राजविराज, १२ जून, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
दहेज प्रथा समाजके लेल अभिशाप रहल कहैत अहिके न्युनीकरण करबाक लेल समाजके हरेक व्यक्तिकेँ गम्भीर होवय पड़बाक जनादेश एक कार्यक्रम केर वक्ता लोकनि कहलनि । जिल्ला समन्वय समिति सप्तरीक सहयोगमे दहेज मुक्त मिथिला नेपालद्वारा राजविराज–७ स्थित बागेश्वरी धर्मशालामे आयोजित दहेज प्रथा उन्मूलन सचेतना गोष्ठी कार्यक्रमक सहभागी वक्ता लोकनि एहि तरहक भावोद्गार उपरोक्त गोष्ठी मे रखलनि ।
कार्यक्रम मे बाजैत प्रमुख अतिथि राष्ट्रिय जनता पार्टी नेपालक केन्द्रीय सदस्य साधना झा महिला हिंसाक प्रमुख कारक तत्वक रुपमे दहेज प्रथा रहलासँ एकरा निर्मूल करब बहुत जरुरी रहल कहली । विशिष्ठ अतिथि सेतु सामुदायिक तथा मानव अधिकार मञ्चकेर आभासेतु सिंह समाजमे दहेजकेर कारणे एखनहु महिलासब ऊपर यातना देबाक बात कहलनि ।
मैथिली साहित्य परिषद्केर अध्यक्ष प्रा. अशोक कुमार झा दहेज प्रथा सम्वन्धी कानूनी व्यवस्था रहलाक बादो कार्यान्वयन नहि भऽ रहल जाहि सँ समाजमे दहेज प्रथा निरंतरता मे रहबाक बात बतौलनि । आयोजक संस्थाकेर उपाध्यक्ष नवीन कुमार झाक अध्यक्षतामे आयोजना कएल गेल कार्यक्रममे नेपाल पत्रकार महासंघ सप्तरीक उपाध्यक्षद्वय श्यामसुन्दर यादव, सुधा देव, पत्रकार ललिता साह, जिल्ला जनस्वास्थ्य कार्यालयक शम्भु प्रसाद चौधरी, राजकुमारी साह, विष्णु चौधरी सहित दहेज प्रथा न्युनीकरण करबाक आवश्यकता केर भाव रखलनि । कार्यक्रमक सञ्चालन दहेजमुक्त मिथिला नेपालकेर संस्थापक अध्यक्षा करुणा झा द्वारा कएल गेल ।