Search

प्रोफेसर अर्कनाथ चौधरी केर मनोनयन सोमनाथ संस्कृत विश्वविद्यालयक कुलपति पद पर

306 भ्यूज

हर्ष वर्धन चौधरी, मधुबनी। जुलाई ६, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
dr. arknath choudhary
हालहि संपन्न विश्व संस्कृत सम्मेलन – बैंकाक सँ आपसी करिते राष्ट्रीय संस्कृत संस्थान – लखनऊ केर प्राचार्य प्रो. अर्कनाथ चौधरी केँ गुजरातक सोमनाथ संस्कृत विश्वविद्यालयक कुलपति पद पर मनोनयन कैल गेलनि अछि। मिथिलाक मधुबनी स्थित रुद्रपुर ग्राम के लब्ध प्रतिष्ठीत संस्कृत के विद्वान ‘प्रो. अर्कनाथ चौधरी’ जी केर एहि मनोनयन सँ मिथिलांचल केँ नव गौरव केर प्राप्ति भेल अछि। प्रो. अर्कनाथ चौधरी केँ हार्दिक बधाई, मिथिलाक सम्मान केँ अहिना देशक एक सँ बढिकय एक गरिमामय पद केँ सुशोभित करैत बढबैत रहैथ, यैह शुभकामना। मैथिली जिन्दाबाद!!

Related Articles