवम् संचारकर्मी कुमार आशीष उचित संयोजन कय रहला अछि तहिना अररिया जिला लेल जोगबनी सँ हिन्दुस्तान संवाददाता वरुण मिश्र द्वारा संयोजन कार्य जारी अछि। एहि जिला सब मे सेहो तारीख घोषणा जल्दिये कएल जायत से निस्तुकी अछि। तहिना दहेज मुक्त मिथिलाक महाराष्ट्र टीम द्वारा मुम्बई महानगर मे सेहो मेगा मैराथन केर आयोजन कएल जेबाक जनतब भेटल अछि। आशा करी जे एहि मैराथन रन मार्फत शीघ्रातिशीघ्र मिथिलाक आम जनसमुदाय मे कूप्रथा विरुद्ध संघर्ष करबाक सामर्थ्य मे वृद्धि होयत आर दहेज लोभी एहि समाज केँ शीघ्र मुक्ति प्रदान करत।