अभ्यंकर झा, दरभंगा। मार्च ३०, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
आब ‘राइजिंग स्टार’ के मुकाबला टॉप-10 स निकैल क फाइनल में जगह बनेबाक लेल होयत, और सुपर-10 स विजय के लेल लड़ती मैथिल दुलारी धिया ‘मैथिली ठाकुर’।
सिंगिंग रियालटी शो ‘राइजिंग स्टार’ एक वास्तविक टेलीविजन गायन प्रतियोगिता केर भारतीय संस्करण अछि। कलर्स टीवी पर सप्ताह मे 2 दिन शनि – रविक रातिक 9 बजे सँ प्रसारित सिंगिंग रियालटी शो ‘राईजिंग स्टार’ मे मिथिलाक बेटी 16 वर्षीय मैथिली ठाकुर अप्पन पहिल राउंड मे रिकॉर्ड (94%) मत आनने छली। ओतहि ओ दोसर राउंड मे रिकॉर्ड (93%) मतक संग बंगाल के प्रतिभागि के बहुत अंतर सँ हरा टॉप 16 लेल चयनित भेली। मैथिली ‘राइजिंग स्टार’ के तेसर राउंड मे (92%) मतक संग टॉप-10 लेल चयनित भेली।त ओतै अप्पन डुएट्स में अप्पन जोड़ीदार अमेय डेट के संग रिकॉर्ड (94%) मत आनने छली। और ओहि डुएट्स में हुनकर जोड़ी और प्रतिभागि के बहुत अंतर सँ हरा टॉप 10 लेल चयनित भेली।
मैथिली ठाकुर अहिना एक एक स्टेप आगू बढ़ैत टॉप-1 तक जगह बनेति। हमरा लोकनि के मैथिली ठाकुर लेल हरेक शनि या रवि – आब दुनू दिन हुनकर परफॉरमेंस होयत, ताहि मे वोट करवाक अछि। आब कम वोट केर आधार पर हरेक शनिवार वा रविवार के एक – एक करि प्रतिभागी सब बाहर होयत रहत। मैथिल दुलारी मैथिली ठाकुर वोट के कारण कही पाछा नहि होईथ। ताहिलेल सभकियो हुनका फाइनल राउंड तक वोट करि।
आब 1 अप्रैल और 2 अप्रैल शनि और रविक रातिमे 9 बजे सँ कलर्स टीवी पर प्रसारित सिंगिंग रियालटी शो ‘राईजिंग स्टार’ मे मिथिलाक बेटी मैथिली ठाकुर कए अप्पन वोट दी ताकि मैथिली बने राइजिंग स्टार चैंपियन आओर मिथिलांचलक नाम चहुंओर रौशन हुअय। आब ‘राइजिंग स्टार’ केर मुकाबला टॉप-10 स निकैल कय फाइनल में जगह बनेबाक लेल होयत, आओर अपनेक एक वोट बुच्ची मैथिली केँ स्टार सँ सुपर स्टार बना सकैत अछि। मैथिली ठाकुर के एक बेर फेर अपने सभक आशीर्वादक जरुरत छैन्ह ताहिलेल सभकियो हुनका लेल बेसी सँ बेसी वोट करि।

7 Comments
Best of luck
I am sport for you
Maithili
Ham sab ta jarur vote karbr or pure mithla wasi maithali thakur ke vote karteet…
Bahut niman yau
Hum Kar Di vote
Best of luck
MATHALI THAKUR JI
best of lock