मयंक, सहरसा। जुलाई ८, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
काल्हि दिन दहाड़े लगभग ५ बजे सहरसाक विद्यापतिनगर मोहल्ला मे एमएलटी कालेजक पछुआर मे एक युवक केँ १२ राउन्ड गोली मारिकय अज्ञात अपराधी सब द्वारा हत्या कय देल गेल। मृतक युवक केर पहिचान डुमरा (सोनवर्षा) निवासी रौशन सिंह केर नाम सँ भेल। सहरसाक आम जनता मे एहि तरहक घटना निरंतर घटि रहलाक कारण आक्रोश अछि। जखन कि प्रदेशक मुख्यमंत्री कोनो जिला मे घटि रहल घटना लेल जिलाक एसपी केँ जिम्मेवार होयबाक बात कहने छथि, परञ्च सहरसा मे मर्डर करबाक सिलसिला नियंत्रण मे नहि लेल जा सकल अछि। नगरक निवासी प्रशासनक निकम्मापन सँ दु:खी रहैत भय आ त्रास मे जीवन व्यतित करय लेल मजबूर आ निरीह बनल अछि। स्थानीय जनताक आपसी चर्चा सँ पता चलैत अछि जे बाहुबलीक खेल आ आपसी रंजिश एहि क्षेत्र केँ अपराधिक गतिविधिक केन्द्र बनौने अछि जाहि पर कानून-प्रशासनक पकड़ नहि रहि जेबाक कारण सरकार उपस्थिति सेहो नगण्य बुझाइत अछि। पूलिस प्रशासन मे वसूली सँ फुर्सत होयत तखनहि ओ जनताक सुरक्षा लेल सोचत, किछु एहि तरहक वीभत्स भावना जाहिर करैत देखायल आम नगर निवासी।