शिक्षासेवी पं. कृष्णलाल झाक स्मृतिमे भेल अक्षयकोषक स्थापना

400

२५ अप्रैल २०२३। मैथिली जिन्दाबाद!!

शिक्षाविद् पं. कृष्णलाल झा – फोटोः फाइल

नेपाली आ मैथिली भाषाक साहित्यकार तथा संस्कृतिविद् प्राज्ञ धीरेन्द्र प्रेमर्षि आ साहित्यकार-सञ्चारकर्मी रूपा झा द्वारा पिता पं. कृष्णलाल झाक स्मृतिमे सामुदायिक स्कूल सबमे शिक्षण तथा शैक्षणिक उन्नयन हेतु उल्लेख्य योगदान देनिहार विशिष्ट व्यक्तित्व तथा शिक्षासेवी सबकेँ प्रत्येक वर्ष पुरस्कृत करबाक लेल अक्षयकोष कए स्थापना कयल गेल अछि।

जेठ पुत्र अक्षेन्द्र झाक जन्मदिनक अवसर पर (वैशाख १२ गते) पुत्रद्वारा राखल गेल अक्षय कोषसँ प्रत्येक वर्ष एक विशिष्ट व्यक्ति केँ नेपाली रु. ५१,००० (एकाबन हजार टकाक) राशि ‘पं. कृष्णलाल झा स्मृति शिक्षा पुरस्कार’ देल जेबाक जानकारी प्राज्ञ प्रेमर्षि करौलन्हि। वि.सं. २००४ सालमे स्थापित भ’ नेपालक पूर्वाञ्चल क्षेत्रमे उल्लेख्य शैक्षणिक प्रतिष्ठानक रूपमे सुपरिचित सिरहा जिल्लास्थित बस्तीपुर माध्यमिक विद्यालयक संस्थापक शिक्षक मध्यक एक पं. कृष्णलाल झा ओहि विद्यालयमे सबसँ लम्बा समयावधि धरि अध्यापन कएने छलाह।

शिक्षासेवी झाक स्मृति दिवसमे बस्तीपुर (सिरहा) स्थित  ओ अध्यापन कएने विद्यालय परिसरमे पुरस्कार समर्पण समारोह आयोजन करबाक जानकारी दैत बस्तीपुर मा. वि. (हाई स्कूल) सँ एसईई (मैट्रिक) परीक्षामे सर्वोत्कृष्ट नतीजा प्राप्त केनिहार एकगोटे छात्र/छात्राकेँ रु. ११,०००/- टकाक नगद राशि “कृष्णानन्दी प्रोत्साहन पुरस्कार” या वैह विद्यालयमें कक्षा ११-१२ अध्ययन कयनिहार  विद्यार्थीकेँ छात्रवृत्ति सेहो देल जेबाक जानकारी देल गेल अछि।

पं. झाक धर्मपत्नी आनन्दीदेवी झा प्रमुख संरक्षक आ जेठ पुत्र राजेन्द्र झा संरक्षक रहल पुरस्कार कोष सञ्चालनक लेल प्राज्ञ प्रेमर्षिक अध्यक्षतामे बस्तीपुरक प्रबुद्ध व्यक्तित्वसभक उपस्थितिमे कुमुदरञ्जन बराल, शेखर गिरी, डॉ. रेणु अधिकारी, धर्मेन्द्र झा ‘विह्वल’, गोविन्द यादव, जुगुत राम, राकेश रेग्मी आ रूपा झा सदस्य ताहिना देवेन्द्र झा, योगेन्द्र झा, वीरेन्द्र झा, महेन्द्र झा, जीतेन्द्र झा, विमला झा आ विभा झा सल्लाहकार रूपमे रहल एकटा समिति बनाओल गेल अछि जे पुरस्कार वितरण कार्यक आवश्यक निर्णय करत।