Search

रेड लाइट एरिया सहरसा मे बंधक बनल बेटीक रक्षा लेल गोहारि करैत असहाय महिला

319 भ्यूज

सुभाषचंद्र झा, सहरसा। जुलाई २२, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

deh vyapar saharsa1सहरसा रेड लाइट एरिया मे एकटा 8 वर्षीय बेटी केर मुक्ति लेल माय पुलिस सँ गोहारि लगौलक अछि । महिला कहलक जे हम सुपौल जिला केर निवासी छी । 2008 मे भेल कुसहा कोसी त्रासदी मे दरभंगा जयबाक लेल सहरसा स्टेशन अयलहु । मुदा ट्रेन मे परिवार केर आन सदस्य चढि गेल आ ओ छूटि गेल छल । स्टेशन पर बैसि रहलहू तखने एक आदमी आयल वो कहलक जे हम तोरा दरभंगा पहुँचा देबौक । तहन ओकरा साथ रिक्शा सऽ डेरा गेल जतय कहलक जे आइ रुकि जो काल्हि भोरे चलब । मुदा भोरे जाय चाहलक तऽ ओकरा कहल गेल जे तोरा एक लाख मे बेचि देलकौक । तहन ओकरा सऽ देह व्यापार कराबय लागल । मौका देखि ओतय सँ भागि कय नहिरा चलि गेलहुँ । ताहि दिन सँ बेटी केर मुक्ति लेल सदर थाना तऽ कखनो महिला थाना मे चक्कर लगा रहल छी । किशोर नामक दलाल खुलेआम ओकर बेटी के राखने अछि । मुदा पुलिस कोनो कारवाई नहि कय रहल अछि । मानव ब्यापार रोकबा लेल कठोर कानून बनल अछि मुदा तेकर बादो कोसी इलाका में एहेन तरहक घटना निरंतरता मे होइत रहैत अछि ।

Related Articles