अमित आनन्द, पटना. जुलाई १३, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
काल्हि दिनांक 12 जुलाई केँ मैथिलि लेखक संघ पटना द्वारा यूथ कल्ब सभाकक्ष मे 8म स्थापना दिवस मनाओल गेल. दुइ सत्र मे आयोजित एहि आयोजन केर प्रथम सत्र मैथिलीक वरिष्ठ लेखक कवि कथाकार स्व. धूमकेतु केर कथा सहित्य पर केन्द्रित एकटा विमर्शक आयोजन कैल गेल, ओतहि दोसर सत्र मे कवि गोष्ठीक आयोजन कैल गेल छल।
एहि सत्र केर अध्यक्षता नरेन्द्र झा केलनि तथा मुख्य वक्ता श्याम दरिहरे धूमकेतु केर कथा मे वर्णित मिथिलाक सामाजिक सांस्कृतिक आर्थिक विषमता ओ विडम्बना आदि पर विस्तारपूर्वक चर्चा केलनि. तारानंद वियोगी साहित्य अकादमी सँ धूमकेतु पर प्रकाशित संक्षिप्त जीवनी पर बात रखलनि. मैथिलि केर वरिष्ठ कथाकार अशोक सेहो धूमकेतु केर मैथिली साहित्य मे योगदान पर मानवीय चिंतन केर बात केँ साहित्य प्रेमी लोकनिक बीच रखलनि. मैथिली कवि एवं पत्रकार सुकांत धूमकेतु केर साहित्य केँ मैथिलि साहित्यक अभिन्न अंग बतौलनि. धूमकेतु केर एकमात्र सुपुत्र एवं मैथिलीक युवा कवि अंशुमान सत्यकेतु अपन पिता सँ सम्बंधित दुर्लभ संस्मरण सब प्रस्तुत केलनि.