मिथिलांचल महासभा उत्तरप्रदेश द्वारा कानपुर मे रक्तदान कार्यक्रम आ धरनाक प्रसंग

प्रवक्ता अनिला झा रक्तदान करैत, सिरहना लंग ठाढ अध्यक्ष अमित झा एवं बायाँ तरफ रोटरी क्लब केर पदाधिकारी ठाढ छथि।

कानपुर, जुलाई २१, २०१५! मैथिली जिन्दाबाद!!

प्रवक्ता अनिला झा रक्तदान करैत, सिरहना लंग ठाढ अध्यक्ष अमित झा एवं बायाँ तरफ रोटरी क्लब केर पदाधिकारी ठाढ छथि।
प्रवक्ता अनिला झा रक्तदान करैत, सिरहना लंग ठाढ अध्यक्ष अमित झा एवं बायाँ तरफ रोटरी क्लब केर पदाधिकारी ठाढ छथि।

कथनी आ करनी मे एकता लेल प्रसिद्ध मैथिलक संस्था ‘मिथिलांचल महासभा उत्तरप्रदेश’ केर कानपुर युनिट सतत सक्रियता संग भाषा, संस्कृति, समाज, आर्थिक, शैक्षिक, हर तरहक विकास लेल विभिन्न कार्यक्रम करैत रहैत अछि। यैह बितलहबा रवि दिन १९ जुलाई केँ महासभा द्वारा रोटरी क्लब संग संयुक्त प्रयास मे रक्तदान कार्यक्रम राखल गेल। एहि मे संस्थाक संस्थापक रवि नाथ मिश्र सहित अध्यक्ष अमित झा आ प्रवक्ता अनिला झाक संग कुल १५ गोटे रक्तदान केला।

संस्थाक प्रवक्ता मैथिली जिन्दाबाद सँ वार्ता करैत जानकारी करौलनि जे ‘रैबदिन बहुत भागम भाग रहल ….. अचानक शनिक राइत मे अमित झा जी आ रविनाथ मिश्रा जी कार्यक्रम तय केला जे रक्तदान शिविर केर आयोजन कैल जाय। कारण जे समय-समय पर समाज केर लोक केँ रक्तक बहुत जरुरत रहैत छैन्हि ….. ताहि लेल रोटरी क्लब आ मिथिलांचल महासभा उत्तर प्रदेश केर संयुक्त तत्वावधान मे ई कार्यक्रम राखल गेल… जाहि मे हमरा सहित कुल १५ गोटे रक्तदान केलाह।’ मिथिलांचल महासभाक सामाजिक उत्तरदायित्वक निर्वाह बेर-बेर पर होइत रहल अछि, चाहे विकलांग केँ ट्राइ-रिक्शा उपलब्ध करेनाय, असहाय केँ मुफ्त चिकित्सा आ गरीब विद्यार्थी केँ पढाई-लिखाई करौनाय… एहि तरहक विभिन्न सामाजिक कार्यक्रम मे एहि संस्था द्वारा उल्लेखणीय योगदान कानपुर समाज केँ देल जाइत अछि।

माल रोड चौराहा जाम करैत मिथिलांचल महासभा उत्तरप्रदेश - कानपुर केर संस्थापक रवि नाथ मिश्र सहित अन्य पदाधिकारीगण
माल रोड चौराहा जाम करैत मिथिलांचल महासभा उत्तरप्रदेश – कानपुर केर संस्थापक रवि नाथ मिश्र सहित अन्य पदाधिकारीगण

प्रवक्ता अनिला झा कहला जे रक्तदानक कार्यक्रम उपरान्त सायंकाल ४ बजे सँ मिथिला पार्क, मिथिलांचल चौराहा आ मैथिल या विद्यापति भवन केर मांग हेतु माल रोड चौराहा जाम कैल गेल। संगहि कानपुरक मेयर आ बीजेपी केर नेता कैप्टेन जगवीर सिंह द्रोण केँ ज्ञापन सेहो देल गेल। एहि अवसर पर संस्थापक अध्यक्ष रवि नाथ मिश्रा, अध्यक्ष अमित झा, उपाध्यक्ष राज कुमार मिश्रा, महासचिव नित्यानन्द झा एवं समस्त कार्यकारणी केर पदाधिकारी गण मौजूद छलाह। विदित हो जे कानपुर मे करीब डेढ लाख मैथिल नगरक विकास मे शुरुहे सँ योगदान दैत रहला अछि। हिनका लोकनि केँ मात्र वोटबैंक केर रूप मे प्रयोग कैल जाइत अछि, जखन कि पहिचान केँ स्थापित करैत आत्मसम्मानक कोनो कृति लेल नेता सब खोखला आश्वासन टा देबाक प्रवृत्ति अपनबैत अछि। आब एहि लेल बिना समुचित आन्दोलन माँग पूरा नहि करायल जा सकबाक अवस्थाक कारण आन्दोलन लेल बाध्य भेल छी – सेहो जानकारी प्रवक्ता अनिल झा करौलनि। संगहि ओ ‘मैथिली जिन्दाबाद’ केर नारा लगाय क्रान्तिकारी अभिवादन समस्त मैथिली जिन्दाबाद पाठक तक पहुँचेबाक अनुरोध केलनि। मैथिली जिन्दाबाद!!