आधुनिक मैथिली गीतक अंदाज : सजन मिथिला केर चाही
रजनीश शेखर, नव दिल्ली । मार्च २०, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
मैथिली मंचसँ अपन उद्घोषकीय पारीसँ भारत आ नेपाली मैथिली मंच पर परिचिति बनौनिहारि मैथिल ललना जानबी झा कुशल अभिनेत्री रूपमे लघुफिल्म इतिहास, सम्बन्ध आदिमे उपस्थिति दर्ज क चुकल छथि ।
गायिका केर रूपमे माँ दुर्गाक भजन चलू उच्चारण नगरिया पछिला साल ल क आयल छलीह बजारमे जकरा खूब प्रशंसा भेटल छल । बहुआयामी प्रतिभाक धीमा जानबी उत्साही बाला छथि आ सतत किछु नव करबामे लागल रहैत छथि आ तकरे परिणाम थीक ‘सजन मिथिला केर चाही’ नामक मैथ्यू गीतक अलबम ।
उक्त अलबमक गीत सब ओ स्वयं लिखि सुन्दर रूपें गओने छथि जाहिमे से किछु एखन यूट्यूब पैर रिलीज भेल आर काफी लोकप्रिय सेहो भ रहल अछि ।
शीघ्र निर्माता मनोज कुमार सिंहक बीएम म्यूजिकसं सजन मिथिला केर चाही नामक ईै अलबम लोकार्पित होयत जाहिमे गीत आ स्वर जानबी झा केर छनिै । मैथिली जिन्दाबाद परिवारक हार्दिक शुभकामना ।

1 Comment
Jaanbi jee I am your big bigger biggest fan I can’t explain in words how big fan of your and I have written 1 hurt touching songs I think if you sing that will be the one of the hit song