रेड लाइट एरिया सहरसा मे बंधक बनल बेटीक रक्षा लेल गोहारि करैत असहाय महिला

सुभाषचंद्र झा, सहरसा। जुलाई २२, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

deh vyapar saharsa1सहरसा रेड लाइट एरिया मे एकटा 8 वर्षीय बेटी केर मुक्ति लेल माय पुलिस सँ गोहारि लगौलक अछि । महिला कहलक जे हम सुपौल जिला केर निवासी छी । 2008 मे भेल कुसहा कोसी त्रासदी मे दरभंगा जयबाक लेल सहरसा स्टेशन अयलहु । मुदा ट्रेन मे परिवार केर आन सदस्य चढि गेल आ ओ छूटि गेल छल । स्टेशन पर बैसि रहलहू तखने एक आदमी आयल वो कहलक जे हम तोरा दरभंगा पहुँचा देबौक । तहन ओकरा साथ रिक्शा सऽ डेरा गेल जतय कहलक जे आइ रुकि जो काल्हि भोरे चलब । मुदा भोरे जाय चाहलक तऽ ओकरा कहल गेल जे तोरा एक लाख मे बेचि देलकौक । तहन ओकरा सऽ देह व्यापार कराबय लागल । मौका देखि ओतय सँ भागि कय नहिरा चलि गेलहुँ । ताहि दिन सँ बेटी केर मुक्ति लेल सदर थाना तऽ कखनो महिला थाना मे चक्कर लगा रहल छी । किशोर नामक दलाल खुलेआम ओकर बेटी के राखने अछि । मुदा पुलिस कोनो कारवाई नहि कय रहल अछि । मानव ब्यापार रोकबा लेल कठोर कानून बनल अछि मुदा तेकर बादो कोसी इलाका में एहेन तरहक घटना निरंतरता मे होइत रहैत अछि ।