जून १०, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
मिथिला क्षेत्र सँ कला आ सिनेमाक दुनिया मे दक्षिण भारतीय राज्य मे उपलब्धिमूलक कार्य कएनिहार अभिनेता मनोज शर्मा सूचना दैत कहलनि अछि जे मिथिला समाज सँ दहेजक कूरीति भगेबाक अभियान ‘दहेज मुक्त मिथिला’ लेल – “Run for Dahej Mukt Mithila! दहेज भगाउ – बेटी बचाउ!!” नारा संग नवटोल (दरभंगा) सँ कुशेश्वरस्थान धरिक ३० किलोमीटर केर दौड़ आयोजित होयत। एहि मे प्रसिद्ध धावक आर के दीपक जे पूर्व निर्धारित कार्यक्रम मुताबिक बिरौल सँ दरभंगा धरि १७ जून केँ कुल ६० किलोमीटर केर दौड़ लगेता हुनकहि सहभागिता होयत।
श्री शर्मा अपन फेसबुक वाल सँ सूचना दैत घोषणा कएलनि अछि जे दहेज मुक्त मिथिला – कार्यकारिणी सदस्य एवम् शुभेच्छु लोकनि सहित आम मिथिलावासी आ खासकय दरभंगा जिला आ कुशेस्वरस्थान वासी दिनांक ११ जून दरभंगा जिलाक नवटोल गाम सँ बाबा कुशेश्वरधाम केर मंदिर धरि जे लगभग ३० किलोमीटर धावनमार्ग अछि, ताहि मे प्रसिद्ध धावक मिथिलापुत्र आरके दीपक ‘दहेज मुक्त मिथिला’ केर नारा केँ बुलन्दी देबाक लेल – “दहेज भगाउ – बेटी बचाउ” नारा सहित दौड़ता, एहि धावनमार्ग सँ जुड़ल गाम या ठाम सँ सब कियो अभियानक समर्थक करी आ दहेज मुक्त मिथिला में जोर शोर सँ सहभागिता निभाबी।
कार्यक्रमक रूपरेखा शेयर करैत जनतब देलनि अछि जे जून ११ केँ भोरे ४ बजे नवटोल सँ प्रस्थान करैत विभिन्न चौक-चौराहा पर क्षणिक विश्राम आ लोक सब सँ अपन दौड़ लगेबाक विभिन्न उद्देश्य पर संछिप्त चर्चा करैत धावक आर के दीपक करीब ७ बजे समय धरि बाबा केर मंदिर पर पहुँचिकय ओहिठाम प्रेस सँ वार्ता करता। एहि कार्य मे संयोजनक भूमिका श्री शर्मा स्वयं निर्वाह करता। ओ अपन सम्पर्क नम्बर 9884722111 सेहो देलनि अछि। एहि कार्य मे समस्त कुशेश्वर निवासी केर सहयोग आ संग रहबाक बात ओ कहलनि अछि।
एम्हर आर के दीपक सेहो अपन मातृभूमि मिथिला मे पहुँचि गेल छथि। हालहि अपन पूज्य पिताक पुण्य तिथि पर आवश्यक कर्मकाण्ड-पूजादि सम्पन्न केला उत्तर ओ समाजक विभिन्न वर्ग सँ विभिन्न तरहक सामाजिक नारा लेल दौड़ लगेबाक अभियान पर चर्चा कय रहल छथि, दौड़ लगेला सँ नहि सिर्फ धावकक स्वास्थ्य नीक रहैत छैक बल्कि समाजक रग-रग मे पैसल जा रहल विभिन्न कूरीति यथा जातिवादिता, धार्मिक आ सांप्रदायिक अन्तर्संघर्ष, भ्रष्टाचार, अशिक्षा, नशाखोड़ी इत्यादि पर सेहो लोक-जागरणक अवसर भेटैत छैक, ताहि मे ओ गाम-समाजक लोक सब सँ चर्चा कय रहल छथि। आयोजक मनोज शर्मा खास तौर पर मिथिलाक धरातल पर हिनकर दौड़ मे सहभागिता देबाक लेल चेन्नई सँ एला अछि आर धावक केँ हर क्षण संग देबाक वचन देला अछि। १७ जून केँ बिरौल-दरभंगा केर आयोजन सँ पूर्व एकटा आरो आयोजन हुनकहि प्रेरणा सँ काल्हि होमय जा रहल अछि, मैथिली जिन्दाबाद केँ धावक दीपक बतौलनि।
श्री आर के दीपक सेहो अपन फेसबुक स्टेटस सँ जनतब देलनि अछि जे काल्हि आबि रहल छी नवटोलघाट सँ कुशेश्वरस्थान ३० किमी, दहेजप्रथा केर खिलाफ एक छोट सनक प्रयास, “दहेज़ भगाउ बेटी बचाउ” रन फ़ॉर दहेज़ मुक्त मिथिला। बहुत बहुत धन्यवाद मनोज शर्मा भाई, अहाँ कुशेश्वरस्थान केर तरफ सेहो दहेज मुक्त मिथिला केर वास्ते जागरूकता देखेलहुँ आर हमरा ओम्हरो दौड़ लगेबाक सौभाग्य भेटल! – आर के दीपक कहलैन।
दहेज मुक्त मिथिला संस्था कम आ अभियान बेसी थिक। एहि अभियान मे सब कियो अपन स्वेच्छा सँ जुड़ता तखने मिथिला दहेज मुक्त होयत। बहुत पैघ खुशखबरी, यैह थिक असली दहेज मुक्त मिथिला अभियान जे जन-जन धरि पसारबाक लेल आम मिथिलावासी आगू आबि जाएत छथि। मनोज शर्मा जी केर जतेक धन्यवाद कएल जाय ओ कम होयत। अभियान केँ अंगीकार कय अपन समाज केँ आगू बढेबाक लेल अहाँक योगदान समाज सब दिन याद राखत। हरिः हरः!! – ई सन्देश दहेज मुक्त मिथिला संस्थाक अन्तर्राष्ट्रीय संयोजक प्रवीण नारायण चौधरी देलनि अछि।
विदिते अछि जे १७ जून भोरे ३ बजे सँ आर के दीपक लगभग ६० किलोमीटर केर दौड़ बिरौल सँ दरभंगा धरि एहि विषय पर लगौता जाहि मे विभिन्न सामाजिक संस्था सब बढि-चढिकय हिस्सा लय रहल अछि। एकर प्रायोजन दि इम्पल्स कोटा (कोचिंग इन्स्टीच्युट, दरभंगा), सन्दिप युनिवर्सिटी (महाराष्ट्र आ सिजौल मधुबनी) तथा दरभंगा स्कूल अफ फिल्म एण्ड टेलिविजन (दरभंगा) कएलनि अछि।