३ अगस्त २०२१, मैथिली जिन्दाबाद!!
पकड़ा गेल मुकुट चोर

धन्य हे भवानी!! धन्य माता रानी!! अहाँक जय हो!! जय हो!!
धन्यवाद नेपाल प्रहरी – अहाँ सभक विशेष प्रयास आ चौकन्ना रहिकय काज करबाक परम्परा के कारण बस किछेक घन्टाक भीतर चोर केँ चोरी कयल गेल अमूल्य वस्तुक संग पकड़ि लेल गेल। वाह!!
प्राप्त जानकारी मुताबिक सप्तरीक छिन्नमस्ता सखड़ेश्वरी भगवतीक काल्हि सन्ध्याकाल चोरी कयल गेल मुकुट सप्तरीक विष्णुपुर गाउंपालिका वार्ड नम्बर ५ निवासी राजेश कुमार मण्डल केँ आइ भोरे नेपाल प्रहरी द्वारा मुकुट सहित पकड़ल गेल अछि। हाल पकड़ल गेल चोर केँ सप्तरी जिला प्रहरी द्वारा हाजत मे राखि आगाँ आरो अनुसन्धान कयल जा रहल अछि।
एहि सम्बन्ध मे नेपाल पुलिस द्वारा करायल गेल जानकारी अनुसार चोर राजेश कुमार मण्डल केर मानसिक हालत सही नहि होयबाक जानकारी देल गेल अछि, लेकिन एतेक कड़ा निगरानी मे रहल मन्दिर सँ चोरीक घटना चौंकाबयवला कहैत एहि विषय मे छानबीन आरो गहिंराई मे कयल जेबाक जरूरत कहैत नेपाल प्रहरी उचित कार्रबाई आ छानबीन कय रहल अछि। विदित हो जे मन्दिरक रेखदेख मे बहाल पन्डा समाज आ मन्दिरक मात्र १५० मीटर पर प्रहरी चौकी मौजूद अछि। मन्दिर मे सदिखन अपार भीड़ लागल रहैत अछि। तखन मानसिक रूप सँ अस्वस्थ कोनो युवा द्वारा मात्र ई काज केना भेल अछि, ई सच मे गहिंराई धरि पहुँचिकय खोजबीन करबाक जरूरत छैक।