मैथिली आइएएस गुरु डाॅ शेखर झा केर व्याख्यान: मैथिली पठन-पाठन

बाल मुकुंद पाठक, पटना । जुलाई २०, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

shekhar jha vyakhyaanकाल्हि रवि दिन मैथिली साहित्य संस्थान – पटना मैथिली आइएएस गुरु डाॅ शेखर झा केँ २०१४ केर सिविल सेवा परीक्षा मे मैथिली विषय सँ उत्कृष्ट परिणाम देबाक लेल सम्मानित कैल गेला अछि। एहि सँ पूर्व चेतना समिति – पटना द्वारा सेहो परसू शनि दिन हिनका सम्मानित कैल गेल छल।

पटना संग्रहालय परिसर मे अवस्थित पटना रिसर्च सोसाइटी मे मैथिली साहित्य संस्थान द्वारा IAS गुरू डाॅ. शेखर झा आ एहि बेर यूपीएससी उतीर्ण छात्र मयंक कुमार झा सम्मानित भेला। एहि अवसर पर मैथिलीक माध्यमसँ संघ लोक सेवा परीक्षाक तैयारी करौनिहार कोचिंग संस्था मंथन, दिल्ली केर निदेशक डाॅ शेखर झा संघ लोकसेवा परीक्षा मे मैथिलीक वर्तमान स्थिति पर प्रकाश दैत कहलनि जे जतेक छात्र मैथिली पढ़ैत छथि हुनका सब लेल ई गौरवान्वित हेबाक बात भेल, ओ कदापि हीनताबोध सँ ग्रसित नहि होइथ। ओ कहला, भारतीय संविधानक अष्टम् अनुसूची मे शामिल भेलाक उपरांत मैथिली केँ जौं कोनो क्षेत्र मे सभ सँ बेसी फायदा भेलैक तँ ओ छैक सब सँ महत्त्वपूर्ण भारतीय सिविल सर्विस केर परीक्षा मे मैथिली विषय राखि सहजहि आइएएस, आइएफएस व अन्य उच्च पद पेबाक सुविधा। आब मैथिली केँ व्यवसायीकरण आवश्यक छैक एहिसँ मैथिली आर आगाँ बढ़त – डाॅ शेखर झा अपन व्याख्यान द्वारा उपस्थित जनमानस केँ बुझबैत रहला।

एहि अवसर पर डाॅ शेखर झा द्वारा बिहार रिसर्च सोसाइटी केँ अपन कोचिंगसँ आबऽवला साल भरिक आमदक 10% देबाक बात सेहो घोषणा केलनि। अंतमे ओ कहलनि जे हम आइ जे छी से आदरणीय शारदिन्दु चौधरी जी केर प्रेरणा सँ छी, हुनकहि कहलाक बाद मैथिली मे सिविल सर्विस परीक्षाक तैयारी करेबाक संस्थानक स्थापना केलहुँ आ आइ परिणाम अपने लोकनिक सोझाँ अछि। कुल ६० छात्र एहि बेर हिनक संस्थान सँ तैयारी शुरु केने छल, जाहि मे मिथिला सहित देशक आनहु राज्य सँ अभ्यर्थी लोकनि सहभागी छलाह। एहि ६० मे सँ ३० छात्र साक्षात्कार तक पहुँचला, मुदा अन्तिम सफलता कुल १५ गोटाकेँ भेटलनि।

डाॅ शेखर झा छात्र लोकनि केँ पुस्तक उपलब्धता लेल सेहो संपूर्ण व्यवस्था अपन निजी योगदान सँ करैत छथि। वक्तव्य केर अंतमे डाॅ झा अपन एहि बेर अपन संस्थान द्वारा १५ केँ ५० बनेबाक भरोस देलनि। एहि अवसर पर कमल मोहन चुन्नू द्वारा प्रतियोगी परीक्षामे मैथिलीक सिलेबस पचास वर्ख पुरान होबाक बात कहला, ओ एकरा अपडेट करेबाक आवश्यकता पर प्रश्न उठौलनि। तत्पश्चात रमानंद झा रमण, कथाकार अशोक, जीएस गुरू राकेश झा द्वारा सेहो टिप्पणीकार विशेष वक्तव्य देल गेल।

एहि कार्यक्रम मे संघ लोकसेवा आयोग परीक्षा मे मैथिली विषय सँ सफलता प्राप्त करैत उत्कृष्ट 223मा रैंक प्राप्त कएनिहार छात्र मयंक कुमार झा केँ सेहो सम्मानित कैल गेल छल। ओ परीक्षा पास करबाक अपन अनुभव आ मैथिली माध्यमे पढबासँ फायदाक बात कहि मैथिलीभाषी लेल एहि सँ नीक आर किछो अन्य सुविधा वा अधिकार नहि हेबाक बात कहलनि। एहि गरिमामयी कार्यक्रमक अध्यक्षता प्रो. हेतुकर झा केलनि आ संचालन भैरव लाल दास द्वारा कयल गेल। दर्शक-श्रोता मे सैकड़ों लोकक उपस्थिति छल।