राहुल झा, बनगाँव, सहरसा। जुलाई १२, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
आय महाराणा प्रताप चौक पर युवा एकता एवं बिहार विकास मोर्चा केर बैनरक निचाँ सहरसा मे AIIMS एवं शहर केर लचर विधि व्यवस्था पर चर्चा कैल गेल । एहि चर्चाक अध्यक्षता बिहार विकास मोर्चाक सोनू तोमर केलनि । एहि बैसार मे सहरसाक पूर्व भाजपा विधायक संजीव झा, युवा एकता सहरसा केर दीपनारायण ठाकुर, विनोद नारायण झा एवं युवा समाजसेवी राहूल बनगांव केर संग राजा चौधरी, आलोक पिंकू झा (पूर्णियां) उपस्थित छलाह।
संजीव झा आरो युवा केँ आगाँ अयबाक लेल आह्वान केलनि। संगहि सहरसाक समस्या केँ देखैत ओ सब पार्टीक नेता सँ निवेदन केलनि जे ओ सब पहिने सहरसाक बेटा छथि, बाद मे कोनो दलक नेता छथि, तैँ एहि धरतीक बेटा होयबाक नाते एक साथ अवाज उठाबैथ आ एम्स स्थापना लेल पटना सँ दिल्ली धरिक सरकार केँ कान धरि पहुँचेबाक इन्तजाम करैथ। ओ युवा एकताक भूमिका केर खूब सराहना केलनि आ कहलनि जे हमर तन-मन-धन सँ अहाँ सबकेँ समर्थन अछि।
युवा एकताक प्रखन्ड अध्यक्ष दिपनारायण ठाकुर जी कहलैन जे अहाँ सब जतेक युवा भाइ छी सब एक संग सहरसाक विकास लेल आगाँ आउ। हम सब एक संग जुटि जायब तऽ ई आन्दोलनक हरेक समस्या दूर होयत। संगहि जे आवाज पटना आ दिल्ली धरि लऽ जेबाक अछि सेहो उचित समय पर पहुँचि सकत।
ओतहि एकटा आक्रोशित युवा अपन भावना रखैत बजला जे हम सब छुट्टीक दिन ताकि खाली अहिना बैसारे टा करब आ कि एहि लेल सरकारक कान धरि आवाज पहुँचेबाक लेल उग्र आन्दोलन लेल सेहो बाध्य होयब… एना लगैत अछि जे सरकार हमरा सबहक आवाज आ शालीनता पर कान मे तूर-तेल दय सूतल अछि। क्रान्ति करबाक लेल नेताजी सुभाषचन्द्र बोस केर ओहि नाराकेँ स्मृति मे अनलैन जे ‘तुम मुझे खून दो, मैं तुझे आजादी दूँगा’, किछु एहि तर्ज पर युवा सबकेँ आरो सशक्त संघर्ष करबाक लेल आह्वान केलनि।