मुसहर समुदायक छात्र-छात्रा केँ भोर संस्था द्वारा छात्रवृत्ति प्रदान जनकपुर मे

जनकपुर, १५ सितम्बर २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

भोर संस्थाक अध्यक्ष राजकुमार महतो द्वारा जारी एक प्रेस विज्ञप्ति अनुसार नेपालक देश भरि सँ १७२ गोटे एसईई २०७५ तथा ४८ गोटे १२वीं कक्षा मे उत्तीर्ण मुसहर विद्यार्थी केँ सम्मान कयल गेल अछि। भोर संस्था द्वारा मुसहर समुदाय मे साक्षरता केँ बढेबाक आर शिक्षाक महत्व सँ एहि वंचित समुदाय केँ जोड़ि मुख्यधारा मे शामिल करबाक मुहिम पिछला किछु वर्ष सँ निरन्तरता मे अछि। काल्हि जनकपुर मे आयोजित एकटा समारोह मे प्रदेश २ केर आन्तरिक मामिला तथा कानून मंत्री ज्ञानेन्द्र कुमार यादव, मुसहर समुदाय सँ पहिल पीएचडी एवं बिहार विधानसभा सदस्य डा. संतोष माझी, प्रदेश २ केर नीति आयोगक उपाध्यक्ष प्रा. डा. भोगेन्द्र झा द्वारा संयुक्त रूप सँ सम्मान प्रदान कयल जेबाक जनतब देल गेल अछि।

प्रदेश २ सरकारक आन्तरीक मामिला तथा कानून मंत्री ज्ञानेन्द्र कुमार यादवक प्रमुख आतिथ्य एवं मुसहर समुदायक पहिल पीएचडी डा. सन्तोष माझी मुसहर आर प्रदेश २ सरकारक नीति आयोगक उपाध्यक्ष प्रा. डा. भोगेन्द्र झाक विशिष्ट आतिथ्यमे संचालन भेल सम्मान समारोहक उद्घोषण भोरक कोषाध्यक्ष पंचूलाल माझी मुसहर कयलनि। तहिना कार्यक्रम मे प्रदेश २ केर सांसद राम आशीष यादव आर फुलिया देवी सदा अतिथीक रूप मे सहभागी भेलथि। एहि समारोह मे झापा सँ नवलपरासी धरिक ३०० सँ बेसी मुसहर विधार्थी, अभिभावक आर अन्य सरोकारवाला लोकनि सहभागी छलथि । नेपाल मे संघीयता कार्यान्वयन भेलाक सन्दर्भ मे मुसहर लगायत डोम, चमार, हलखोर, धोबी, पासवान समुदायक बालबालिका तथा युवा सभ केँ शिक्षित बनेबाक लेल पूर्ण छात्रवृति सहित व्यवहारीक नीति तथा योजना अनबाक जिम्मेवारी आब प्रदेश सरकार तथा स्थानीय सरकारक रहल अछि। भोर द्वारा विभिन्न व्यक्ति सभक निजी सहयोग मे मुसहर समुदायक बालबालिका तथा युवा सभ केँ शिक्षाक मुलधार मे अनबाक काज विगत १० वर्ष होयब एकटा उदाहरणीय कार्य केँ आगाँ नेपालक तीनू तह केर सरकार द्वारा निरन्तरता देल जेबाक मांग भोरक अध्यक्ष राजकुमार महतो कयलनि अछि।