बनारस, गौतम कुमार झा । जुलाई ७, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
आइ महासचिव भोगेन्द्र झा केर आवास पर मैथिल समाज बनारसक सम्मान सभा आ विचार गोष्ठी आयोजित भेल । एहि अवसर पर मुख्य अतिथि छलाह मैथिली सिनेमाकर्मी आ प्रसिद्ध मंच उद्घोषक किसलय कृष्ण । ई गोष्ठी किसलय जीक सम्मानमे राखल गेल छल । आचार्य दिनेश पाण्डेयक मंगलाचरण सँ आरम्भ गोष्ठीमे सर्वप्रथम महासचिव भोगेन्द्र झा आ देवेन्द्र कुमार ठाकुर (स्टेट बैंक अधिकारी) द्वारा दोपटा, माला आ प्रतीक चिन्ह सँ सम्मानित कयल गेलनि तकर बाद मैथिल समाजक अध्यक्ष अधिवक्ता निरसन कुमार झा स्वागत मन्तव्य रखलनि । पुन: समाजक बुजुर्ग सुधीर संग्रामी संस्थाक गतिविधि पर प्रकाश देलनि । अपन वक्तव्य रखैत युवा संस्कृतिकर्मी किसलय कृष्ण मैथिली संस्था सभक मध्य व्याप्त संवादहीनता केँ तोड़बा पर बल दैत कैक महत्वपूर्ण प्रसंग काशी आ मिथिला केँ जोड़ैत सुनेलनि आ सभके विभोर क देलनि ।
उपस्थित मीडियाः कर्मी सभक एक प्रश्नक उत्तरमे श्री किसलय कहलनि जे ई प्रधानमंत्री जीक संसदीय क्षेत्र थीक आ हुनका विश्वनाथ मंदिर परिसर स्थित मिथिलाक महान दार्शनिक मंडन मिश्रक प्रतिमा आ मकानक जीर्णोद्धार करबाक चाही । संगहि बीएचयू मे पुन: मैथिली विभाग स्थापना हेतु संस्था सँ पत्राचार करबाक आग्रह केलनि संगहि सभ तरहक रचनात्मक सहयोगक वचन सेहो देलनि । एहि अवसर पर बीएचयू केर भाषाविज्ञान विभागमे मैथिलीक फेलो पंकज कुमार, संजय झा फिल्मकर्मी नितेश भारद्वाज सहित कतेको वक्ता अपन विचार रखलनि । जलपान संग गोष्ठी केर समापन भेल ।

2 Comments
आई भोरे भाई किशलय कृष्ण कानपुर हमरा आवास पर पहुँचलाह आ हमरा बनारस के दुनू बात बतेलाह…. चाहे ओ मंडन मिश्रक आवास के जीर्णोद्वार के बात होई या दरभंगा घाट के जीर्णोद्वार के हम किशलय भाई के कहलियैन अछि जे मिथिलांचल महासभा कानपुर एही दुनू अभियान में मैथिल समाज बनारस के साथ छैन आ हम जाहि पार्टीक संगठन में छी ओकर सरकार अखन उत्तर प्रदेश में छैक ….उत्तर प्रदेश सरकार के तरफ स सेहो हमर हर सम्भब प्रयाश रहत जे एही दुनू कार्य में किछु मदद करा सकी ……जय मिथिला …..मैथिली जिंदाबाद …..