बहुत दुखद समाचार….

आइ भोरे-भोर नागरिक खबरपत्रिकाक खबरि पर लोक सभक प्रतिक्रिया सँ एना लागल जे अप्रैल फूल बनायल जा रहल हो… लेकिन ई वीभत्स घटना सहिये भेल पुनः बाद मे ज्ञात भेल। नेपालक प्रधानमंत्री ओली जी तूफान प्रभावित क्षेत्रक हवाई दौरा लेल अपन पूर्व निर्धारित कार्यक्रम झापा (हुनक गृह जिला) सँ सब किछु छोड़ि-छाड़ि घटनास्थल दिश रवाना भेलाह अछि। तहिना मित्र राम जनम जी, भरत शाह जी व अन्य सम्बन्धित एहि क्षेत्रक विभिन्न व्यक्ति द्वारा सेहो पुष्टि भेल अछि। नेपाल रेड क्रस सोसाइटी द्वारा घायल सब केँ रक्त चढेबाक जरूरति देखैत रक्तदान लेल सेहो अपील कयल गेल अछि।
मिथिलावादी युवा सामाजिक अभियन्ता सेहो आइ भोरे-भोर मानवीय सेवा प्रदान करबाक लेल जलेश्वर सँ बारा दिश निकैल गेलाह, ओ फेसबुक स्टेटस लिखने छथि।
भरतजी द्वारा देल गेल जनतब मुताबिक दादी-नानी द्वारा कहल जायवला ‘भंवरा’ तूफान जेकाँ ई छल जे मिनटों मे अपन तान्डव देखाकय चलि गेल। ई तूफान काल्हि यानि रवि दिन एहि क्षेत्र मे आयल छल। विराटनगर दिश सेहो परसू शनि दिन राति करीब १० बजे पाथर सहित जोरदार बरखा कनेकाल लेल पड़ल रहय। आम, गहुँम, आदि केँ नोकसान सेहो पहुँचल। धरि मानवीय क्षति कतहु नहि भेल छल।
ईश्वर समस्त पीड़ित लेल सहाय होथि!
हरिः हरः!!