विद्यानन्द बेदर्दी, राजविराज। अप्रैल १८, २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!
विदा २०७५ स्वागत २०७६ :
मिथिला साहित्य-कला प्रतिष्ठान नेपाल ( MiLAF Nepal) द्वारा आयोजित मासिक मैथिली साहित्यिक तथा साङ्गितिक कार्यक्रम, श्रृंखला १७ संग नव वरिष २०७६ क शुभकामना आदान प्रदान आ श्रीरामक जन्मोत्सव कार्यक्रम २०७५/१२/३० गते श्री प वि मा विक प्राङ्गणमे रवेन्द्र रविके अध्यक्षता आ राज रायके सञ्चालनमे सुसम्पन्न भेल। सृजनकर्मी परिचयपाती सत्रमे संस्थाक अध्यक्ष देवेन्द्र मिश्रद्वारा साहित्यकार रविन्द्रनाथ ठाकुर, गीतकार मैथिलीपुत्र प्रदीप, कवि उदयचन्द्र झा विनोद आ हंसराजक किछु कालजयी रचना वाचन सहित परिचय देल गेल आ योगदानक विश्लेषण कएल गेल। गजेन्द्र गजूर, राज राय, अभय कुमार यादव, शान्ति झा, कृष्ण मैथिल, त्रिवेणी यादव, गायत्री मिश्र, शान्ती झा, शिवम असगरूवा, वन्दना मिश्र मधु, दिव्यानन्द मिश्र, पिङ्की कुमारी झा द्वारा कविता वाचन कएल गेल। रवेन्द्र रवि, विद्यानन्द वेदर्दी, धीरेन्द्र मण्डल ‘मधेशी’, राम कुमार मण्डल आ रमन कुमार यादव ‘धीरू’ द्वारा गजल वाचन कएल गेल। सुभाष विरपुरिया, कञ्चन झा, तेजू मैथिल, सुष्मा झा, रमिला साह आ सरोज कुमार राम द्वारा गीति गायन कएल गेल। श्रीराम मण्डलद्वारा देवेन्द्र मिश्र द्वारा लिखित मैथिली रामायणक ५ मिनेटक श्लोक वाचन कएल गेल। शुभचन्द्र झा, मिथिलेश कुमार झा, रितूराज अमरेन्द्र लगायत जम्मा ३० गोटेक सहभागीता रहल छल।