सिमरिया, बेगुसराय, मिथिला! जुलाई १५, २०१५! मैथिली जिन्दाबाद!!
राष्ट्रकवि रामधारी सिंह दिनकर केर स्मृति दिवस मनायल गेल – हुनक गाम सिमरिया केँ अंग्रेजी कवि शेक्सपियर केर गाम स्ट्रैटफोर्ड समान बनेबाक संकल्प एहि स्मृति समारोह मे शामिल भेला सुलभ ईन्टरनेशनलक संस्थापक डा. बिन्देश्वर पाठक, प्रदान केलनि कोष मे १५ लाख रुपया। हुनका संगे एक अन्य समाजसेवी सुभाष कुमार ईश्वर कंगन सेहो देलनि १५ लाख केर सहयोग।
राष्ट्रकवि दिनकर केर साहित्यक गहिराई अन्तर्राष्ट्रीय स्तरक छल, एकरा ओहि स्तर धरि पहुँचेबाक आवश्यकता केँ आत्मसात करैत दिनकर अकादमी दिल्ली द्वारा आयोजित समारोह मे डा. पाठक अपन मनोभावना प्रकट केलनि। हुनका संगहि समारोह मे विद्वान् शारदा प्रसाद सैदपुरी आ मुंगेर केर डीआइजी सिद्धेश्वर प्रसाद शुक्ल सेहो उपस्थित छलाह।
हालहि दिल्ली मे आयोजित दिनकर स्मृति समारोह मे प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीक संग कार्यक्रम संयोजक डा. सी. पी. ठाकुर संग मंच साझा करैत सुलभ ईन्टरनेशनल गैर सरकारी संस्थानक संस्थापक दिनकर केर गाम सिमरियाक विकास लेल वचनबद्धता प्रकट केने छलाह। ताहि अनुसारे राखल गेल एहि कार्यक्रम मे डा. पाठक द्वारा दिनकर केर नाम सँ स्थापित पुस्तकालय लेल ५ लाख केर अनुदान देल गेल। तहिना दिनकर उच्च विद्यालय मे ६ टा कोठरी बनेबाक वास्ते १५ लाख आरो देलनि डा. पाठक। एकरा संगे बेगुसराय केर कुल १८ प्रखंड मे २-२ टा युवा केँ १५ हजार महीनवारी तनख्वाह पर अपन-अपन-घर मे शौचालय निर्माण वास्ते अभियान चलेबाक लेल रोजगार देबाक सेहो ओ घोषणा कएलनि।
दिनकर केर गाम मे एकटा दिनकर विश्वविद्यालय सेहो खोलबाक योजना बनि चुकल अछि। एकर घोषणा आगामी अगस्त महीना मे प्रधानमंत्री द्वारा कैल जेबाक अछि।